18 नवम्बर पर विशेष
अविस्मरणीय शौर्यक भूमि चुशूल में
कीर्तिनाथ झा
शहीदोंके मज़ारोंपर लगेंगे हर बरस मेले
वतनपे मरनेवालोंका यही बांकी निशां होगा !
शहीद अशफाक़उल्ला खां केर
एहि उक्तिमें सत्य आ बिडंवना दूनू छैक. शहीद लोकनिक स्मारकपर माल्यार्पण सेहो
होइछ, श्रद्धांजलिओ देल जाइछ, आ शहीदलोकनिकें लोक बिसरियो जाइछ. कतेक बेर तं एहनो होइछ,
जाहि वीरकें सैन्य-इतिहासमे उदात्त-चरित मानल जाइछ, जनसामान्यमें ओ लोकनि पूर्णतः
अपरिचित रहैत छथि. ततबे नहिं, अधिकतर युद्ध सीमा क्षेत्रक दुर्गम भूमिमें आ विषम
परिस्थितिमें लडल जाइछ. तें, जनसाधारण देशक भीतरक युद्ध स्मारक तं देखैत छथि, मुदा
ओ भूमि आ परिस्थिति जतय सैनिक अपन प्राणक आहूति दैछ, सामान्य नागरिक लोकनिक चेतना
धरि नहिं पहुंचि पबैछ. चलू, अजुका यात्रामें एहने तीर्थ-पूर्वी लद्दाख़क रजांग-ला
स्मारक, चुशूल चली. सत्यतः, पर्यटनक दृष्टिए लद्दाख़में रजांग-ला स्मारक वा चुशूल
दर्शनीय स्थल सबहक सूची में नहिं गनल जाइछ.तें,केओ भारतीय टूरिस्ट ई स्मारक देखबाले लद्दाख़ जेताह से सन्देहक विषय ! हम सेहो ड्यूटीक क्रममें चुसूल होइत दुर्बुख गाम
विदा भेल छी. रास्ता लेह सं पूब मुँहे सिन्धु नदीक कछेरे-कछेरे सिन्धुक उद्गम-
मानसरोवर- दिस जाइछ. आब भारत-चीन सीमा विवादक कारणें मानसरोवर जयबाक ई सोझ बाट
बन्न छैक ; भारतक स्वतंत्रताक पूर्व लद्दाख़क व्यापारी लोकनि एहि बाटें तिब्बत
जाइते छलाह. एखन ई बाट ओहि पर्यटक लोकनिक हेतु उपयुक्त थिक जे पूर्वी लद्दाख़क सीमा
क्षेत्र 'चांगथांग' पठारक भूगोल, जलवायु, जनजीवन, आ वन्य-सम्पदाक प्रत्यक्ष अनुभव करय चाहैत छथि. 'चांगथांग' इलाका
तिब्बती पठार क समान अछि ; समतल-सन, पाथर आ बालु सं पाटल बंजर पहाड़ी मरुभूमि,
अत्यन्त शुष्क वातावरण आ अचानक उठैत बिहाडि-सन बसात, भयानक ठण्ड. गाछ-वृक्ष नदारद.
जीव-जन्तुक नामपर वनगदहा- कियांग , आ विलुप्त होइत तिब्बती हरिण-चिरु. चिड़इक नाम
पर विभिन्न रंगक खंजन, आ सारस- ब्लैक नेक्ड क्रेन. आबादीक नाम पर घासक खोजमें सतत
चलंत तिब्बत आ लद्दाखक यायावर चंस्पा. एहि बाटमें सिन्धुक संग रहबे करत किन्तु, भूमि आ
नदी जेना एक दोसरा सं निरपेक्ष भ कय चलैछ, नदीक कछेरमें खेती-बाड़ी भरिसके भेटत. जे
नदी ठाम-ठाम संकीर्ण स्थानमे तेज आ भयावह छैक सएह चाकर-चौरस इलाकामें
झील-जकां शान्त आ स्थिर भ जाइछ. तथापि
जतहु नदी उत्थर छैक भीषण ठंढा जलक कारण सोझे नदी पार करब ने उचित ने आवश्यक. पहाड़क
शिखर सं बहैत पानि जाहि ठाम छोट-छोट नाला आ धारा बाटें आबि सिन्धु में खसैछ, जल
बहावक वएह क्षेत्र भेल उर्बरा भूमि. ओतहि जन-जीवन आ मनुक्ख, हरियरी आ खेत-खरिहान
भेटत. हँ, जाहि इलाकामें नीचा बहैत पानिकें निकास नहिं छैक ओतय अनेको झील भेटत.
एहि झील सब में प्रमुख अछि, 120 कि.मी. लम्बा झील पेंगोंग-सो, सोमोरीरी, आ नोनक
पारंपरिक श्रोत, सो-खार झील. पहिलुक जमानामें
सो-खार झीलसं स्थानीय लोक सब नोन उगाही करैत छल. तिब्बती व्यापारी सब लेह
लग शक्ति गाओंमें झुण्डक-झुण्ड भेंडी ल कय अबैत छलाह आ ओत्तहि भेंडी सबहक केश आ
नोनक अदला-बदली होइत छलैक आ बलिष्ठ तिब्बती भेंडी- चांग्लुक-नोन लादि कय तिब्बत
आपस जाइत छल. एतुका ऊँच पहाड़ में जतय समतल भूमिक बासिन्दाले अपनो देह भारी बूझि
पड़ैत छैक, एक-एकटा चांग्लुक पंद्रह किलो धरिक वजन उठबैत छल. भार उघबाले भेंडीक
प्रयोगक ई प्रायः विरले उदाहरण छल. भारत- तिब्बत सीमा पर जहिया सं आवागमन आ
व्यापार बन्न भ गेलैक तहिया सं लद्दाख आ तिब्बतक बीच ई अदला-बदलीक व्यापार इतिहास
भ गेल. लेह बस्ती पार केलाक बाद पहिल गाओं थिक थिक्से. तकर
बाद शे नामक गाओं. शे गाओं में बाटक कातहि, जतय सड़क मोड़ लैछ, छोट-सन पहाड़ीक सड़क
दिसक पक्खापर खोधल बुद्ध केर रेखा चित्र स्वतः आकृष्ट करत. बुद्ध तं अमर छथिए.
