किएक ?
सब किछुक सुभीता , सब किछु ऐल- फैल खूब भबइए
मुदा पुरनका छूटल घाव किएक टहकैए ?
सबटा लगैए मिथ्या , सबटा थिकैक फूसि
मुदा, कंठ स बोली किए नै फूटै-ए ?
प्रगतिक दर छै अजगुत
मुदा , सर्बहारा रसातल में कथी ले धसै -ए ?
मनुखे थिक देवता , सब केओ थिका संत
तखनि , मनुख के मनुख किए ने सोहाई- ए ?