Sunday, July 28, 2019

साउंड- बाइट :मनसा आन्हर छै ?


मनसा आन्हर छै ?

नडुआर गाँओ लग जखन कमलाक बान्ह टूटल रहैक, निसाभाग राति रहैक.भोरे निन्न टुटलनि तं पत्रकार  लोकनि 
‘साउंड-बाइट’  उगाही में आइ एतय आयल रहथि.
मुदा, उंचका धूर पर  ठाढ़ पत्रकार, पांखुड धरि बाढ़िक पानि में डूबलि कोसिलाक मुंह लग माइक्रोफोन दैत जखन पुछलखिन: ‘यहाँ पर तटबंध  टूट गया है. एकाएक बाढ़ आ गयी है. आप लोगों को किन-किन कठिनाईयों का सामना करना पड़ रहा है ?’ तं बेचारिक मुंह सं बकार नहिं फुटलैक.
रसियारीबाली  कहुना सुखायल गोरहाकें आंटी-जकां बान्हि महाराजी पोखरिक मोहारक उंचका ढिमका धरि उगहबामें अपस्यांत छल. एकटा पत्रकार ओकरो मुंह लग माइक्रोफ़ोन सटओलनि आ तड़ातड़ प्रश्नक ढेर क देलनि : ‘चौबीस घंटा हो गया. आप बाढ़ से कैसे बंचे ?  आपको क्या कठिनाई हो रही है ? सरकार के तरफ से क्या-क्या सहायता मिल रही है ?’ किन्तु, उत्तरमें पुनः निःशब्द !
किन्तु, एहन हारि ! पत्रकार आगू बढ़लाह. भरि छाती पानि में ठाढ़ि सीताक कान्हपर बरख  डेढ़ेक नांगट नेना रहैक. एक गोटे  ओकरो दिस लपकलाह: 'बच्चों के देखभालमें क्या दिक्कतें आ रही है ?’
बूढ़ वयस, असक्क देह आ झलफल आँखि. मुदा, बुलंती मायक कान तेज छैक. ओकरा एहन अनटोटल तेहन असहाज भ गेलैक, हठात,  लग में ठाढ़ि कारोके दमसि पुछलकै, ‘ पुछही तं, मनसा आन्हर छै ! 
अन्ततः आयल एहि अनागत ‘साउंड बाइट’ सं पत्रकार लोकनि अवाक भ गेलाह ! किन्तु, तखन दिन बहुत बांकी रहैक  !!