मुदा, बुद्धक रेखाचित्र बनओनिहार अनामा कलाकार एहि पाथरपर अमर भ गेल छथि. लद्दाख़
में अहिना जहिं-तहिं इतिहास छिडियायल भेटल. थोड़ आबादी, बरखाक अभाव आ बंजर भूमि.
एतय इतिहास हठे बिलाइत नहिं छैक. तें कतेको वर्ष पूर्व मृत पर्वतारोहीक आ जीव-जन्तुक
शव, माटिक भीतक महल , अन्न-पानि सब कथूकें प्रकृति जोगाकय रखने रहैछ.
एतय सड़क सं कनेक हंटि क, पहाड़ क ऊँचाई पर, शे गामक प्रासाद आ मन्दिर सेहो छैक,
मुदा, तकरा देखबा ले बेसी समय चाही. एतयसं किछुए आगू सड़कक बामा कात खूब चाकर आ
लम्बा क्षेत्र देखबैक. सुदूर भूत में ई कहियो जल बहावक क्षेत्र छल हेतैक. आब तं सब
किछु सुखायल छैक. उबड़-खाबड़ भूमि, विभिन्न आकारक छोट-पैघ पाथरक अजस्र पिण्ड, छोट-पैघ
स्तूप- छोरतेन जहां-तहां पसरल छैक. बौद्ध परम्परामें शुभ वा अशुभ सब सामाजिक अवसर
पर स्तूपक स्थापना होइत छैक. ई स्तूप सब तकरे सबहक स्मारकक थिक. किछु आओर आगू गेलापर
दाहिना दिस, सड़कसं कनेक हंटि कय बालुक चौरस मैदानक बीचमें छोट पहाड़ी पर स्ताकना
विहार आकृष्ट करत. एखन दूर जेबाक अछि, तें, आगू चली. एतय सं आगू, लेह सं करीब 40
कि. मी. पूब, पहिल पैघ बस्ती कारू नामक सैनिक अड्डा थिक. कारूमें सिन्धु सड़कक एकदम लग आबि गेल छैक. नदीपर पूल पार कय हेमिस गाओंक प्रसिद्द हेमिस बौद्ध विहारक बाट छैक. हेमिस
बौद्ध विहारक गणना लद्दाख़ सर्वाधिक
संपत्तिशाली विहार सब म सं होइछ. विहार एतय सं दूर नहिं, किन्तु, सड़कक लग सं ने हेमिस
गाम देखबैक आ ने बौद्ध विहार ! इएह थिकैक एहि हेमिस विहारक सुरक्षाक रहस्य. एखन
हेमिस विहारक एतबे चर्चा. कारण, हेमिस विहारक गप्प कहबाले एकटा फूट लेख चाही. कारू सैनिक अड्डाक आगू सड़क दू दिस भ
जाइछ. बामाकातक सड़क शक्ति-जिंगराल आ चांगला पास होइत दुर्बुख आ तांगसे सैनिक अड्डा
होइत पेंगोंग-सो झील धरि जाइछ. दाहिना कातक सड़कसं
एकटा बाट हिमाचल दिस फूटइछ आ सीधा सड़क किआरी-चुमाथांग-माहे होइत भारत चीन
सीमाक अंतिम गाओं देमचोकक धरि जाइछ. देमचोक सं पहिने एही सड़क सं सोमोरीरी झील, हानले आ चुशूल आ पेंगोंग-सो झील
धरिक बाट फूटइत छैक. मुदा, पेंगोंग-सो झील जेबाले, ई बाट घुमान भेल. मुदा ,
हिमपातक कारण जखन सोझ बाट बन्न भ जाइत छैक ई बाट तखनो खूजल रहैछ. इएह थिकैक एहि
सड़कक महत्व. हमरा लोकनिक
जेना-जेना पूब दिस बढ़ि रहल छी पहाड़ी ऊँचाई क्रमशः बढ़ि रहल छैक आ तापमान स्वतः घटि
रहल छैक. तथापि, एखन गर्मिक मास छैक तें जा धरि तेज बसात नहिं बहौक वा अचानक
हिमपात नहिं होइक दिनमें उनी कपड़ाक काज नहिं. मुदा रातिमें ? रातिमें तं गर्मी
चाहबे करी. रौद खसिते आ छाहरि होइते लद्दाख़ हाड़ हिलबयवला जाड़ ले नामी अछि; एतय
रौद आ छाहरिक बीच तापमान अंतर 30 डिग्री सेंटीग्रेड धरि भ सकैछ !
बाटें-बाट
जाइत-जाइत सड़कक काते-कात कतहु-कतहु पांच-दस घरक गाओं, चारि-छौ बच्चाक स्कूल सेहो
नजरि पड़ल. तथापि, दूइए-चारि टा चटिया ने शिक्षकक मनोबलके तोड़इछ, आने चारिए- छौ नेनाक स्कूल विद्यार्थीए सब कें हताश करैछ.
