Thursday, February 22, 2018

जुआक स्वर्ग : मायानगरी लास वेगस

लास वेगस  (Las Vegas )
स्वर्ग की थिक ? प्रायः एहन  काल्पनिक परिवेश जकर  सेहन्ता सम्भव अछि,  सदेह अनुभूति असम्भव. ई सत्य जे सबहक  सेहन्ता एक  नहिं. तें, भिन्न-भिन्न व्यक्तिक हेतु स्वर्ग सेहो भिन्न-भिन्न काल्पनिक परिवेश थिक. ककरो हेतु स्वर्ग कुबेरक राज्य  थिक, तं ककरो ले वैकुंठ स्वर्ग थिक . ककरो ले स्वर्ग इन्द्रक सभा थिक तं ककरो हेतु स्वर्ग असीमित भोगक सोपान. अमेरिकाक लास वेगस शहर  जुआरी लोकनिक स्वर्ग तं थिके, ई मायावी नगर विश्वभरिक पर्यटकले सेहो अद्भुत चुम्बक थिक.  लास वेगस आ ओतुका कैशिनो (जुआघर) सबहक नाम तं हमरा सुनल छल, किन्तु, एकर अतिरिक्त  हमरा वेगसक  सम्बन्धमें बेसी  किछु बूझल नहिं छल. सब प्रकारक पोथी पढ़बाक रुचि हमर पत्नी, रूपम, क विशेषता छनि. पढबाक निशां आ नीक स्मरण अनायास शिक्षाक अपूर्व सोपान थिक.  विश्वभरिक प्रसिद्द शहर-नगरसं परिचय आ रुचि सेहन्ताक हेतु अद्भुत खाद थिकै. अस्तु, 2009 में अमेरिका जेबाकाल जखन हम रूपमसं पुछ्लियनि, अमेरिकामें कोन-कोन शहर देखबाक नेयार अछि, तं, अनायास ओ लास वेगस देखबाक इच्छा व्यक्त केलनि.हमरा लोकनिकें  पहिने नार्थ कैरोलिना राज्यमें चैपल हिल जेबाक छल , आ  पछाति अमेरिकाक पूर्वी तट ( eastern seaboard ) देखबाक छल.  ओतयसं लास वेगस छ घंटाक फ्लाइट. माने,  बहुत दूर. हमरा कनेक आसकति अवश्य  भेल.  किन्तु, भारतसं अमेरिका जाउ आ देखबाक मनोरथ जकथक ल कय आपस आबि जाउ से नीक नहिं. अस्तु , हमरा लोकनि लास वेगस केर ट्रिप बनाओल. ज्ञातव्य थिक, अमेरिका-सन विशाल देशमें अनेक टाइम जोन छैक. लास वेगस पश्चिमी समय क्षेत्रमें अबैछ. नार्थ कैरोलिनाक चैपल हिल केर नजदीकी हवाई अड्डा  रॉली डरहम सं लास वेगस  छ  घंटाक हवाई यात्रा. तथापि हर्ष आ उत्साहक कमी नहिं. ई हमरा लोकनिक पहिल विदेश यात्रा जे छल. सर्वविदित अछि, अमेरिका में बहुतो  ठाम शाकाहारी भोजन ताकब कठिन होइछ. मांसाहारीओले सबकें ओतुका निरामिष भोजन ग्राह्य नहिं. अस्तु, अपन रुचिक आ तुरत खयबाजोग  भोजन संग में राखब नीक . हमरो लोकनि सएह कयल. लास वेगस  यात्रासं पहिने  संगमें किछु बिस्कुट-निमकी-भूजा, आ एक डब्बा पनीरक बनल मधुर, राजभोग, राखल. हमरा लोकनिक सूटकेसमें ओएह राजभोग चार्लोट्सविल एअरपोर्टपर सुरक्षाक घंटी बजा देलकै. ई हमरा लोकनि ले नव अनुभव छल. समस्या छलैक, टिनकेर डब्बा. ताहिमें चासनी- जेली. आ चासनीमें गोल-गोल पदार्थ. अस्तु, हमरा लोकनिक राजभोगक स्वरूप एक्स-रे मशीनमें  विस्फोटक-बम  जकां प्रतीत भेलैक ! अस्तु, हमरा लोकनिक बैग तुरत अलग राखल गेल. सुरक्षाकर्मी लोकनि तुरत बजाकय पुछ्लनि, 'बैग में की अछि ?' हम  कहलिअनि, 'मधुर छैक, बैग  खोलि कय देखा दैत छी'. आ से कहैत सूटकेस दिस बढ़लहु, तं एके स्वर में सब गोटे, 'हां, हां' करैत बाट छेकि लेलनि. पछाति एकटा दोसर सुरक्षाकर्मी जे प्रायः विस्फोटक वस्तु सबहक जांच-पड़तालक विशेषज्ञ छलीह, अयलीह. बैग दूर में एक कात राखल छल. हम गेलहुं. सुरक्षाकर्मी लोकनिक जखन अनुमति भेल, सब गप्प बुझाकय लेबुल सहित राजभोगक  डब्बा देखौलियनि. सुरक्षाकर्मी लोकनि आश्वस्त भेलाह, आ अंततः  मधुरक डब्बा भेटि गेल. किन्तु, आगूले कान पकडल. आब, अमेरिकामें कहियो  रसगुल्ला आ राजभोग बैगमें ल कय  यात्रा नहिं करब !
मुदा, आगूक यात्रा सुखद रहल. जुलाईक मास अमेरिकाक पूर्वी तटीय इलाकामें मौसम खूब सुखद.  ने रौद  तिक्ख, आ ने वायुमें कोनो सर्दी. हवाई जहाज में विण्डो-सीट नेने रही. भरि बाट आस-पासक इलाका देखैत गेलहुं. ज्ञातव्य थिक, अमेरिकाक कुल क्षेत्रफलक मात्र 2 प्रतिशत इलाकामें आबादी छैक. ताहि पर सं बाट में तटीय इलाका सब में, जेना, टेनेस्सी, नार्थ कैरोलिना आ साउथ कैरोलिना में  बहुत ठाम खूब सघन जंगल. नेवादा राज्य मूलतः मरुभूमि छैक. किन्तु, व्यवसायी प्रवृत्ति आ टेक्नोलॉजी जंगल में मंगल, अर्थात मरुभूमिके स्वर्ग बना देने अछि. ततबे नहिं, 1930 क दशकमें पड़ोसी राज्य एरिज़ोना आ नेवादाक बीच कोलोराडो नदी पर निर्मित हुवर-डैम पानि आ बिजलीक समस्याक समाधान सेहो क देलकैक. संगहिं हूवर-डैम आ कोलोराडो नदीक विशाल बीहड़ सब एतुका अतिरिक्त आकर्षण थिक जकरा देखबा ले लाखों पर्यटक लास -वेगस आ बौल्डर सिटी अबैत छथि. एताबता हमरा लोकनि वेगस पहुँचबा सं पूर्वहिं आकाश सं हूवर डैम आ ग्रैंड- कैनियन ( कोलोराडो नदीक बीहड़) देखि लेल. ज्ञातव्य थिक, लास  वेगस सं एहि दुनू स्थानक हेतु नित्य हेलीकाप्टर आ रोड ट्रिप जाइछ. टाका तं अपने, आ सेहो यु एस डॉलर में, लागत. एहि यात्रा में हमरा लोकनि तकर प्रावधान नहिं केने छी. अर्थात् बुडबकक खेती अगिला साल.
हूवर डैमक जलाशय 