Saturday, July 13, 2019

मूस आ काकोड़ सब फसादक जड़ि थिक

मूस आ कांकोड़ एके छिऐक

बिहार में नशाबंदी भेलै तं पुलिस पर आफद आबि गेल. जब्त कयल शराब कें, आ गिरफ्तार कयल मनुख कें, रखबाक जगह थोड़ होबय लगलैक. एहि दुनूमें पहिल समस्या पैघ रहैक. संयोग सं ई समस्या राता-राती समाप्त भ गेलैक, से लोक समाचार पत्रमें पढ़लक. किन्तु, एहि सं पुलिसकें  मथदुखी उखड़ि गेलैक; पुलिस मालखाना में जहां-तहां जमा करीब पांच लाख लिटर शराब मूस पी गेल रहैक.
मंत्री जी तामस में प्रतिज्ञा क बैसलाह जे ओ एहि नशाबाज मूसक जाति कें पकड़िए क रहताह. तुरत समिति गठित भेल. मुख्य सचिव स्वयं प्रतिदिन जांच केर प्रगतिक समीक्षा करय लगलाह.
किछु ठाम तं चश्मदीद गवाह सेहो आगू अयलाह. शपथ लेलनि आ बयान देलनि. संयोग सं सबहक बयान एके रंग.
- मूस केहन रहै ?
-मूसा रंग.
-आकार ?
-औसत.
-देखबा में ?
-दू आंखि, छोट मुह, पैघ मोंछ, आ बीचमें नाक.
जांच-समितिक अवधि तीन बेर बढाओल गेल, तखन सरकार विधानसभा में रिपोर्ट प्रस्तुत केलक, एहि क्षतिक.हेतु जिम्मेदार के छल एहि पर समितिक सदस्य लोकनि एकतम नहिं छलाह.तें, जिम्मेदारी स्थर करबाले दोसर समिति बनत. तत्काल सरकारक अनुशंसा रहैक जे जीव वैज्ञानिक लोकनिक दलकेर गठन कय मूस केर एहि नशाबाज जातिक अध्ययन कय मूसक एहि नव जातिक रिपोर्ट अन्तर्राष्ट्रीय वैज्ञानिक पत्रिका में छपय. सब दलक प्रतिनिधि लोकनि सदन केर मेज थपथपा कय एहि प्रस्तावक सर्वसम्मति सं समर्थन केलनि.एकर किछुए दिनक पछाति महाराष्ट्रमें बरखा सं बाढ़ि अयलैक. अचानक आयल बाढ़ि सं कोल्हापुर में अधरातिए बान्ह टुटल आ आधा गांओ क्षणहिं में दहा गेल. जल संसाधन मंत्री किछुए दिन पहिने एहि बान्हक उद्घाटन कय बांहि पुजबैत समाचार में आयल रहथि. आब बान्ह टुटलै तं पुनः समाचार में अयलाह. पत्रकार लोकनि फेर बाट छेकि लेलखिन.
- बान्ह कोना टुटलै ?
- प्राकृतिक विपदा.
- बरखा ? आ पहिले साल ?
- नः !
- माने ?
- कांकोड़ ! कांकोड़ बांध कें छवे मास में जंजल क देने रहै.
- संभव छै, शराबक बोतल खोलि शराब पीबै बला मूस बिहारी मजदूर सभक संग एतय धरि पहुंचि गेल हो ? ओकर दांत, सुनै छी, बड़ तेज होइछै.
- असंभव. ई समुद्री कांकोड़ क उपद्रव छी.
छितन मरड़ आ सुखदेब कामति बान्हक बंचल भाग पर बसल मजदूर कैम्प में अपन झोरा झपटा सम्हारबामें लागल रहथि. टीभी पर मंत्री जीक कबाइत सुनलनि.
छितन पुछलखिन,' ऐं यौ भैया, बहिं, ई कोन कांकोड़ छी, जकरा कारण बान्ह बहि गेल ?
सुखदेब कें हंसी लागि गेलनि, 'धुर बुडबक,  एतबो ने बुझै छहक. जकरा अपना ओतय मूस कहै छै, एतय तकरे कांकोड़ कहै छै. छिऐ दुनु एके ! एके रंग !!
छितन के बड्ड हंसी लागि गेलनि. कहलखिन, भैया, बड्ड भेलै मखौल, एक जूम तमाकू दियौ.
सुखदेब चुनौटी खोलि तमाकू निकालि तरहत्थी पर दुनू गोटे ले तमाकू लटाबय लगलाह.