हमरा लोकनि चुमाथांग में कनेक
काल रुकलहु. एतय सं आगू माहे सं सोमोरीरी झील केर सड़क फूटइत छैक. दिहिना कात फूटइत
कच्चा सड़कक बीचमें बैरियर देखलियैक; सोमोरीरी जेबा ले पहिने परमिट लेबय पड़ैत छलैक;
आब तकर जरूरत नहिं. लद्दाख एबावला सामान्य पर्यटक सोमोरीरी झील नहिं जाइत छथि.
भूगर्भ वैज्ञानिक, जीव-वैज्ञानिक, पर्यावरण आ वन्य-जीवनक गहन अध्येता, आ दुर्गम
इलाका में स्वयं मोटर आ मोटर साइकिल चालकय घुमंतू roady लोकनिले ई झील विशेष
आकर्षणक केंद्र थिक. सत्यतः, जं जनशून्य सं डेराइत नहिं होइ, लम्बा सड़क-यात्रा,
रहस्य-रोमांच नीक लगैत हो आ शरीर स्वस्थ हो तं लद्दाखक परिदृश्य तं निर्विवाद
अजूबा आ आकर्षक तं छैके ! एकटा गप्प आओर, मरुभूमितं राजस्थानहु में छैक. किन्तु,
ऊँचाई आ जलवायुक कारण दुनू में कोनो समानता नहिं .
आस-पासक मैदानमें भेंडी-बकरीक
विशाल झुण्ड ताकि-ताकि कय घास चरैत छल आ चंस्पा चरबाहसब रौद तपैत अपन-अपन काजमें लागल छल. एतय दिन-देखार
माल मवेशी के जंगली जानवर खतरा नहिं. चोरि तं होइते नहिं छैक मुदा, रातिमें लद्दाखक
हुडाड (wolf)-शंखो-सं माल मवेशीकें बंचबय पड़ैत छैक.
किछु दूर आगू
न्योमा गाओंमें, एकटा सैनिक यूनिट में हमरा लोकनि चाह-पानी कयल. एहि जनशून्य
भूमिमें आगन्तुककें देखि कय सैनिकोसबकें नीक लगैत छनि. तें, लद्दाख़में अधिक ठाम बाट-घाटपर सैनिक लोकनि गरम चाह सं पर्यटक लोकनिक स्वागत करैत
छथि. कतेक ठाम ऊँच-ऊँच पास (दर्रा) पर सैनिक
धार्मिक-स्थलक सेहो देखबैक. घर परिवार सं दूर, जनशून्य स्थानमें प्रकृतिक प्रकोप आ
दुश्मन दुनूसं सतत लड़ैत सैनिककें अपना लगक धार्मिक स्थल अनमना होइत छैक ; धार्मिक
काज सुरक्षाक भाव तं दैते छैक. एहि मंदिर सबपर आवभगत में गर्म चाहक संग
प्रसादकमें गर्म हलुआ आ कनेक मधुर भेटय तं आश्चर्य नहिं. हमरा लोकनिक आव-भगत तं सेनाक
ड्यूटी थिकैक. तें, ओकर गप्प नहिं हो.
न्योमाक
आगू लोमा नामक स्थानमें सिन्धुकें पार करैत सड़क हानले दिस जाइछ. हानले भारत-तिब्बत
सीमापर एकटा छोट गाओं थिक. मुदा, हाल-सालमें एकटा विशाल वेधशाला (Indian Astronomical Observatory) क निर्माणक कारण हानले अंतर्राष्ट्रीय मानचित्र पर उभरि आयल
अछि. शुष्क विरल वायु, वर्षा आ मेघक अभावें सालो भरि निर्मल आकाश, समुद्र तलसं
12000 फुट सं बेसी क ऊँचाई, आ प्राकृतिक अवरोधक अभावक कारण ई स्थान observatory ले
विशेषतः उपयुक्त अछि. एहि observatoryक दूरस्थ नियंत्रणक बैंगलोरक इंडियन इंस्टिट्यूट ऑफ़ एस्ट्रोफिजिक्स
केर हाथमें छैक. जें कि हानले भारत-चीन
सीमाक अत्यंत समीप अछि तें, एहि स्थान सामरिक आ सैनिक महत्वतं छैके.
हमरा लोकनि कें चुशूल होइत
दुर्बुख जेबाक अछि. तें लोमामें मुख्य सड़क छोडि उत्तर दिसक कच्चा सड़क पर उतरलहु. दुनू
कात ऊँच-ऊँच पहाड़क बीच करीब 40 कि. मी. लम्बा आ 5-6 कि. मी. चौड़ा चुशूल उपत्यका सपाट-सन मैदान-सन
छैक. पुवारिकातक पहाड़, 1962 ई क घमासान युद्धक भूमि थिक. पुबरिया पहाड़क पूबक
क्षेत्र चीन नियंत्रित इलाका थिक. 62 ई. में चीनी सेना एही सड़क आ चुशूलक हवाई
पट्टीपर नियंत्रण कय भारतीय सेनाक आवागमनकें रोकय चाहैत छल. एखन एहि कच्चा सड़कपर ठाम-ठीम खोंड़ा- खच्चा आ पानिक जमाव छैक. ड्राईवर गाड़ी सं उतरि पानिकें थाहैत छथि आ
सुरक्षित बाट चुनै छथि. एतुका पानिमें थाल कादोक दरस नहिं. तें, गाड़ी लसकबाक डर
नहिं. मुदा, रोड़ा-पाथर टायर कें नुकसान क सकैत छैक. भंगठी भेल तं परम समस्या ;
ड्राईवर अपनहिं ठीक करथु. तें, एहि इलाका में एबाले दुरुस्त गाड़ी, पर्याप्त इंधन,
आ कुशल ड्राईवर भेनहिं कुशल. गाड़ीकें कोनो नोकसान नहिं हो सेहो आवश्यक. हमरा
लोकनिक अगिला पड़ाव चुशूल थिक.