ग्रैंड कैनियन : कोलोराडो नदीक बीहड़ 
माने,  हूवर डैम आ ग्रैंड- कैनियन ( कोलोराडो नदीक बीहड़) क यात्रा अगिला बेर हेतैक. मुदा,  हूवर डैम आ ग्रैंड- कैनियन ( कोलोराडो नदीक बीहड़) सं बेसी रोमांचक हमरा तेसरे वस्तु आकाश सं देखा गेल : नेवादा टेस्ट साइट. भारत-जकां अमेरिकाक नेवादा परमाणु परीक्षण इलाका (नेवादा टेस्ट साइट ) ने घेडल-बेढ़ल छैक आ ने ओहि इलाकाक उपर सं हवाई-जहाजक यातायते पर कोनो रोक छैक. तें, भूमिगत परमाणु परिक्षणक कारण भेल बालुक टिपिकल ढेर हमरा सहजहिं आकृष्ट केलक. परमाणु परिक्षण रेंज कें आकाश सं देखव हमरा ले एकटा नव अनुभव छल.कहल जाइछ, साठिक दशक में एतुका लोक परमाणु बम परीक्षणक कारण भूमि से आकाश दिल उठैत धूल आ बालुक गोबरछत्ता सद्यः देखने छल. स्पष्ट छैक, परमाणु विकिरणक दुष्प्रभाव तं ओहि धुआंक संग बहिना थिकैक . तखन ओकरा के रोकत  ! किन्तु , शीत युद्धक युगमें महाशक्ति सबकें तकर कोन परबाहि छलैक !
नेवादा टेस्ट साइट : भूमिगत परमाणु परीक्षण अवशेष स्पष्टतः देखबा में अबैछ 
लास-वेगस अमेरिकाक नेवादा राज्यक शहर थिक . पहिलुका युग में ई इलाका विशाल मरुभूमि आ घासक क्षेत्र छलैक जकर वर्णन 19 म शताब्दीक पूर्वार्द्धमें स्पेनिश यात्री लोकनि केलनि . एहि मरुभूमिमें घास आ पानिक अनेक श्रोत  देशक यात्री ले  तहिया वरदान छलैक. पछाति एतय शहर कोना बसल आ गेमिंग ( जुआ कें एतय गेमिंग वा खेल कहैत छैक ) क व्यवसाय  कोना ठाढ़ भेल से तं सर्वविदित अछि. सारांश में, ई शहर बसल 20 सदीक प्रथम दशक में . किन्तु शहरक प्रसार भेलैक 20 वीं सदीक चारिम दशक में जखन हुवर डैम बनब  आरम्भ भेल. किन्तु, लास वेगस केर एखनुक स्वरुपक उदय तखन भेलैक जखन विगत शताब्दीक 30 ई . क बाद जुआ वा गैंबलिंग ( gambling ) शब्द म सं अंग्रेजीक b आ l अक्षर कें निकालि जुआक नाम गेमिंग (gaming) क देल गेल. आब भांग कें भांग कहियौक व विजया, खायब तं  नशा तं लगबे करत. गैंबलिंग ( जुआ ) कें गेमिंग ( खेल ) क नाम द देलासं जुआ कानूनी व्यवसाय भ गेल. फलस्वरूप गेमिंग वा जुआ एतय एकटा उद्योग क रूप ल लेलक. फलतः, सम्पूर्ण विश्वक धनाढ्य वा जुआसं धन कमाकय रातिए-राति धनाढ्य बनबाक इच्छुक उद्यमी लोकनिक कें  लास वेगस तहिना आकर्षित करय लागल जेना चुम्बक लोह कें करैत अछि . स्पष्ट छैक जखन एतेक समृद्ध लोक एतय अओतैक तं रहबाक आ भोग-विलासक सब सुविधा आ उपकरण तं चाहबे करी. अस्तु, लास वेगस में होटल, कैसिनो (जुआ-घर), बैंक, अपार्टमेंट ब्लाक, अस्पताल, मनोरंजनक हेतु शो' सबहक विकास भेल आ लास वेगस वा  वेगस विलासिताक स्वर्ग भ गेल . पछाति लास वेगस में हॉलीवुड शो , विभिन्न प्रकारक खेल , म्यूजिक अकादेमी, शिक्षाक सुविधा, सब किछु विकसित होइत गेलैक. इएह सब विकास वेगसक वर्त्तमान स्वरुपक  इतिहास थिक .
रॉली - डरहम सं यात्रा आरम्भ केने रही तं प्रायः भोर केर सात बाजल रहैक. छः घंटा यात्राक पछाति लास वेगस पहुंचला पर दिन केर साढ़े नौ बाजल रहैक ; सब किछु टाइम-जोनक कमाल. भोरुका समय. चारू तरफ इजोत. नव जगह में दिन-देखार पहुंचब हरदम नीक होइत छैक. एअरपोर्ट केर आगमन लाउन्ज में स्लॉट -मशीन केर पतियानी. डॉलर खसाऊ आ भाग्य अजमाऊ . संयोग एहन जे हमरा ने भाग्य पर भरोस अछि , आ ने भगवान पर. तखन अपन कमायल टाका कें सोझे खाधि ( स्लॉट-मशीन ) में फेकि  दियौक ई कोन  बुधियारी भेल ! पत्नी कें पुछालियनि,  की विचार ? हुनका भाग्य आ भगवान दुनू पर भरोस छन्हि, तें प्रायः गाड़ी चलल जा रहल अछि . किन्तु, ओहो कमायल  टाका कें स्लॉट-मशीन में फेकबाक पक्ष में नहिं छलीह. अस्तु, मुफ्त में डॉलर कमयबाक इहो अवसर हाथ सं चल गेल ! अस्तु, आगू बढ़लहूँ . एग्जिट गेट पर टैक्सीक काउंटर छलैक. टैक्सी काउंटरपर जेबाक आ  वापसीक टैक्सी बुकिंग  सेहो भ गेल. लागल, वेगस में यात्रा दिल्ली सं आसान छैक. छोट-सन टूरिस्ट इलाका, कनिए काल में अपन होटल मार्डी ग्रा बेस्ट वेस्टर्न में पहुंचि गेलहुं. ओतहु सबसं सामने स्लॉट-मशीन. होटल में चेक-इन भेल , समान राखल . किछु हल्का-फुल्का जलपान भेलैक. आ सोझे 'द  स्ट्रिप' केर यात्राक नियार भेल. एतय 'द  स्ट्रिप'  सं कने परिचय आवश्यक. करीब 7  कि. मी. लम्बा सोझ सडक, 'द  स्ट्रिप', वेगस में शैलानी-पर्यटकक हेतु मक्का आ वेगस केर पर्याय थिक. वेगस केर सबटा पैघ-पैघ होटल, रेस्तौरां, दोकान-दौड़ी, कैसिनो आ टूरिस्ट आकर्षण, होटल बलाजियोक नचैत फब्बारा, एही सडक - द स्ट्रिप- क दुनू कात भेटत. अस्तु, एतय अहाँ डेरा कतहु दी, शहरक चहल-पहल देखय  चाहैत छी,  प्रसिद्ध सात सितारा होटल सबहक मीलों लम्बा carpeted, शीतल सुखद  वीथीमें  मटरगस्ती करय  चाहैत छी, स्लॉट मशीन वा कार्ड टेबुल पर भाग्य अजमाबय चाहैत छी, तं ' द  स्ट्रिप' सं नीक अओर कोन जगह भेटत ! हमरा लोकनि ताही ले एतेक दूर आयल छी. अस्तु, स्ट्रिप दिस चली.