मूसक व्यापार सोनाक खान

जखन सरकार अनुशंसा केलक जे जीव वैज्ञानिक लोकनिक दलकेर गठन कय नशाबाज मूस केर जातिक अध्ययन कय मूसक एहि नव जातिक रिपोर्ट अन्तर्राष्ट्रीय वैज्ञानिक पत्रिका में छपय आ सब दलक प्रतिनिधि लोकनि एहि प्रस्तावक सर्वसम्मति सं समर्थन केलनि, तं, एहि सं राज्य में वैज्ञानिक लोकनिक अनुसंधेय प्रवृति कें बल भेटलैक. राज्य केर सब विश्वविद्यालय सब एहि ले सुर्ख-रू भेल. किन्तु, वैश्वीकरण युगमें सरकार सब व्यापार सं अपन हाथ झीकि रहल अछि. विश्वविद्यालय सबकें सेहो अनुदान भेटब थोड़ भ गेलनि-ए. एताबता, एहने अनुसंधान हो जे उद्योग प्रतिष्ठान सब ले उपादेय हो आ औद्योगिक संस्था अनुसंधान कें देखैत अपनहिं अनुदान दिअय. बाहरी फंडिंग आ एप्लाइड रिसर्च क हेतु NIRF (National Institutional Research Framework)  रैंकिंग में सेहो फूट अंक भेटैत छैक. विश्वविद्यालय अनुदान आयोग सेहो NIRF रैंकिंग पर अनुदान देतैक. तें, सब किछु कें देखैत अध्यापक लोकनि दिल्लीक दौड़ लगौलनि आ अंततः अर्थ उगाही में सफल भेलाह.
किन्तु, वैज्ञानिक लोकनि कें मूस शराब पीबि गेल ताहि पर सोझे विश्वास नहि भेलनि. समस्या गंभीर रहैक. तें, एके समय में एक सं अधिक विश्वविद्यालयकें एहि समस्या पर काज करबाक अनुदान भेटल रहैक. प्रिन्सिपल इनभेस्टिगेटर सब पी एच-डी छात्र आ पोस्ट-डौक फेलो लोकनि चुनावले विज्ञापन देब आरंभ क देलनि. उम्मीदवारक चुनावमें कोनो अन्याय नहिं होइक ताहि ले मंत्री लोकनिक फोन आयब शुरू भेल. मूस पकड़बाक जिम्मेदारी पुलिस विभाग अपने ऊपर लेलक, जाहि सं अनुसंधान सं पुलिसक कहब - मूस शराब पी गेल- कें प्रमाणित करबा में सुविधा होइक. बोराक बोरा मूस पकड़ि प्रयोगशाला में आबय लागल. मूस केर श्वास में अल्कोहलक जांच ले थोक में माइक्रो ब्रेथलाइजर जापान सं आयातित भेल. किन्तु, कोनो मूस केर श्वास में अल्कोहलक कनिओ मात्रा नहिं भेटलैक. प्रिंसिपल इनभेस्टिगेटर लोकनि टेन्शन में आबि गेलाह. छात्र सबकें छात्रवृत्ति बंद हयबाक भय  होबय लगलनि. ताबते अचानक एक टा लैबोरेटरीक जांच में एकटा नव तथ्य बहरायलः अलकोहलक भंडार नष्ट भेना बरख दिन सं बेसी भ' गेल छलैक. मूस लोकनि क रक्तमें उपलब्ध अलकोहल किछु हवा में उड़ि गेल छलैक आ किछु अलकोहल कें लिवर आ किडनी साफ क गेल छल. अस्तु, अनुसंधान क एकटा नव प्रस्ताव लिखल गेल : जांच हो जे मूसक रक्त में अलकोहलक मेटाबॉलिज्म क हेतु मनुष्यक लिवर में उपल्बध इन्जाइम सं बेसी सक्षम एन्जाइम होइत छैक कि नहिं. करीब सौ करोड़ टाका आ पांच बरखक अनुसंधान सं ई साबित भेल जे मूस केर आनप्रजाति क विपरीत बिहारी मूस केर लिवरमें अलकोहल मेटाबोलाइज करबाक हेतु सत्यतः दोसर प्रकारक विलक्षण जेनेटिक क्षमता होइछ. एहि क्षमताक बलें अलकोहल मूस केर शरीर में जाइते ओकरा रमकी तं दैछ, किन्तु, क्षण भरि में करपूर भ श्वास क द्वारा बहरयबाक स्थान पर मूत्र द्वारा तेना विसर्जित होइछ जे मूस शराब पीलक कि नहिं से पता लगायब असंभव. यद्यपि एहि अनुसंधान ई सं साबित भ सकल जे सत्ते पुलिस विभागक मालखाना सं गायब सबटा विदेशी शराब मूसे पीने छल कि नहिं, तथापि रिसर्च के वाइ प्रोडक्ट केर रूपमें उपलब्ध आंकडा human application अद्भुत द्वार खोललक. निष्कर्ष ई जे,  जं मनुखक शरीर में एहि एन्जाइमक उत्पादक जीन  जीन थेरेपी सं पहुंचा देल जाइ, तं, ह्विस्की पीबि ड्यूटी पर जाउ वा हवाई जहाज उड़ाउ, पुलिस क बापो नहिं पकडि सकत ! दारू संगे नित्य मधुपर्क करू वा दारू मे हेलैत रहू, लिवर खराब नहिं हयत. शराबक बिक्री बढ़तैक फूटे. तमिलनाडु-सन राज्य जतय शराब बेचबाक दोकान केवल राज्य सरकार चलबैछ, मालामाल भ जायत. अतः ई अनुसंधान क्रांतिकारी प्रमाणित भेल.
आब सुनैत छी, बिहारी वैज्ञानिक लोकनि द्वारा एहि मूस केर जेनेटिक मैपिंगक खबरि जहिया सं प्रसिद्ध वैज्ञानिक पत्रिका Gene में छपल अछि, दुनिया भरिक जीन थेरेपी में लागल व्यापारिक कम्पनीक बिहारक विज्ञान आ सूचना प्रौद्योगिकी मंत्रालय क बाहर कतार लागल अछि. लगैछ, बिहार सरकार भरिए रातिमें बिलियन डौलर क सोनाक खान खूनि लेलक-ए. आब मूस बिहार क समस्या नहिं वरदान थिक ! अर्थशास्त्री लोकनि क अनुसार बिहारी मूसक, आ ओकर जेनेटिक मैपक, निर्यात सं बिहार में डौलरक अम्बार लागि जायत. आ बिहार सोझे विकसित राज्य सबहक अगिला पांति में स्थापित भ जायत. अहो भाग्य ! हं, जं ई प्रयोग सफल भेल तं भ सकैत अछि, बिहार सरकार नशाबंदी कानून कें निरस्त कय स्वयं विदेशी शराबक व्यापार में निवेश करय. माने, सरकारक दुनू हाथ लड्डू.