चुशूल, भारत-चीन सीमापर पूर्वी लद्दाख़क एकटा दूरस्थ गाओं थिक. एखुनका सर्वग्य गूगल वा पर्यटन सलाहकार, ट्रिप-एडवाइजर, कें जं पुछबनि तं ओहो भरिसके एहि सं बेसी किछुए कहताह. हँ, एतबा अवश्य जे लद्दाख़क मुख्य आकर्षण पेंगोंग-सो झील आब हिंदी सिनेमाक प्रसादें आब प्रसिद्द भ गेल अछि. ई चुशूलक लगहिं अछि. मुदा, लेह सं पेंगोंग-सो झील जयबाक ई सोझ बाट नहिं थिकैक, से तं कहनहिं छी. भारतीय पर्यटकक आवागमनले परमिटक झंझट सेहो समाप्त भ गेलैये, तें, भ सकैत अछि किछु लोक एम्हरो बाटें पेंगोंग-सो झील जाइत होथि . जाड़कलामें हिमपात भेलापर जखन चांगला पास बन्न भ जाइछ तं पेंगोंग-सो झील, वा तांगसे आ दुर्बुखक सैनिक अड्डा धरि जेबाले मात्र इएह टा बाट खूजल रहेछ. स्मरणीय थिक, 1962 ई. क भारत-चीन युद्धक समय में चुशूल जेबाक इएह टा एकटा रास्ता रहैक. ताहिया लेह सं चांगला पासकेर रास्ता खुरबटिया छलैक. सामरिक महत्वक एहि हवाईपट्टी आ चुशूल-दुंगती-लेह मार्गपर भारतीय सेना अंत धरि अपन नियंत्रण धरि बनौने रहल जाहिसं भारतीय सेनाक आवागमन तं चालू रहबे केलैक, चीनी सेनाक लेह दिस बढ़बाक सम्भावना सेहो समाप्त भ गेलैक. साधन सम्पन्न, संख्यामें कतेक गुणा अधिक आ हाई एलटीच्युड एरियामें ट्रेंड विशाल चीनी सेनाक सामने ई कठिन काज भारतीय सेना कोना केलक से कनेक रहि कय.
चुशूल, भारत-चीन सीमापर पूर्वी लद्दाख़क एकटा दूरस्थ गाओं थिक. एखुनका सर्वग्य गूगल वा पर्यटन सलाहकार, ट्रिप-एडवाइजर, कें जं पुछबनि तं ओहो भरिसके एहि सं बेसी किछुए कहताह. हँ, एतबा अवश्य जे लद्दाख़क मुख्य आकर्षण पेंगोंग-सो झील आब हिंदी सिनेमाक प्रसादें आब प्रसिद्द भ गेल अछि. ई चुशूलक लगहिं अछि. मुदा, लेह सं पेंगोंग-सो झील जयबाक ई सोझ बाट नहिं थिकैक, से तं कहनहिं छी. भारतीय पर्यटकक आवागमनले परमिटक झंझट सेहो समाप्त भ गेलैये, तें, भ सकैत अछि किछु लोक एम्हरो बाटें पेंगोंग-सो झील जाइत होथि . जाड़कलामें हिमपात भेलापर जखन चांगला पास बन्न भ जाइछ तं पेंगोंग-सो झील, वा तांगसे आ दुर्बुखक सैनिक अड्डा धरि जेबाले मात्र इएह टा बाट खूजल रहेछ. स्मरणीय थिक, 1962 ई. क भारत-चीन युद्धक समय में चुशूल जेबाक इएह टा एकटा रास्ता रहैक. ताहिया लेह सं चांगला पासकेर रास्ता खुरबटिया छलैक. सामरिक महत्वक एहि हवाईपट्टी आ चुशूल-दुंगती-लेह मार्गपर भारतीय सेना अंत धरि अपन नियंत्रण धरि बनौने रहल जाहिसं भारतीय सेनाक आवागमन तं चालू रहबे केलैक, चीनी सेनाक लेह दिस बढ़बाक सम्भावना सेहो समाप्त भ गेलैक. साधन सम्पन्न, संख्यामें कतेक गुणा अधिक आ हाई एलटीच्युड एरियामें ट्रेंड विशाल चीनी सेनाक सामने ई कठिन काज भारतीय सेना कोना केलक से कनेक रहि कय.