एहि ठाम वेगस में सब बाट स्ट्रिपहिं दिस जाइछ . अस्तु, जे होटल स्ट्रिप पर अछि तकर तं गप्पे नहिं. आन सब होटल में चौबीसो घंटा फ्री शटल उपलब्ध रहैछ जे होटल सं ल कय स्ट्रिप पर निर्धारित स्थान पर अहांकें पहुंचा आओत . फेर वापस अयबाक हो तं होटलक गाड़ी स्ट्रिपहिं पर भेटि जायत. होटल आबि  जाउ. ओना शहरमें यातायात ले मोनोरेल ( कंक्रीट केर पिलर केर उपर लाइन ) सेहो छैक. ज्ञातव्य थिक, वेगस-सन शहर में दिन-रातिक कोनो अंतर नहिं : 'या निशा सर्व भूतानि , तस्यां जागर्ति 'वेगस' ! तें, जखन मोन हो होटल में रहू, वा  होटल सं निकलू, तफरी मारू . वेगस जगले भेटत.
हमरा लोकनि तं दिन दुपहरिया वेगस पहुँचल रही . तखन कोन  समस्या. दुनू गोटे शटल में बैसलहु आ स्ट्रिप धरि पहुँचि गेलहु. मुदा, नव जगह में जं आंखि खोलने रही तं बहुत किछु नव देखबा में आओत . एतय एहि मिनी बस केर ड्राईवर अपन डैश-बोर्ड पर एकटा शीशाक गिलास रखने छलाह. ओहि में किछु डॉलरकेर नोट, किछु खुदरा कैंचा. गिलासक कात में एकटा 1 फुट लम्बा 4 इंच चौड़ा सूचना पट: 'ड्राईवरक आधा सं बेसी आमदनी केवल टिप वा खुदरा बख्शीश सं होइत छैक.तें, जतबे हो, बख्शीश दय   ड्राईवरकें प्रोत्साहित करी.'  बख्शीश मंगबाक ई अनुपम परिपाटी भारत में तं देखल नहिं छल. पछाति अमेरिका में आन ठाम एअरपोर्टहु पर देखलियैक,  बाथरूम ( अमेरिकन भाषा में रेस्ट रूम ) में बख्शीशक  हेतु शीशाक गिलास आ गुलदस्ता में फूल एक कात राखल . माने , रेस्ट-रूम क सफाई सं सन्तुष्ट छी तं सफाई कर्मचारी कें प्रोत्साहित करियनु . बात  बेजाय नहिं लागल . होटल सब में सेहो बिल सबहक नीचा टिप केर अलग प्रावधान . सेवा सं संतुष्ट छी तं द्रव्य दिऔक !
द स्ट्रिप: जं वेगस केर शहर केर स्वादय चाहैत छी तं स्ट्रिप पर एकटा चाही . टहलबा सं अशक्त छी, वा टहलब पसिन्न नहिं अछि तं सिटी बस पकडू . एकटा टिकट में भरि दिन , जतेक बेर जतय जेबाक हो स्ट्रिप पर फेरी लगा सकैत छी . हमरा लोकनिक स्ट्रिप केर यात्रा होटल बलाजियो लग सं शुरू भेल . होटल बलाजियोक आगूक  अंगनै में पानिक अद्भुत फब्बाराक  समूह छैक, जे सुनने छलहु, पूर्व नियोजित संगीतक धुन पर क्रमशः बदलैत पानिक फुहारक  नृत्यक दृश्य प्रस्तुत करैछ. तें ई बूझब कठिन नहिं जे सांझुक पहर एहि म्यूजिकल आ डांसिंग फाउंटेनक अद्भुत दृश्य देखबा ले फब्बाराक  चारूकात  पर्यटक लोकनिक मेला किएक लागि जाइछ. आइ सांझ में हमरो लोकनि एहि फब्बाराक नज़ारा देखब, आइसक्रीम खायब आ वेगस ट्रिपक उत्सव मनायब.