Monday, July 8, 2019

मैथिलीकें जियाकय कोना राखब: समस्या आ समाधान


कीर्तिनाथक आत्मालापक पटल पर 100 म  लेख 


मैथिलीकें जियाकय कोना राखब: समस्या आ समाधान 

कीर्तिनाथ झा

वैश्वीकरण आ इन्टरनेटक प्रचार सं समाज में अनेक दूरगामी परिवर्तन भेलैये. भाषाकेर प्रचार-प्रसारपर सेहो एहि दुनूक असरि अवश्य पड़लैए; किछु नीक, किछु बेजाय . तथापि, एहि युग में विश्व भरि में सैकड़ो भाषा विलुप्त सेहो भ रहल अछि. मैथिलीक अस्तित्व पर तत्काल कोनो संकट नहिं लगैछ ; एखन मैथिली बजनिहार बांचल छथि. तथापि, मैथिली विलुप्त हयबाक खतरा सं पूर्णतया सुरक्षित अछि, से कहब कठिन.  एहन स्थिति में जं मैथिली जीवैत अछि तं तकर श्रेयकेर दावेदार के छथि. आ जं मैथिली के विलुप्त हयबाक  खतरा छैक तं एहि हेतु कोन तत्व जिम्मेदार अछि. अछि एही विषय पर विचार करब एहि लेखकेर उद्देश्य अछि.
मनुखक जन्म-जकां भाषाक जन्म-मृत्यु निर्धारित तिथि सं नहिं होइछ. यद्यपि, भाषा वैज्ञानिक लोकनि भाषाक उद्गम आ विकासक आदि-अंतक अनुमान लगबैत छथि. मैथिली कें केओ 1100 सौ वर्ष पुरान कहैत छथि, तं, केओ 700 वर्ष पुरान. केओ एतेक धरि कहैत छथि जे मैथिली सीताक युगक भाषा थिक. सम्भव अछि, मैथिली सीता सं सेहो पुरान हो. जं, मिथिला नामक राज्य रहैक, तं, सम्भव अछि ओ राज्य सीता सं पहिनहु छल होइ. तखन सीतासं पहिनहु एतुका लोक वएह भाषा बजैत छल हयत जे सीता बजैत छलीह, सीता जनमिते तं कोनो नव भाषाक अविष्कार नहिं केने हेतीह. तथापि, एहि तर्क कें एखन एतहि विराम दी.
अनुभव आ भाषा विज्ञान दुनू एक मत अछि जे भाषाक स्वरुप निरंतर ओहिना बदलैत रहैछ जेना मनुखक स्वरुप. ततबे नहिं, एकेटा भाषाक भिन्न-भिन्न स्वरुप, बजबाक शैली, शब्द-भंडार आ लोकोक्तिक सम्पदा अनुभूत सत्य थिक. तें, मैथिली आरम्भमें केहन छल आ आगाँ केहन रहत, ‘देवो न जानाति, कुतो मनुष्यः’ ! हमरा जनैत भाषा समय केर चाक पर चढ़ल कुम्हारक हाथक माटि थुम्हा थिक जकर स्वरूप कांच माटिक विपरीत अत्यन्त मंद गतिएं निरंतर परिवर्तनशील रहैछ. व्याकरण एहि स्वरूप कें स्थिर करबाक जोगाड़ में लागल रहैछ. किन्तु, मनुखक जीह व्याकरणक अवहेलना करैत भाषा कें तरासैत ओकरा नव-नव स्वरूप दैत चल जाइछ. तें, शेक्सपियरक अंग्रेजी आ विद्यापतिक मैथिली एखनुक भाषा सं भिन्न बूझि पड़ैछ. किन्तु, ई विषयान्तर भेल आ  इहो विषय एहि लेख केर विवेचनाक विषय नहिं. तें, आब हमरा लोकनि सोझे एहि विषय पर आबी जे मैथिली जं जीवैत अछि तं ओकरा कतय सं ऊर्जा भेटैत छैक,  ओकर जडि में खाद-पानि - साहित्य आ व्याकरणक रचना आ राजनैतिक समर्थन- जे केओ दैत  होथु, मैथिली क वृक्षकें ग्लूकोज,  आ प्राणवायु कतय सं भेटैत छैक.