कच्ची सड़क बाटें
बालु-पानि-पाथरकें पार करैत जखन हमरा लोकनि चुशूल पँहुचल रही तं अपराह्न भ गेल
रहैक. लम्बा चौड़ा समतल भूमि. दुनू कात ऊँच पहाड़. चुशूलगाम आ चीन नियंत्रित भूमिक
बीच करीब पांच किलोमीटरकेर लो-लैंड आ दलदल छैक. हवाई पट्टी आ दाहिना कातक एहि
दलदलक पूबक पर्वत श्रृखलाक बीचोबीच करीब
दू किलोमीटर केर समतल भूमिक गैप छैक, इएह थिकैक स्पैंगुर गैप जाहि बाटें तिब्बती
पठारसं चीनी सेना सोझे चुशूल आबि सकैत छल. चीनी सेनाक चुशूल पहुँचबाक दोसर बाट
रजांग-ला पास भ सकैत छलैक, जकर चर्चा आगू हयत. स्पैंगुर गैपमें एकटा बैरकनुमा भवन
देखलियैक. भारत-चीन सीमा पर तैनात दुनू देशक सैनिक अधिकारी लोकनि सम्मेलन
हेतु एहि भवनक उपयोग करैत छथि. स्पैंगुर गैपमें आ समतल भूमिक बीचक दल-दल में
विलुप्त होइत प्रजातिक पक्षी ब्लैक नेक्ड क्रेन (कारी गरदनिवला सारस) कीड़ा-फतिंगा
चुनैत छल. समतल भूमिक इलाका perforated steel sheet सं पाटल छैक. इएह थिक चुशूल
हवाई पट्टी जकर निर्माण 1962 ई में भारतीय सेनाक इंजीनियरिंग कोर केने छल; एहि
हवाई पट्टीपर तहिया AN-12 आ पैकेट नामक जहाजसब उतरि सेनाक साज-सामन अनैत छल.
दाहिना कातक पर्वत-श्रेणीक गुरुंग हिल, स्पैन्गुर गैप, मगर हिल आ रजांग-ला पास चुशूल सेक्टरमें भारतीय सेनाक बलिदान-भूमि थिकैक. चुशूल हवाई पट्टी आ पुबरिया पर्वत श्रृंखलाक बीच किछुओ नहिं तं 5 किलोमीटरक दूरी तं अवश्य हेतैक ; रजांग-ला पास एहि श्रृंखलामें सबसँ दूर, हवाई पट्टी सं करीब 11 किमी दक्षिण पूर्वमें छैक. हवाई पट्टिक पश्चिम रजांग-लाक युद्ध स्मारक छैक. लगइए आइए केओ वरिष्ठ सैनिक अधिकारी एतय आयल छलाह. अर्पित श्रद्धा-सुमन- wreath- स्मारकक आगां यथा-स्थान ओहिना राखल छैक. एतय हमरो लोकनि वीर शहीद लोकनिक नमन कयल. मुदा, हुनका लोकनिक उदात्त बलिदानक जखन स्मरण कयल, तं, मोन जेना इतिहासक पन्ना में भुतिया गेल. तें, चली कनेक इतिहासक पन्नामें बौआइ.
दाहिना कातक पर्वत-श्रेणीक गुरुंग हिल, स्पैन्गुर गैप, मगर हिल आ रजांग-ला पास चुशूल सेक्टरमें भारतीय सेनाक बलिदान-भूमि थिकैक. चुशूल हवाई पट्टी आ पुबरिया पर्वत श्रृंखलाक बीच किछुओ नहिं तं 5 किलोमीटरक दूरी तं अवश्य हेतैक ; रजांग-ला पास एहि श्रृंखलामें सबसँ दूर, हवाई पट्टी सं करीब 11 किमी दक्षिण पूर्वमें छैक. हवाई पट्टिक पश्चिम रजांग-लाक युद्ध स्मारक छैक. लगइए आइए केओ वरिष्ठ सैनिक अधिकारी एतय आयल छलाह. अर्पित श्रद्धा-सुमन- wreath- स्मारकक आगां यथा-स्थान ओहिना राखल छैक. एतय हमरो लोकनि वीर शहीद लोकनिक नमन कयल. मुदा, हुनका लोकनिक उदात्त बलिदानक जखन स्मरण कयल, तं, मोन जेना इतिहासक पन्ना में भुतिया गेल. तें, चली कनेक इतिहासक पन्नामें बौआइ.
1962
ई. क भारत-चीन युद्ध हमरा लोकनिक पीढ़ीमें सर्वविदित अछि. युद्धमें पराजयक ग्लानिसं
उबरबामें हमरा लोकनिके बहुत समय लागल छल. तथापि एहि चीनी आक्रमणक एहि दुखद अध्यायमें
रजांग-लाक युद्ध सम्पूर्ण संघर्षकेर एकमात्र गौरवमय प्रकरण थिक. तें, एहि ठाम
रजांग-लाक युद्धक निरपेक्ष चर्चा करी. मुदा, युद्धक संदर्भक चर्चाक बिना गप्प
बुझबामें नहिं आओत. तें, पहिने भारत-चीन युद्धक पृष्ठभूमिमें चली.