होटल बलाजियोक सामनेक फुट ओवेरब्रिज पार करैत हमरा लोकनि होटल सीज़रर्स पैलेस जयबाले विदा भेलहुँ तं ओवेरब्रिजहिं पर आसन जमौने एकटा सत्यवादी पर नजरि  गेल . गोर चमड़ी, अधबयासाहु व्यक्ति , दढ़ियल  स्वरुप. सज्जनक सामने दाहिना कात कार्ड बोर्डक सूचना पट्ट आ आगूमें शीशाक एकटा खाली बियर मग. बोर्ड पर सविनय निवेदन : 'हम फूसि नहिं बजैत छी, हमरा बियर ले टाका चाही !' माने,  जतेक टाका वा  भजोखाक श्रद्धा हो एहि सत्यवादी भिखारिकें बियरकेर हेतु द दियनि. ज्ञातव्य थिक, यूरोप-अमेरिका में मदिरा पान पाप  नहिं जीवन पद्धति बूझल जाइछ. आ जेना ई व्यक्ति शहरक मुख्यमार्ग पर बियरक हेतु दिन-देखर याचना करैत छलाह ताहि सं प्रतीत भेल , वेगस में एहि प्रकार याचना सेहो गैर कानूनी नहिं. अओर एकटा गप्प; एतय टाकाक ततबे मोल छैक जे दोकान दौरीमें  वस्तुक दाम देलाक बाद जं अहांक हिस्साक एकहू सेंट ( एक पैसा ) बंचि गेल तं दोकानदार 1 सेंट अवश्य वापस करताह. गहिंकी सेहो अपन शेष पैसाक  अपेक्षा करैत छथि . एतय अक्सर सुनबैक, money is money अर्थात् टाका, धन  थिकैक.
रोड ओवेरब्रिज पार करैत हमरा लोकनि होटल सीज़रर्स पैलेसमें दाखिल भेलहुँ. भारतक विपरीत वेगसमें होटल सब पब्लिक प्लेस थिकैक. तें कतहु कोनो वर्जना नहिं, जतय मों हो बेरोक प्रवेश करू . एहि सब होटलक व्यापारे पर्यटक पर निर्भर छैक. वेगस   आबि एहि बड़का-बड़का  होटल में रहनिहार पर्यटकक हेतु आवासक हेतु प्राइवेट भाग एहि होटल सब में अवश्य फूट  छैक. आवासीय इलाका दिन भरिक घुमैत पर्यटकक हेतु अवश्य वर्जित होइत छैक. होटल सीज़रर्स पैलेस अद्भुत अछि. एक बेर पैसि गेलहुं तं लागत जे कोनो नगर में आबि  गेल छी. मीलों लम्बा वीथी . सैकड़ो मूर्ति, पेंटिंग, कलाकृति, रेस्तौरां, बार, स्लॉट-मशीन, गेमिंग टेबुल. रेस्तौरां सबहक सजावट देखि कय चकबिदोर लागि जायत. एतय एकटा रेस्तौरांमें बैसबाक जगह केर आगूक सजावट एकटा नाओक आकारक. नावक निचला दिस ऐतिहासिक सुंदरी आ सम्राज्ञी क्लेओपेट्राक कमनीय छवि. छवि में दर्जनों वर्ण, सैकड़ो सजावट.
गेमिंग एरिया सीज़र्स पैलेस होटल
खोमचामें दोकान
सीज़र्स पैलेस क एकटा सजावट : क्लियोपेट्रा
आस-पास में  खोमचामें सिगरेट-सलाई आ  चॉकलेट बेचैत सुंदरी लोकनि. सत्यतः, साफ-सफाईक आलावा एतुका खोमचा आ सकरी-निर्मली रेल मार्गक खोमचामें कोनो अंतर नहिं. दाहिना-बामा, जे किछु आकृष्ट करय, देखू, कीनू, बेसाहू. बैसि  जाउ, वेगस केर आनंद लियअ. आगू बढ़इत जाउ. एकाएक लागत जे होटल सं निकलि दिनुका नीलाकाशक नीचा आबि  गेल छी. किन्तु, से सत्य नहिं . ई एतुका टेक्नोलॉजीक कमाल थिक. एहि ठाम एक होटल वीथी दोसर होटल धरि तेना पसरल अछि जे  कखन एकटा होटलक सीमा समाप्त भेल आ कखन दोसर होटल में प्रवेश क लेलहु, कतेक बेर बुझबा में नहिं आओत. एहि होटल सबहक भीतर  अनेक प्रकारक खेल-तमाशाक हॉल, रंगशाला, म्युजियम, आ भोजनालय भेटत. कतेको में  एंट्री फी लगैत . चाही तं अनेक होटल, आ  अनेक दर्शनीय स्थल केर एके टा संयुक्त कार्ड यात्रासं पूर्व अमेरिकाक कोनो शहरमें कीनि लिअय . एहि सं काफी टाकाक बचत आ  अनेक  ठाम  टिकट  किनबाक हुज्जतिसं सेहो बंचि जायब.
वेगस आयल छी. जुआमें  टाका कमेबाक लोभ नहिं. किन्तु, कौतूहल नहिं से कोना कहब. अस्तु, स्लॉट मशीन ले दस-दस डॉलरक टिकट किनल. दुनू गोटे भाग्य अजमायब आरम्भ कयल. स्लॉट मशीन आदतन टाका गिड़इत चल गेल. पढ़ल अछि, जेना सिनेमाक हीरो सब अद्भुत चमत्कारसं वा अलौकिक भाग्यक बालें सिनेमा सब में लाखों टाका बैसल-बैसल जीति  जाइत छथि, सामान्य जीवन में स्लॉट-मशीन पर तकर सम्भावना नगण्य. अर्थात्, स्लॉट-मशीन पर विरले व्यक्ति जैकपॉट पबैत छथि. तखन हमर भाग्यक भूत  कोन  एहन बलवान अछि, जे हम जैकपॉट जितब . अस्तु, हमर लगभग 19.99  डॉलर  बूडि गेल. किन्तु, 1 सेंट शेष छल. स्लॉट मशीन तकर टिकट  बाहर फेकि देलक. हम टिकट उठाओल आ कौतूहल में अपन 1 सेंट नगदी लेबा ले कार्डके लगेक कैश-मशीन में द देलियैक. हमरा तं छगुन्ता  लागि गेल. मशीन तुरत 1 सेंट केर सिक्का उगीलि देलक. वाह रे 1 वेगस ! वाह रे अमेरिका ! सत्यतः, हमरा विश्वास भ गेल जुआ में सेहो इमानदारी होइत छैक !
आइ भोरे सं जागल छी. काफी घूमब फिरब भ गेलैक. आब किछु भोजन आ विश्राम होइक. सांझुक पहर फेर ' द स्ट्रिप ' पर . वेगस में कतहु सं विदा हयब, सब बाट एत्तहि  आओत: द स्ट्रिप धरि.