हमरा जनैत कोनो एक भाषाक मूलभूत ऊर्जाक श्रोत ओ नागरिक लोकनि छथि जनिका एक दोसरा सं संवादले मातृभाषा क अतिरिक्त आन कोनो भाषा क ज्ञान नहिं छनि.  किछु उदाहरण सं ई गप्प कनेक फडिच्छ भ सकैत अछि. 1999 वर्ष में हम जखन बंगलोर पहुंचल रही, कन्नड़ सिखबाक प्रबल इच्छा भेल छल. ओहि समयमें  बंगलोरक दैनिक टाइम्स आफ इंडिया में Know your Kannada नामक दैनिक स्तंभ छपैत रहैक. एहि स्तंभ में रोमन लिपि में कन्नड़ केर दैनिक उपयोगक कन्नड़ भाषाक वाक्य सब अंग्रेजी अनुवाद क संग देल जाइक. हम एकर कटिंग सबके संकलित कय एकटा कापी मे साटि कय राखी आ कन्नड़ सिखबाक प्रयास करी. किन्तु, एहिसं  हमरा कन्नड़ में कोनो दक्षता हासिल नहिं भ सकल. एकर विपरीत तहिया बंगलोरक  आर टी नगर में रहनिहारि किछु मैथिलानी लोकनि धुर्झार कन्नड़ बाजथि. हमरा अवश्य आश्चर्य भेल. पुछलियनि, तं, ओ लोकनि  कहलनि , 'जं हाट, मांछक बाजार आ मोहल्ला क दोकान-दौड़ी जाय लागब तं अपने कन्नड़ सिखल भ जायत ! ई गप्प हमरा युक्तिसंगत लागल. हम हाट, मांछक बाजार आ मोहल्ला क ओहि दोकान-दौड़ी नहिं जाइत रही जतय दोकानदार केवल कन्नड़ बजैत रहथि. हमर कार्य-स्थलमें (वायुसेना कमान अस्पताल मे) सेहो हमरा कन्नड़ बजबाक बाध्यता नहिं छल. ओतय  हमरालग अयनिहार अधिकांश रोगी कन्नड़ भाषी रहथि, किन्तु, हिन्दी-अंग्रेजी में दक्ष.  ओ लोकनि बोल-चाल में हमरा संग अंग्रेजी वा हिन्दीक प्रयोग करथि. अतः, ओतय  हम कन्नड़ नहिं सीखि सकलहुँ.  माने, बंगलोर  वायुसेना कमान अस्पतालमें, वा ओतय कतहु जतय हम बंगलोरमें जाइछ रही, हमरा वा ओतुका कन्नड़ भाषीकें  कन्नड़ बजबाक बाध्यता नहिं छलनि. किन्तु, अनपढ गंवार मैथिल, वा आन कोनो भाषा-भाषी कतहु जाथु,वैकल्पिक भाषाक अभाव में हुनका ले संवादक माध्यम मातृभाषा छोड़ि आन कोनो भाषा नहिं, जाधरि आवश्यकताक दवाबमें, ओ स्थानीय भाषा नहिं सीखि लेथि. तें, मिथिलाक ओ वर्ग जे मैथिलीए टा  बाजि सकैत छथि वा जनिका मैथिली बजबा में हीनताक बोध नहिं होइत छनि, मैथिलीक हेतु असली ग्लूकोज आ आक्सीजन वएह थिकाह. ई लोकनि केवल मैथिली बजिते टा नहिं छथि, अनको मैथिलीसं परिचित करबैत छथिन, ओहिना जेना, कन्नड़क अतिरिक्त अन्य भाषासं अभिज्ञ स्थानीय, मैथिल लोकनि कें, बाध्यतामें, कन्नड़ सिखा देलखिन ! तहिना, लोक भले भाषा बुझनु वा नहिं , केवल मैथिली-हिन्दीए टा बजनिहार जन-मजदूर तमिल, कन्नड़ वा मलयालीकें मैथिलीमें संबोधित कय, कम सं कम  मैथिली कोनो भाषा थिकैक तकर  बोध करबैत छथिन.   दु:खद थिक, हमरा-सन बहुतो शहरी मध्य वर्गक लोक गौरव में रहैत छथि जे मैथिली हुनके सहयोग सं जीवित अछि. दोसर दिस गाम-घर में मैथिली बजैत करोड़ों नागरिक एकर श्रेय लेबाक सोचितो नहिं छथि. गाम घरक लाखों एहन गरीब-गुरुबा आ निरक्षर  लोकनिकें इहो बूझल नहिं छनि जे ओ कोन भाषा बजैत छथि. मातृभाषासं अपरिचयक कारण पर वैज्ञानिक योगेन्द्र पाठक वियोगीजी अपन लेख ‘ बिनु जडिक गाछ’ पर विस्तृत विवेचना प्रस्तुत केने छथि. हुनक कथ्य ई जे, ‘अधिकांश के ई बुझले नहिं जे ओ कोन भाषा बजैत अछि’ .   