भारत चीन-सीमा उत्तर-पश्चिममें
जम्मू कश्मीर सं ल कय पूबमें अरुणाचल प्रदेश
धरि पसरल अछि. बीचमें नेपालक इलाकामें भारत चीन एक दोसरा सं दूर अछि. भूटानक-चीन
सीमाक सुरक्षाक भार भारतहिं पर छैक. तें, भूटान-चीन सीमा सेहो व्यवहारमें भारत-चीन
सीमा भेल. जे किछु. तथापि, सदातनि सं करीब चारि हज़ार किलोमीटर लम्बा भारत-चीन सीमा
मूलतः भारत-तिब्बत सीमा छल. तिब्बतकें भारत सं पारम्परिक सम्बन्ध छैक; बौद्ध धर्म
आ महात्मा बुद्द केर जन्मभूमि भारतकें तिब्बती समुदाय एखनहु गुरु मानैत अछि. तें, भारत-चीन अन्तर्राष्ट्रीय सीमा अद्यावधि
परम्परा, परस्पर सम्पर्क आ सन्धि द्वारा निर्धारित छल. संगहिं भारतपर अंग्रेजक
शासनकेर युगमे अंग्रेजक शक्तिक योग तं छलैके. तथापि, अंग्रेजी भारतक स्वतंत्रताक
पूर्वहु दुनू देशक बीच सीमा विवाद नहिं छलैक, से नहिं. तथापि, युद्धक परिस्थिति कहियो
नहिं आयल छलैक. चीनमें कम्युनिस्ट सरकारक उदय आ तिब्बतकें बलपूर्वक चीनमें विलय
केर पछाति चीनी नेतृत्व लद्दाख़ आ अरुणाचल प्रदेशक
(तहियाक NEFA क ) विवादित भूमिक
क्रमशः अतिक्रमण आरंभ क देलक. विवादक निराकरणक हेतु दुनू देशक बीच अनेक पत्राचार,
आ दुनू देशक शीर्षस्थ नेताक सबहक बीच अनेक सम्मलेन भेल. किन्तु, कोनो सहमति नहिं भ
सकलैक. चीनकेर आक्रामक नेतृव आ विशाल सेनासं भारत आओर की अपेक्षा करैत. बीचमें चीन
बराबरि दूर-दराजक निर्जन विवादित इलाकाक
दखल करैत गेल. भारत एहि पर बराबरि नजरि रखने छल. मुदा, कतेक दिन धरि भारत
कोनो औपचारिक विरोध नहिं प्रकट केलक. क्रमशः स्थिति चिंताजनक होइत गेलैक. एहना
स्थितिमें भारत ने भूमिक अतिक्रमण सहि सकैत छल आ ने बल पूर्वक विवादित इलाकाकें दखल
क सकैत छल. तें, भारत सरकार जाहि क्षेत्रकें
अपन क्षेत्र बूझैत छल ओतय जहां-तहां सेनाक छोट-छोट टुकड़ी तैनात करय लागल. सीमा
क्षेत्रक विवादित क्षेत्र पर क्रमशः अपन नियंत्रण
बढ़यबाक एहि नीतिक नाम भारत सरकार Forward
policy देलक . व्यवहारिकतामें Forward policy सीमाक्षेत्रक अत्यन्त दूर दराज इलाकामें सैनिकक थोड़-थोड़ तैनाती
भेल ; युद्ध लड़बाक हेतु ई तैनाती नितांत अपर्याप्त छल. तें, युद्धतं दूर, एहि सब
इलाकामे सेनाक अस्तित्व सेहो कठिन छल. लद्दाख क्षेत्रमें तं किछु एहनो चौकीसब छल
जतय रुख-सुख समयमें, पांव-पैदल पहुँचबामें 10-15 दिन लागि जाइत छलैक. प्रतिकूल मौसमकेर
तं गप्पे नहिं हो. आपात कालमें लगपासक चौकीसं सहायताक कोनो भरोस नहिं. एहि Forward
policy क अन्तर्गत नव-नव चौकीक स्थापनासं भारतीय आ चीनी सेनाक बीच कतेक ठाम
तना-तनीक स्थिति भ जाइक. कूटनीतिक विवादक तं छलैके. तथापि, भारतीय नेतृत्वकें भ्रम
रहैक जे चीन भारतपर आक्रमण नहिं करत. देशकें स्वतंत्र भेना बस 15 वर्ष भेल रहैक.
एहि बीच चीनक विपरीत भारत ने सैनिक शक्ति
बढ़यबाक प्रयास केलक आ ने भारत लग आर्थिक साधन रहैक. तें, सत्यतः, भारतीय सेना
युद्ध लड़बाक स्थितिमें कदापि नहिं छल. भारतीय सीमा क्षेत्रमें यातायातक सुविधा
नगण्य रहैक. चीन अपना क्षेत्रमें सीमा धरि सड़कक जाल बिछा नेने छल. माने, भारत
सामरिक दृष्टिए दुर्बल छल आ राजनैतिक दृष्टिए भ्रममें छल. तें, पछाति किछु
विशेषज्ञ 1962 ई. क भारतीय कूटनीतिक आ
सामरिक अभियानकें भयंकर भूल वा 'हिमालयन ब्लंडर' केर संज्ञा देलनि. जे किछु. सैनिक दुर्बलता आ कूटनीतिक भ्रमकेर एहने
परिस्थितिमें अक्टूबर 1962 ई. में चीन एकाएक
सम्पूर्ण भारतीय सीमापर आक्रमण क देलक. भारतके जोरगर धक्का तं अवश्य लगलैक; भारत
एहि ले तैयार नहिं छल . मुदा, उपाय की ? भारत अपना भरि जोर लगओलक. किन्तु, चीनी सेनाक
सामरिक शक्तिक आगां भारतकें पूर्वी आ पश्चिमी क्षेत्रमें अनेक ठाम पराजय आ
जान-मालक नोकसान उठाबय पड़लैक. तथापि, जतय, जाधरि सम्भव भेलैक सेना मोर्चा धेने
रहल. चीनी आक्रमणक ई दौर जे अक्टूबर 1962 में अरुणाचल आ लद्दाख़में आरम्भ भेल छल से
नवम्बर 1962 में चुशूलक युद्धक पछाति चीन द्वारा एकतरफा युद्ध विराम सं समाप्त भेल.