सांझमें वेगस :    आइ सांझ में होटल सं विदा भेलहुँ त ड्राईवर प्रायः बेल्जियमक निवासी छलाह. पूछलनि, अहाँ लोकनि यु के सं आयल छी ? प्रायः भारतीय अंग्रेजी अमेरिका में ब्रिटिश इंग्लिश जकां प्रतीत होइत छैक. अमेरिकहु में जतेक इलाका, जतेक प्रकारक मूल निवासक नागरिक तेहने भाषा. एतय तं सत्यतः केओ  चीनसं आयल अछि , तं, केओ फिलिपीन सं. केओ  आयरिश थिक, तं, केओ स्पैनिश, अफ़्रीकी, वा डच. माने, अमेरिका विभिन्न मूल, विभिन्न संप्रदाय, विभिन्न राष्ट्रक नागरिक लोकनिक घोर-मट्ठा थिक. एतुका असली आदिवासी, जकरा ई लोकनि अमेरिकन इंडियन कहैत छथिन ओ तं आब बुझू म्यूजियम पीस भ गेल, जकरा शिक्षा आ नौकरी में प्राथमिकताक अवश्यकता पड़ैत छैक. नहिं तं शिघ्रे ओ सब तेना उकन्नन भ जायत जें एतुका आदिवासी लोकनिक पूर्वज लोकनि अमेरिकाक मानचित्रपर सं विलीन भ गेल छलाह.
आइ  संझुक पहर हमरा लोकनि कें होटल बलाजियोक कोरिओग्राफ्ड फब्बारा देखबाक छल, से देखल. चकित भेलहुँ आ आनंद लेल.
सांझुक पहर एतुका रंग-रभस केर बाज़ार गर्म भ जाइछ. सुन्दर नारि लोकनिक पोस्टकार्ड साइज़क फोटोक थाककें गफियौने, नारि आ पुरुष लोकनिक झुण्ड  गहिंकिक अन्वेषण में रोडक काते-कात सब ठाम भेटि जेताह. एहि ठाम वेश्यावृत्ति लाजक गप्प नहिं , व्यवसाय थिकैक. रूचि अछि अपन मोन कें संतुष्ट करू. रूचि  नहिं   अछि, सोझे बाट देने चलैत चल जाउ. केओ  परेशान नहिं करत. सत्य पूछी तं हमरा तं वेगस अत्यंत टूरिस्ट फ्रेंडली लागल. कतहु कोनो खतरा नहिं. सम्पूर्ण शहर आगंतुक लोकनिक स्वागत में तत्पर. एहना स्थिति में जखन सुनैत छियैक जे भारतक अमुक शहर व नगर में विदेशी नागरिकक संग एहन व एहन अपराध वा बलजोरी भेलैक तं आत्मा कानि उठैत अछि आ मोन  ग्लानि सं भरि जाइछ. जं भारत कें विश्वमें पर्यटनक केंद्र बनेबाक अछि तं भारतक प्रत्येक नागरिक कें ई सुनिश्चित करय पड़तनि जे विदेशक  वा  स्वदेशक , एसगर व ग्रुप में , पुरुष वा  नारि ककरो सं बलजोरी नहिं होइक. ककरो संग  अपराध नहिं होइक. अन्यथा 'अतिथि देवो भव' नारा मात्र नारा रहि जायत आ व्यक्ति विशेषक व्यक्तिगत पराभवकेर गाथा इन्टरनेट पर एतेक दूर धरि क्षणहिं में विश्व भरि  में पसरि जायत जे भारत वा  भारतक कोनो राज्य व नगर टूरिस्टक लिस्ट पर सं क्षणहिं में बिला जायत.
वेगस में दोसर दिन अओर बहुत किछु देखबाक नेयार छल. किन्तु, भोरे-भोर कतय जायब. तें आइ बेरुका पहरक प्रोग्राम बनलैक. एहिठाम 'स्ट्रिप'हिं पर घुमबाक अछि . फ्रेमोंट स्ट्रीट नहिं जायब . जिनगी जान-बंचलैक तं दोसर बेर. फ्रेमोंट स्ट्रीट एतुका पुरान इलाका थिकैक. स्ट्रिप पर देखबाक आकर्षण बलाजियो आ सीजर्स पैलेस तं काल्हि देखल. आब एतुका एफिल टावर, पिरामिड, वेनेशियन, मैडम तुसाद म्यूजियम आदि  देखब बांकी अछि. विश्व केर एतेक रास विभिन्न भवन, वास्तुक संकलन कारण हम वेगस कें मायानगरी कहैत छियैक. माया, अर्थात्  भ्रम. अर्थात जे देखि रहल छी ओ असली नहिं छियैक . तें  नकली एफिल टावर, पिरामिड, वेनेशियन, मैडम तुसाद म्यूजियम देखू आ यूरोप भ्रमणक मनोरथ पूर्ण करू.

एफिल टावरक ऊपर 




एफिल टावर सं वेगास केर विहंगम दृश्य
 ई भेलैक ने माया. अस्तु, दस-दस डॉलर केर टिकट किनल आ हमरो लोकनि एफिल टावर पर चढ़ि वेगसकेर विहंगम दृश्य देखल. आब फ्रांस जहिया जेबाक अवसर अओतैक असली एफिल टावर पर सेहो चढ़ब. टहलैत-टहलैत हमरा लोकनि वेनीशियन होटल में सेहो गेलहुं. वेनिसक तर्ज पर छोट कैनाल, अनेक गोंडोला, नाविक, वेनेशियन म्यूजिक , आ पोसाक- पहिनावा. मुदा, एतय हमरा लोकनि गोंडोला राइड दूरे सं देखल. म्यूजिक तं कतहु रहब कानमें अयबे  करत. होटल पालाजोमें मैडम तुसाद केर म्यूजियममें विश्व-प्रसिद्द हस्ती सबहक आदमकद आ सजीव-सन मूर्ति सब देखल. टिकट भरिगर: 28 डॉलर प्रति व्यक्ति. एतय  बराक ओबामा, माइकेल जॉर्डन, क्वीन एलिज़ाबेथ, इंदिरा गाँधीक संग फोटो घिचाओल.
मैडम तुसाद: माइकेल जॉर्डनक संग

निकोलस केज आ प्रशंसक
 रूपम हॉलीवुड कलाकार निकोलस केज आ अभिनेता एल्विस प्रिस्तलेक संग सेहो  फ़ोटो घिचओलनि. म्यूजियमक एक कात में कोनो भुतही डरावना रास्ता सेहो रहैक. विचित्र रोशनी, भयानक चित्र आ अकस्मात अबैत ध्वनि आ स्वरुपसं लोक कें भय आ रोमांचक अनुभव होइत छैक. हमरातं भयक अनुभव नहिं भेल. रूपम  ओहि गुफा में जयबासं मना क देलनि. बड  बेस.
रातुक भोजन ले हमरा लोकनि एकटा भारतीय शाकाहारी होटल ताकल. होइत छल वेगस में भारतीय भोजन भेटत कि  नहिं . किन्तु, तकला सं भगवानो भेटैत छथिन.घुरती में  स्ट्रिपपर फुटपाथ पर चलैत एकता भारतीय सीनियर सिटीजन दम्पति भेटलाह. पतिदेव केर हाथ में एक दर्ज़न पानिक बोतलक भरिगर पैक. दम्पति एतुका प्रसिद्द होटल सीज़रर्स पैलेस में डेरा देने छथि. किन्तु, सात सितारा होटल में पानि अमोल भ जाइछ. तें एतबा तरद्दुद में कोन  हर्ज़. हमरो लोकनि दू दिन सं वेगस में तफरी मारि रहल छी . आब काफी भेलैक. आब होटल चली. होटलक शटल लगहिं  में भेटि गेल. आब आराम हेतैक आ काल्हि चैपल-हिल आपस .