सत्यतः, मिथिलांचलमें  बाल-वर्ग सं हाई स्कूल धरि शिक्षामें मैथिलीक आभाव छात्रकें ई अनुभव नहिं होमय दैत छनि जे जाहि भाषा ( हिंदी वा अंग्रेजी) में ओ लिखैत-पढ़इत छथि से हुनकर मातृभाषा नहिं थिकनि,आ हुनक मातृभाषा मैथिली थिकनि.’ ई पढ़ल लिखल लोकक गप्प भेल.  हमरा लोकनि निरक्षर तं गप्पे नहिं करी. फलतः, जनगणनाक खानापूर्ति में गणक लोकनि भाषामें  हुनकालोकनिक नामक सोझाँ हिन्दी वा कोनो आन भाषा दर्ज  करैत आयल छथिन, जाहि सं मैथिलीक अहित तं होइते छैक, मैथिलीक असली संरक्षक अपन अर्जित श्रेय सं अछूत रहि जाइत छथि.  तथापि, मैथिली क असली संरक्षक लोकनि इएह लोकनि  थिकाह तं इएह ! जनगणनाक एखनुक सन्दर्भमें प्रासंगिकता ई जे वर्ष 2021 में आगामी जनगणना हयत . ओही समयमे हमरा लोकनिकें सतर्क रहब आवश्यक जाहि सं मैथिली भाषी लोकनिक सही गणना  सुनिश्चित हो.
आब एहि विषय पर विचार करी जे जं मैथिली कें विलुप्त हयबाक संभावना  छैक तं एहि हेतु कोन-कोन  तत्व जिम्मेदार अछि.
भाषाक राजनीति जं बूझी तं मैथिलीक जडि पर असली कुडहरि साबित भेल. स्वतंत्रताक पूर्व सम्पूर्ण बिहारमें मातृभाषाक रूप में एकमात्र हिन्दीक स्थापना जं मैथिली  हित पर पहिल चोट छल तं अस्सीक दशकमें बिहारमें मैथिली, भोजपुरी, मगही, वज्जिका आदिकें दरकिनार करैत उर्दूके बिहारक दोसर सरकारी भाषाक रूप में दर्जा भाषा सबहक जडि पर दोसर एहन छौ छल जे मैथिलीक संग आन सब भाषाकें सोझे धराशायी क देलक. एहि सत्यकें के अस्वीकार करताह जे मिथिलांचल, मगध, वा भोजपुरी क्षेत्रमें केओ कोनो जाति-धर्म-संप्रदाय वा सामाजिक वर्गक होथि अपन परिवारमें स्थानीय भाषाक अतिरिक्त कदाचिते आन भाषा बजैत होथि. ओहिना, जेना, केरल, तमिलनाडु, बंगाल, कर्नाटक में सब स्थानीय भाषा बजैत अछि. हं, बिहारक विपरीत एहि दक्षिण भारत में सरकारी आ व्यक्तिगत काजो मातृभाषाए में होइछ.  ओतय मातृभाषाक अतिरिक्त लोक केवल अंग्रेजी सिखैछ. ई बात अवश्य जे बंगाल व दक्षिण भारतक राज्य सबहक विपरीत मिथिलांचलक मैथिली- भाषी राजनेता लोकनि, मैथिली साहित्यकार सहित, अपन-अपन पार्टीक भाषा-नीतिक अनुकूल पार्टीक मीटिंग, भाषण, मतदानक प्रचार सामग्रीमें  लम्बा अवधि धरि मैथिलीक ने प्रयोग केलनि, आ ने एखन धरि भाषाके स्थानीय राजनैतिक मुद्दा बनओलनि.  तथापि, मैथिलीकें संविधानक आठम अनुसूचीमें सम्मिलित कय लम्बा अवधि सं लम्बित मैथिलीक वैधानिक दावाकें स्वीकार करबाक तत्कालीन प्रधानमन्त्री स्व. वाजपेयीजीक योगदान मैथिलीक अभिवृद्धिमें सकारात्मक राजनैतिक पहल छल, जाहि हेतु  हमरा लोकनि वाजपेयी जीक प्रति कृतज्ञ रहब.