किन्तु, युद्धक पृष्ठभूमिमें जतेक राजनैतिक आ कूटनीतिक गतिविधि भेल होइक, आम
सैनिककें जाहि पराभवक सामना करय पड़ल रहैक तकरा लार्ड अल्फ्रेड टेनीन्सन, एकटा
भिन्न परिप्रेक्ष्यमें, अपन कविता 'The charge of the light brigade' में बड
सुन्दरतासं व्यक्त केने छथि. क्रिमीआक युद्धक सन्दर्भमें अंग्रेजी सेनाक पराभवक पृष्ठभूमिमें
लिखल गेल ई कविता अनेको सैनिक अभियान पर सटीक बैसत. देखियौ :
'No tho' the soldiers knew
someone has blunder'd
There's not to make reply
There's not to reason why
Theirs but to do and die'
सारांश एतबे ,
'सैनिकक लोकनि नीक जकां बूझैत छलाह, (
सेनानायक वा राजनेता ) ककरो सं बड़का चूक भेलैये. किन्तु, सैनिकक धर्म सवाल-जवाब नहिं,
केवल करब आ मरब थिक'. सरिपहुं, सैनिकक जीवनक इएह विधान थिकैक. सैन्य जीवनक एहि आदर्शक
अनुकूल, विपरीत परिस्थितिमें चुशूल आ
रजांग-ला में भारतीय सेना केहन इतिहास रचलक तकर संक्षिप्त कथा आब सुनू.
1962 ई. क भारत-चीन युद्धक सम्पूर्ण दुःखद
प्रकरण में रजांग-लाक संग्राम एकमात्र गौरवमय अध्याय थिक. एहि युद्धमें 13 कुमाऊँ रेजिमेंटक 'C' कंपनीक सैनिक लोकनि जाहि वीरतासं दुश्मन मनोरथके
माटिमें मिला देलनि, सैन्य इतिहास तकर दोसर उदाहरण भेटव असंभव. गप्प 1962 ई. के 18 नवंबरक थिकैक. हरियाणाक ई अहीर सैनिक
लोकनि भारत पाकिस्तानक पश्चिमी सीमाक समतल भूमि सं किछुए दिन पूर्व लद्दाख़ आयल
रहथि. सेनालग ने लाद्दखक भीषण जाड़क हेतु
पर्याप्त कपड़ा रहैक, ने पहाड़ी भूमि में मोर्चाबंदीले कोनो औजार. 13 कुमाऊँ केर 'C' कम्पनी केर जवान लोकनि मेजर शैतान सिंहक कमानमें रजांग-ला केर 2 कि.मी. लंबा मोर्चा पर
तैनात रहथि. उत्तर दिसुक पहाड़पर एही 13 कुमांऊ रेजिमेंटक दोसर कम्पनी सब, आ 1/8
रेजिमेंटकेर गोरखा सैनिक सब तैनात छल. पहाड़क चोटीपर गत राति तेज बिहाडिक संग हिमपातक
भ रहल छलैक. लगैक जाड़सं जेना छातीक शोणित
जमिक पाथर जायत. तखने, करीब दू बजे भोरे अचानक फायरिंगके आवाज भेलैक. जासूसी दल
करीब 400 चीनी सैनिकक अपना दिस एबाक सूचना अनलक. खबर भेटिते, सब सावधान भ गेल आ
अपन-अपन मोर्चे पर जूमि गेल. किछुए कालमें दुश्मनक आक्रमण भेलैक. कंपनी कमांडर
मेजर शैतान सिंहक नेतृत्व में जवान लोकनि डटिकय मुकाबला केलनि जाहिमें सैकड़ों चीनी
आक्रमणकारी मारल गेल. ओहि पहिल मुकाबलाक पछाति रजांग-ला पूबभरक नाला, जाहि बाटें
दुश्मन सब ऊपर चढ़ि रहल छल, दुश्मन सबहक लाशसबसँ नीक जकां पाटि गेल छल. फलतः, बंचल-
खुचल दुश्मन जान ल कय भागल. मगर ओहि दिन ई रजांग-ला पर चीनीसेनाक आखिरी हमला नहिं
छल; कनिए कालमें
चीनी सेना रजांग-लापर तेज बमबारी शुरू कर देलक. बमबारीक कारण बटालियन
मुख्यालय आ 'C' कंपनीक बीच टेलिफोन आ रेडियो संपर्क टूटि
गेलैक. रजांग-ला पहाड़क उंचाईक कारण भारतीय सेनाक तोपखाना रजांग-ला सेनाक कोनो
सहायता नहिं क सकल. उत्तरमें मगर हिल,
स्पेंगुर गैप, आ गुरुंग हिल पर गोरखा सैनिकसब फूटे चीनी
आक्रमणक सामना क रहल छल. माने, सबसं अलग-थलग रजांग-ला कंपनीकें पडोसी कंपनी वा बटालियन
मुख्यालय सहायताक कोनो आस नहिं. बुझबाक थिक, लद्दाखक ऊँच पहाड़ी क्षेत्रमें दुश्मनक अतिरिक्त ऑक्सीजनक कमी, आ भीषण जाड़ मनुष्यक दोसर घातक शत्रु
थिक. जाड़क अनुमान एना करू जे शून्य सं 30 डिग्री सेंटीग्रेड नीचा तापमानमें हाथक
घड़ी वा अश्त्र-शस्त्रजं अपन चाममें भीडि गेल तं चाम जरि जायत. एहन विषम परिस्थितिमें
दुश्मनक सेनाक चौतरफा प्रहार निरंतर जारी छल. तथापि, केओ हतोत्साहित नहिं भेल आ कुमाऊँनी