Saturday, February 3, 2018

योरप यात्रा : बोस्टन , विलियम शेक्सपियरक शहर, आ सर आइजक न्यूटनक हवेली

बोस्टन (लिंकनशायर)
बोस्टन इंग्लैंडक पूर्बी तटपर एकटा छोट, किन्तु ऐतिहासिक शहर थिक. हमर पत्नीक   जेठ भाई, मिथिलेशजी, बहुत दिन सं एत्तहि रहैत छथि. अस्तु, एतय हमरा लोकनि  हुनके ओहिठाम पहुनाई में आयल छी. आइ वृहस्पति थिकैक. रवि दिन भोरे लन्दन-हीथ्रोसं  हमरा लोकनिक चेन्नईक  वापसीक फ्लाइट अछि. आइ हमरा लोकनि भोरे ट्रेन सं एडिनबरा सं विदा  भेलहु. यॉर्क में ट्रेन बदलि लिंकनशायरमें, ग्रैन्थम स्टेशन अयलहु. भय छल, छोट स्टेशनपर  उतरबा सं पहिनहिं ने ट्रेन खुजि जाय. टी टी ई आश्वस्त कयलनि, ' विश्वास राखू, यावत अहांलोकनि नहिं उतरब, ट्रेन नहिं खुजतैक.' सएह भेल. ग्रैन्थम स्टेशनतं बुझू अपन लोहना रोड. तथापि समानता सं बेसी भिन्नता छैक. स्टेशनपर मिथिलेशजी स्वयं आयल छलाह. हुनकर ठेहुन एखन कज्जी छनि, हाथमें छड़ी ल कय चलैत छथि. तथापि, अपने गाड़ी चलाकय आयल छथि, ताहि सं द्रवित तं भेवे केलहुं, हुनक सौजन्य सं अभिभूत हयब उचिते. भारतमें हमरा लोकनि आगंतुककें स्टेशनपर सं ल अबैत छियनि  आ पुनः पहुंचाइओ दैत छियनि. से नव नहिं, किन्तु, ई बिलेंत थिक. एहि ठाम ऑफिस में टोपी खूटी पर टांगि भरि नगर घूरि एबाक संस्कृति नहिं.
रूपम आ मिथिलेशजी
ग्रैन्थम सं बोस्टन, करीब तीस मीलक दूरी में करीब एक घंटाक समय लागल. दिनक समय, साफ़ मौसम. इलाका देखैत, गप्प-सप्पमें कखन बोस्टन आबि गेलहुं, बुझबो नहिं केलिएक. प्रसन्न मन आ प्रिय जनक संगति जतबे नीक होइछ, ओ ततबे द्रुत गतिएँ बीति जाइछ. मिथिलेशजीक आवास अपने भवनमें एतुका गार्डनर-वाक इलाका में छनि. इलाका शान्त आ हरियर छैक. सुनैत छी एतुका शान्ति आ जनशून्य वातावरण देखैत, सद्यः भारतसं  आयल एकटा सज्जनके ततेक आश्चर्यनक लगलनि जे, गृहपतिकें पूछि देलखिन, 'आइ एतय कर्फ्यू लागल छैक कि ?' हमरा लोकनि ताहि चिंता सं मुक्त छी. आब दू दिन एतय विश्राम, गप्प-सप्प आ भ्रमण हेतैक.
मिथिलेशजी एवं हुनक पत्नी, सीमा, हमरा लोकनि स्वागत-सत्कारमें पूरा तत्पर तं छथि. सीमा गृहणीक अतिरिक्त  लेखिका सेहो छथि. हमरा हुनकर रचनाकारक व्यक्तित्व  आकृष्ट करैत अछि. कारण, 'स्वान्तः सुखाय ( writing for pleasure)' रचनाक हेतु मनुष्यकें जेहन स्वप्न-द्रष्टा हेबाक चाहियैक, सीमा से  छथि. अपन दंभमें हुनका  हम समान-धर्मा कहि सकैत छियनि. किन्तु, लेखक हेबाक हमर अपन अनुभूति एखन हमर चेतना धरि नहिं पहुँचल अछि. सीमा निरंतर लिखैत छथि.  पछिला दस वर्षमें करीब दर्ज़न भरि अंग्रेजी उपन्यास लिखि चुकल छथि. ई कोनो छोट उपलब्धि नहिं. वस्तुतः, हम कोनो आओर एहन मैथिल आप्रवासी नारिसं परिचित नहिं छी जे एतेक निरन्तरतासं लिखबा में लागल होथि. सीमा  कहलनि,  ओ प्रतिदिन दू-चारि पृष्ठ अवश्य लिखैत छथि.  हमरा लगइए, प्रत्येक लेखक जं प्रतिदिन किछु-ने-किछु अवश्य लिखय तं अल्प जीवनकालहु में बहुत उपलब्धि सम्भव छैक. किन्तु, बहुत गोटे जे हमरा जकां मूलतः लिखबाक व्ययसाय में नहिं छथि, अनियमित लेखनक कारण किछु कीर्तिमान नहिं बना पबैत छथि. मिथिलेशजी सेहो प्रायः ताही कोटिक सुशुप्त, सुनगइत कवि छथि, जनिक साहित्यकारक छवि  मित्र आ परिवारजन कें छोडि अनका बीच अपरिचिते छनि .  तें एखन दुनू  गोटक बीच केवल सीमा अपन प्रकाशित कृतिक  बलें  साहित्यकारक मंचक अधिकारी छथि.

25  जुलाई 2014.
आइ मिथिलेशजी हमरा लोकनिकें बोस्टनक लोकल मार्केट, वा हाट कहू , देखबय ल गेलाह .  एत्तहि लगे में ऐतिहासिक चर्च 'द बोस्टन स्टंप ' देखल.