भाषाक एक भाषा सं दोसर भाषा क समागम भाषाक हेतु नीक थिकैक वा बेजाय ताहि पर प्रायः मतैक्य नहिं. किछु गोटेक मत छनि,  भाषा सबहक बीचक मेलजोल भाषाकें जीवन दान दैत छैक. किन्तु, किछु गोटे इहो कहताह जे एहि सं वर्णसंकर भाषाक उदय ( जेना, हिन्दी आ फ़ारसी सं उर्दू),  आ भाषाक विकृति, दुनूक संभावना रहैछ. फलतः,विश्व केर कतेक भाषा-भाषी, जेना, फ्रेन्च, लोकनि अपन भाषामें आन भाषाक शब्दक आमदक ततेक विरोधी छथि जे प्रतिवर्ष  नियमतः आन भाषासं फ्रेन्च मे आयल शब्दकेँ जजात महक मोथा-जकां बाछि कय बाहर फेकि अबैत छथि. एकर विपरीत अंग्रेजीभाषाक ऑक्सफ़ोर्ड शब्दकोष  प्रतिवर्ष आन-आन भाषाक नव-नव शब्दकेँ अपन शब्दकोषमें आनि ओकरा स्थापित आ परिभाषित करैत अछि . तथापि, विश्वमें अंग्रेजी क वर्चश्व बढ़िए रहल अछि. तें, हमरा जनैत, मैथिली में आन भाषाक एहन शब्द जकर पर्याय मैथिली में छैक, तकर अयलासं मैथिली क शब्द संसार क्षीण हयब संभव. किन्तु, नव अविष्कार, नव भोजन, परिधान आ उपकरणक नाम मैथिलीमें आयब उचित आ दुर्निवार दुनू. मैथिली एहि सं समृद्ध होइछ, दुर्बल नहिं.
अपना घरमें बोल-चालमें हिंदी-अंग्रेजीक प्रयोग एकटा नव रोग थिक जे मैथिली  कें दुर्बल करैछ. मैथिल मैथिली किएक नहिं बजैछनामक प्रोफेसर शंकर कुमार झाक लेख अस्सीक दशकमें पूर्णिया कालेजक पत्रिका में छपल छल, जाहि में प्रोफेसर झा एहि विषय पर गम्भीर विवेचना प्रस्तुत कयने रहथि. कालेज पत्रिकाक सीमित  परिधि आ प्रसारक बावजूद, संभव अछि, मैथिलीक गंभीर अध्येता क नजरि एहि लेखपर गेल होइनि. एहि लेखमें मैथिल लोकनि मैथिली किएक नहिं बजैत छथि व टूटल फूटल हिंदी बजैत छल ताहि पर गंभीर चिंतन छलनि. एहि लेखक एतय चर्चाक कारण ई जे ओहि लेख में लेखकक अनेक विचार विन्दुमें एकटा ईहो निष्कर्ष रहनि जे अधिकतर शिक्षित मैथिल टूटल फूटल हिन्दी आ अंग्रेजी बजबामें मैथिली सं बेसी गौरवक बोध करैत छथि. लेख पैघ छलैक आ निष्कर्षक बहुतो विन्दु आब स्मरण नहिं अछि. किन्तु, आइ  ओही लेखक प्रकाशनक करीब 30-35 वर्ष पछाति स्थिति खराबे भेलैये नीक नहिं. कारण, सब ठाम देखबा में आओत. यद्यपि ई सत्य, आइ रांची, गुवाहाटी, दिल्ली, देहरादून, रायपुर,मुंबई, हैदराबाद सबठाम मैथिल-मैथिलीक समुदाय सक्षम, संगठित आ सक्रिय छथि, किन्तु, एहि संस्था सबहक कतेक सदस्य लोकनि अपना घर में मैथिली बजैत छथि, से हमरा नहिं बूझल अछि. एतबा अवश्य, जे जं मैथिल लोकनि मैथिली नहिं बजताह तं मैथिली कोना जीवित रहती ! भाषाक मूल आ असली अस्तित्व तं लोक-कंठे थिकैक. लोक जं दिन-प्रतिदिन मैथिली नहिं बाजत तं भले कतबो साहित्य आ शास्त्र मैथिलीमें लिखल जाओ मैथिली संस्कृते-जकां केवल पुस्तकालयक शोभा बनि के रहि जेतीह.  तें, घर परिवारमें मैथिली बाजब मैथिलीक अस्तित्व ले ओतबे आवश्यक अछि जतेक मनुखक अस्तित्व ले भोजन , पानि आ वायु. तें, जे केओ घर परिवारमें मैथिली बजैत छी, निस्संदेह मैथिलीक आयु बढ़बैत छियैक. घर-परिवारमें मैथिली नहिं बजैत छी तं मैथिली दुर्बल होइछ.