सेना आखिरी गोली, अंतिम जवान तक लड़बाक संकल्प केलक. स्वयं मेजर शैतान सिंह कखनहु मशीनगन
सम्हारथि, कखनो बंकर सबहक बीच दौगैत-भगैत जवानसब कें निर्देश
देथि, मनोबल बढ़बथि. एहि बीच हुनका अपना कतेक गोली लगलनि तकर हुनका
कोन परवाहि छलनि. बहुत सीमित संसाधन आ शत्रुक निरन्तर प्रहारक फलस्वरूप जखन गोला-बारूद निंघटय लगलैक तं जवानसब बेयोनेट फाइटिंग
आ हाथपायीक सहारा लेलक. कहल जाइछ
कतेक दुश्मन कें तं जवानसब पाथरपर पटकि यमराजक
द्वारि धरि अडियाति आयल. मुदा, बेहतर साजोसामान आ दुश्मनक असीमित संख्याक मुकाबलामें
महज़ शौर्य कतेक काल टिकैत. कहल जाइछ, 18 नवम्बर 1962 क भोर जे फायरिंग आरम्भ भेल छल से ओहि
दिन रातिक दस बजेक बाद जखन थम्हलैक तं सम्पूर्ण कंपनी अपन प्राणक बलि तं द चुकल छल
मुदा, एहि असंतुलित संग्राममें आखरी श्वासधरि
धरि लड़ैत-लड़ैत सैनिक लोकनि चुशूलक हवाई पट्टी तथा चुशूल-लेह सड़कपर शत्रु पयर नहिं
पड़य देलक. हमरा विश्वास अछि, रजांग-लामें वीरगति प्राप्त सैनिक लोकनिक अतुलनीय
शौर्य आ बलिदानक ई उदात्त गाथा अनन्त काल धरि देशवासीक हेतु
प्रेरणापुंज बनल रहत.
युद्ध समाप्तिक कतेक दिनक पछाति 96 गोट कुमाऊँनी
सैनिकक पार्थिव शरीरकें चुशूल आनल जा सकल. युद्धमें शत्रुले पाथर-सन कठोर सैनिक
सत्यतः बर्फ में जमिकय पाथर भ गेलाह छलाह.
दू टा बड़का पाथरक बीच मोर्चा सम्हारने मृत
मेजर शैतान सिंहक हाथमे तखनो कारबाइन मौजूद छलनि. हुनकर शरीरमें कुल नौ टा गोली
लागल छलनि. दाह-संस्कारक हेतु मेजर शैतान सिंह क पार्थिव शरीरकें राजस्थान में जोधपुर आनल गेलनि. मरणोपरांत मेजर
शैतान सिंहकें देश सर्वोच्च सैनिक सम्मान परमवीर चक्रसं राष्ट्र समानित केलक. बांकी
शहीद लोकनिक सामूहिक संस्कार पूर्ण सैनिक सम्मानक संग चुशूल हवाई पट्टी लगमें भेल.
ओहि पावन भूमिमें एखन रजांग-ला युद्ध स्मारक अछि. दर्जनों गोरखा वीर शहीद लोकनिक स्मारक सेहो लगहिंमें छनि. हमरा गौरवक
बोध होइत अछि आइ हम चुशूलक युद्ध स्मारक लग छी आ मातृभूमिपर अपन प्राणक बलि देनिहार वीरलोकनिकें सादर श्रद्धा सुमन अर्पित केलहुं-ए. 13 कुमाऊँ रेजिमेंट क पुनर्गठित 'C' कंपनी
नाम आब रजांग-ला कंपनी थिक
आ ई कम्पनी आब तेरह कुमांऊक सीनियर मोस्ट कम्पनी थिक. आब जखन लद्दाखमें पर्यटन बढ़ि
रहल अछि, नित दिन दूर-दूरसं भारतीय लोकनि एतय अओताह आ अपन गाम-नगर-शहरमें विस्मृत
योद्धा लोकनिक शौर्यक गाथा देशक भरिक नेना-भुटका आ नागरिक लोकनिकें सुनओथिन. स्मरण
राखी, युद्धमें शौर्यले जतेक सैनिकक सम्मान होइत छैक ताहि सं कतेक बेसी अनामा वीर इतिहासमें
विस्मृत रहि जाइत अछि; भारत-चीन युद्धमें अनुमानतः 3000 सैनिक अपन प्राणक बलि देने छलाह. तें, उचित
तं ई जे राष्ट्र प्रत्येक अनामा सैनिकक स्मरण करय आ श्रद्धाक तर्पण अर्पण करय.
अंतमें एकटा प्रसिद्द सेना नायक कार्ल वोन क्लौसवित्ज़ केर कथनकेर उद्धरण उचित
हयत.
"Woe to the Govt , which relying on half-hearted politics and a shackled
military policy meets a foe, who like the untamed mighty forces of nature,
knows no law other than his own power"
(ओहि सरकारकें विप्पतिक
भोग होउ, जे राजनितिक लाभ आ पूर्वाग्रहग्रस्त सैनिकनीतिक कारण अपन सेनाकें एहन
शत्रु , जे प्रकृतिक विभीषिका जकां अपन शक्ति अतिरिक्त आओर कथूक परवाहि नहिं करैछ, केर सामनाक लेल युद्धमें झोंकैत अछि).
ई कथन हम १९६२ ई. क भारत-चीन
युद्धक (भारत सरकारक) आधिकारिक इतिहासक उसंहार सं उद्धृत केने छी. हमरा जनैत आजुक राजनेतासबकें
एहि उक्तिसं सीख लेबाक चाहियनि.