बोस्टन स्टंप
एतेक पुरान पूजा-स्थल इतिहासकार लोकनिक हेतु अनुसन्धानक विपुल सामग्री द सकैछ. तथापि हमरा-सन जनसामान्य ले सेहो अनेक जगजियार ऐतिहासिक तथ्य  आकृष्ट केलक. एहिमें प्रमुख अछि, ओहि बोस्टन निवासी लोकनिक सूची जे एतय सं अमेरिका जाकय ओतुका अनेक राज्य आ शहरमें महत्वपूर्ण पदकें सुशोभित करैत गेलाह वा ओतय जीवनक अनेक क्षेत्रमें कीर्ति पताका फहरौलनि. ज्ञातव्य थिक, 17-18 वीं शताब्दी में सम्पूर्ण योरप सं हजारोंक संख्यामें उद्यमी लोकनि अमेरिका तटपर पहुँचैत गेलाह. बुझबाक थिक ओहि युग में योरप विश्वले एहन बैमान पडोसी नहिं छल जे खेतक आरिकें सहे-सहे थोड़-थोड़ क घुसकबैत छल. बल्कि, योरोपीय आप्रवासी लोकनि ओहि युगक एहन लैंड-शार्क सब छलाह जे सम्पूर्ण विश्वमें जतय जे भूमि खाली भेटलनि  हथियबैत चल गेलाह. तथापि, अजुका लैंड-शार्क लोकनिक विपरीत, जे एकड़-दू  एकड़, बीघा - दस बीघा हथियबैत छथि , योरोपीय उपनिवेशवादी लोकनि देशक- देश, महासागरक  द्वीप, सागर-समुद्र , आ पहाड़ किछु नहिं छोड़लनि. एहि में -अस्त्र-शस्त्रक बल, छल-छद्म, साम, दाम, दण्ड, भेद सब किछुक प्रयोग भेल. किन्तु, साम्राज्यक निर्माण सुलभ तं छैक नहिं. हँ, विश्वक बन्दर बाँटमें हिनका अपना लोकनिक बीच   द्वन्द-युद्ध,  शत्रुता  सेहो  भेलनि. किन्तु, से तं सबल-सामंत लोकनि में सब दिन होइते एलैये. विश्वभरिक हथिययबाक एहि अभियानक फलस्वरूप  18-19 शताब्दीमें उपनिवेशवादी लोकनि विश्वक लगभग 96 % भागपर अधिपत्य स्थापित क लेने रहथि. फलतः, विश्वभरि में नव-नव सीमा , नव-नव राष्ट्र आ नव-नव गुट बनल. नव-नव अधिपतिक उदय भेल. विश्व भरि में नव-नव आ अपरिचित नामक शहर-नगर सब बसल. ब्रिटेन सं दूर अमेरिकामें यॉर्क  सं न्यू यॉर्क , इंगलैंड  सं न्यू इंगलैंड, जर्सी सं न्यू जर्सी , बोस्टन, प्लायमाउथ, बरमिंघगम आ रानी-राजकुमारीक नाम पर कैरोलिना, चार्लोट्सविले आदि स्थापित भेल. बोस्टनक एहि चर्चक सम्मान-सारणीपर  ओही अप्रवासी लोकनिक नाम अंकित अछि जे अमेरिकाक विभिन्न शहर-नगरक मेयर, राज्यक गवर्नर, वा सेना-नायकक पद समय-समय पर सुशोभित कयलनि.
नव क़द्रदानक आशामें कुकुर
एहि ठाम हाटक आस-पास एकटा आओर नव वस्तु देखबा में आयल. स्वस्थ सं ल कय बूढ़- ठेढ़ धरि, अनेक वयसक आ अनेक जातिक कएक टा कुकुर एडॉप्शन ले स्वामीक संग, नव स्वामीक आशामें  प्रतीक्षारत छल. कुकुर सं प्रेम अछि, ल जाऊ. किन्तु, कुकुर पोसब सुलभ नहिं. ई बड़का दायित्व थिक. कुकुर  अहांक रक्षा करत. किन्तु, ओकरो आंग-स्वांग हेतैक. अहूँ के सेवा करय पडत. ख़ास क आइ-काल्हु फ्लैट धरि सीमित  जीवनमें गाम-गमाइत, यात्रा -टूरक समय कुकूर गराक घेघ साबित भ सकैत अछि. ताहि पर विकसित देशमें पशु-पक्षीक अधिकारकें नहिंइ बिसरी. मानवाधिकार ? मनिवाधिकारक परिभाषा अहाँ कतेक सबल छी ताहि पर निर्भर अछि !
26 जुलाई 2014:शेक्सपियरक नगर स्टेटफोर्ड-ऑन-एवन
शेक्सपियर बर्थ ट्रस्ट
आई हमरा लोकनि मिथिलेशजि संग प्रसिद्द नाटककार-कवि विलियम शेक्सपियरक नगर स्टेटफोर्ड-ऑन-एवन  (अर्थात एवन नदीक कछेर पर स्टेटफोर्ड ) जायब. ई नगर शेक्सपियरक जन्मभूमिक रूपें प्रसिद्द अछि, जेना विस्फी विद्यापति जन्मभूमि थिक. किन्तु, दुनू में महान अंतर छैक. एतय विश्वभरिसं वर्षमें  लाखो पर्यटक अबैत छथि , किन्तु, बिस्फ़ी बहुत मैथिलकें बुझलो ने हेतनि.
शेक्सपियरक पैत्रिक आवासक एक दृश्य
 स्टेटफोर्ड-ऑन-एवनमें 'शेक्सपियर बर्थप्लेस ट्रस्ट' नामक संस्था शेक्सपियरक जन्मस्थानकें राष्ट्रिय स्मारकक रूपमें चलबैत अछि. ई संस्था शेक्सपियरक  जन्मस्थान, हुनक कृति, पाण्डुलिपि, एतुका संग्रहालय, आ  शेक्सपियरसं सम्बन्धित अभिलेख, फोटो सब किछुक संरक्षण आ प्रदर्शनक भार उठौने अछि. बाहर सं अयनिहार आगंतुक-पर्यटक पहिने संग्रहालयक प्रदर्शन कक्ष होइत जन्म-स्थानक परिसर में अबैत छथि जाहिमें अनेक भवन छैक. एहि सब म सं शेक्सपियरक जन्मस्थान बला भवनमें उपलब्ध सामग्री आ शेक्सपियरेक युगक परिधानमें उपस्थित कार्मिक लोकनि विगत युग एकटा रोचक परिदृश्य प्रस्तुत करैत छथि, जे पर्यटककें सोझे ओहि बीतल युगमें ल चलैछ जहिया ई प्रसिद्द विभूति एहि भूमि पर जनमानस आ प्रशासकक मनोरंजन करैत रहथि . एहि परिसरक फुलवारीमें एककात कविकुल गुरु रवीन्द्रनाथ  ठाकुरक बस्ट हमरा लोकनिक हेतु गौरव थिक.
कविकुलगुरु रवीन्द्रनाथ ठाकुर
 दू विभिन्न युग दू टा समानधर्मा कीर्ति पुरुषक एक ठाम दर्शन सं  गौरव बोध भेल. सुनैत छी, एहि ठाम एहि शहरक दोसर भागमें शेक्सपियरसं सम्बन्धित अओर अनेक स्थल छैक. किन्तु, हमरा लोकनि आइ  स्टेटफोर्ड-ऑन-एवनक एहि महत्वपूर्ण यात्रासं संतुष्ट भ  एत्तहि यात्रा समाप्त कयल, आ घरमुहां भेलहु.