        जेना, उपर चर्चा भेल अछि, प्राथमिक शिक्षामें माध्यमक रूपमें  मैथिलीक अभाव मैथिली प्रचार-प्रसारक मूल में तं अछिए, तथापि, एहि में संदेह अछि जे मैथिलीक कें शिक्षाक माध्यम भेलाक पछातियो, आ मिथिला नामक राज्यक स्थापनाक पछातिओ, शहरी मध्य वर्ग अपन धिया पुता के अंग्रेजी माध्यमक स्कूलमें पठयबाक स्थान पर मैथिली माध्यम स्कूल में पठओताह. संभव अछि, मैथिली-माध्यम स्कूल, मैथिली-मीडियम शिक्षा तखनो ओहने तिरस्कृत रहत जेना एखनहिन्दी मीडियम  अछि. एकर ई अर्थ कदापि नहिं जे हम शिक्षा में मैथिली माध्यम विरोधी छी.  सत्यतः, अंग्रेजी पढलाक व्यावहारिक लाभ सं अंग्रेजी सिखबाक सेहंता आ स्थानीय भाषाक प्रति हीनभावक दोष केवल शहरीए लोकनिकें नहिं छनि . ग्रामीण लोकनि के सेहो मनोरथ होइते छनि जे धिया-पुता अंग्रेजी में गप्प करय. पछिला बेर गाम गेलहुं तं हमर एकटा बाल-सखा, आग्रह सं कहलनि, ‘हमर छौड़ा काल्हि गाम आओत. कनिओ काल ले हम अहाँक गाम पर अवश्य अनबै. हमर छौड़ा  अहाँ सं अंग्रेजी में गप्प करत !’  एहि में हम कोनो खराबी नहिं देखैत छियैक. जं, कोनो ग्रामीणक धिया-पुता दक्षिण भारत वा मध्य-पूर्व विदेश में केवल एहि हेतु नौकरीक जोकर नहिं अछि जे ओ अंग्रेजी नहिं बजैत अछि, तं, ओकरा ले अंग्रेजी सीखब मुक्ति थिकैक. ओ अंग्रेजी अवश्य सिखथु. तथापि, जं, मिथिलांचलमें जं शिक्षाक माध्यम मैथिली भेल तं हमरा लोकनिक सम्पूर्ण समाजक आ राजनैतिक दल लोकनिक सम्पूर्ण समुदाय एकमत भ अपना नेना भुटकाक शिक्षाक लेल मैथिलीकें अपनयाबाक हेतु  सामान रूपें सहमत हेताह, कि नहिं, से के कहत .  तथापि, सबहक सहयोगक  बिना मातृभाषामें शिक्षा संभव नहिं. ततबे नहिं, मैथिलीक माध्यमे शिक्षाक प्रसारसं समाजमें उपलब्ध  भेल नव अवसर सं जं सबकें  सामान रूपें लाभ नहिं  भेलैक तं  भाषाक उत्थानमें सबहक सहभागिताक आशा केवल कल्पना बनि कय रहि जायत.  
एकटा आओर गप्प. वैश्वीकरणक युगमें भाषाक समसर्वत्रीकरण भ रहल अछि. गूगल,फेसबुक, ह्वाट्सएप, इंस्टाग्राम, टेलिग्राम प्रभृतिक अनेक अंतर्राष्ट्रीय मंचपर जहिना विश्वभरिक नागरिक एक दोसरासं जुड़ि रहल, तहिना रोमन अक्षर आ बहुभाषिक शब्द-भंडार भाषाक स्वरूपकें प्रभावित कए रहल अछि. ई परिवर्तन मैथिलीक अस्तित्व पर संकट थिक, वा  मैथिली भाषाकें समृद्ध करैछ, से भाषा- वैज्ञानिक लोकनि कहथु.


 





मैथिलीकें जियाकय कोना राखब: समस्या आ समाधान

कीर्तिनाथक आत्मालापक पटल पर 100 म  लेख   मैथिलीकें जियाकय कोना राखब: समस्या आ समाधान  कीर्तिनाथ झा वैश्वीकरण आ इन्टर...

हिन्दुस्तान का दिल देखो