माताक स्मृति : क्रिसमस आ भगवानक स्थान
हम 1993-96 क बीच बरेली छावनी, उत्तर प्रदेशमे पोस्टेड रही। छावनी सबमे अनेक पुरान चर्च भेटत। क्रिसमसक अवसर पर सबठाम सजावट होइछ। सेनामे सर्वधर्म समभावक वातावरण। सब केओ सब पर्वमे उत्साहपूर्वक शामिल होइछ। हमरोलोकनि सपरिवार चर्च सबहक सजावट देखए जाइ। दोस्त-मित्रक ओतय उत्सव मे भाग ली।
ओहि वर्ष माता संग छलीह। सजावट देखए सब गोटे बहरायल रही। बटलर प्लाजा चौराहा लग सड़कक दोसर पार एकटा पुरान चर्च छैक। ओकर परिसरमे 'नेटिभीटी' दृश्यक भव्य सजावट रहैक। गाड़ीसँ उतरि सब गोटे चर्चक परिसर दिस विदा भेलहुँ। माताक विषयमे हमरा शंका छल, जेथिन कि नहि। हम संकोचहिसँ माताकेँ पुछियनि,' चलबिही?'
ओ बिना कोनो शंका-समाधानकेँ सोझे कहलनि, 'चलू । की हेतै? भगवानक जगह थिकै।'
हमरा अपन शंका आ दुविधाक समाधान भेटि चुकल छल। ओहि बेर माता सेहो हमरा सभक संग चर्च परिसरक सजावट देखलनि।
No comments:
Post a Comment
अहाँक सम्मति चाही.Your valuable comments are welcome.