27 जुलाई 2014 : सर इस्साक न्यूटन केर हवेली: वूल्सथोर्प मैनर
सर न्यूटनक पैत्रिक आवास
आइ पुनः आस पासक इलाका देखबाक योजना छैक. प्रसन्नताक विषय जे आइ हमरा लोकनिक गाइड में मिथिलेशजीक बालक सुयश सेहो हमरा लोकनिक संग छथि. एहिसं पूर्व हमरा लोकनिक लन्दन प्रवासक बीच सेहो सुयश हमरा लोकनिक भेंट करय आयल छलाह. नीक लगैत अछि. सुयश नेना सं युवक भ गेल छथि. लन्दनकेर रीडिंग इलाकामें कार्यरत छथि. आइ सप्ताहान्तमें माता-पिताक संग छथि, आ हमरा लोकनिक संग पूरि रहल छथि. एहि सं नीक की चाही. अजुका यात्रा लगेक ग्रैन्थम शहर लग, प्रसिद्द गणितग्य, वैज्ञानिक आ दार्शनिक सर इस्साक न्यूटन केर आवास वूल्सथोर्प मैनर धरि हेतैक. ई कृषि प्रधान इलाका थिक. एतय न्यूटनक  गांओ में आब हुनक  वंशधर प्रायः केओ नहिं छथिन . अस्तु राष्ट्र एवं  विश्व स्वयं हुनक कीर्तिक आभामें अपना कें सम्मानित बूझैत अछि, आ हुनक विरासतकें भविष्यले जोगाकय रखने अछि. 
वूल्सथोर्प मैनर आवासीय भवन सबहक ओ समूह थिक जतय सर इस्साक न्यूटन अपन आरंभिक जीवन बितओने छलाह. कहल जाइछ,  हुनकर केम्ब्रिज प्रवासक अवधिमें ओतय  एकबेर प्लेगक प्रकोप भेल रहैक. अस्तु, न्यूटन ओहि समय में  केम्ब्रिज सं पुनः  अपन पैत्रिक आवासमें आबि गेल रहथि. एतय ओ  अनेक महवपूर्ण वैज्ञानिक प्रयोग आ अविष्कार केलनि जाहिमें गुरुत्वाकर्षणक सिद्धांत आ सम्यक गतिक सिद्धान्तक  प्रतिपादन शामिल अछि. गणितक क्षेत्रमें कैलकुलसक गणितीय विधि सेहो गणितमें  न्यूटनक मौलिक   योगदान  थिक. आब भारतमें नवराष्ट्रवादी लोकनि दावा करैत छथि, गुरुत्वाकर्षणक  सिद्धान्तक  मूल सेहो वेदे थिक ! अहोभाग्य !!
वूल्सथोर्प मैनर परिसर में देखबाक तीन टा प्रमुख आकर्षण अछि; न्यूटनक पैत्रिक आवासक भवन , न्यूटनक आविष्कार सबहक वर्किंग मॉडलक संग्रहालय , आ ओ ऐतिहासिक सेबक गाछ जकर फलक भूमि पर खसब, कहल जाइछ, गुरुत्वाकर्षण सिद्धान्तक बीआ न्यूटनक मस्तिष्कमें रोपलक.  सत्य जे होइक, किन्तु सेब केर भूमिपर खसलासं मस्तिष्कमें नव चेतनाक उदयक कथा एकटा गंभीर संकेत थिक. कारण, छोट वा पैघ घटना घटिते रहैछ. घटना प्रमुख नहिं थिक. घटनाक संज्ञान लेब, आ घटनाक पाछूक रहस्यक प्रति जिज्ञासा आ ओकर कारणक वस्तुनिष्ठ अनुसन्धाने नव तथ्यक रहस्योद्घाटन आ आविष्कारक जननी थिक. हमरा लोकनिक देशक तर्क शास्त्र आ मीमांसाक परम्परा एही श्रेणीक  जिज्ञासाक पृष्ठपोषक छल जे आब विलुप्तप्राय  भ चुकल अछि. कहितो छैक, 'वादे-वादे जायते तत्व बोधः' एकर चर्चा प्रसिद्द अर्थशास्त्री अमर्त्य सेनक पुस्तक ' The Argumentative Indian में भेटत .हमरा लोकनिक एखनुक शिक्षा प्रणालीमें जिज्ञासा आ नव  अनुसन्धानक स्थानपर केवल अंक हंसोथबाक प्रवृत्तिकें बढ़ाबा देल जाइछ. ई परिपाटी ज्ञान-विज्ञानंक प्रगतिक  बाधक थिक. शिक्षा पद्धतिक इएह अन्तर विकसित आ विकाशशील देश सबहक बीचक शिक्षा पद्धतिक मौलिक अंतर थिक. एखनुक समयमें  जं तर्क करबैक, प्रश्न पुछ्बैक, तं स्कूल-कालेज तं छोडू, विधान-सभा, लोक-सभा धरिमें कपार फोडि देत ! इएह थिक एखनुक नया भारत !किन्तु, वर्तमान शिक्षा पद्धति , जिज्ञासाक कमी आ वाद-विवादक अभाव भारतके knowledge economy नहिं बना सकत .
न्यूटन परिवारक बगीचामें इतिहास प्रसिद्द सेबक गाछ
वूल्सथोर्प मैनर परिसरक थोड़बे ऊँच,  किन्तु बेस चतरल ई सेबक गाछ ऐतिहासिक वृक्ष सम्पूर्ण विश्व सं अबैत पर्यटक आ शोधार्थी लोकनिक आकर्षण केंद्र थिक. एहि गाछक अनेक बह दूर-दूर धरि गेल अछि, आ एखन केम्ब्रिजक ट्रिनिटी कालेज  सं ल कय अमेरिकाक एम् आइ टी एवं चीनकेर टिनजियान विश्वविद्यालय  धरिक फुलबारीमें रोपल अछि, जेना अपना लोकनिक बोधगया क बोधि-वृक्षक बह श्रीलंका, जापान आ कतय-कतय ने गेल अछि .ततबे नहिं एतुका सेबक बगीचा में अनेको गाछ ऐतिहासिक सेबक बहे थिक.
हमरो लोकनि एहि गाछक पृष्ठभूमिमें फोटो झिकाओल आ आपस भ गेलहुं.  






मैथिलीकें जियाकय कोना राखब: समस्या आ समाधान

कीर्तिनाथक आत्मालापक पटल पर 100 म  लेख   मैथिलीकें जियाकय कोना राखब: समस्या आ समाधान  कीर्तिनाथ झा वैश्वीकरण आ इन्टर...

हिन्दुस्तान का दिल देखो