Showing posts with label कविता मैथिली. Show all posts
Showing posts with label कविता मैथिली. Show all posts

Saturday, March 21, 2026

किएक?


सूर्योदय 

समस्त जीव जगत केर जीवनक आधार

अजस्र ऊर्जाक अक्षय भंडार

सुदूर अंतरिक्ष निवासी निरंतर गतिमान 

अहाँक अप्रतिम आभासँ होइछ इजोत

तथापि, किएक रहि जाइछ?

अहंकारी मनुखक हृदयक 

कतेक कोण वज्र अन्हार,

जे ओ शान्ति-सुरक्षाक नाम पर

करैत अछि एतेक नरसंहार 

दैछ इसकुलिया नेनाक बलि,

दूषित करैछ, जल, वायु, पृथ्वी

आ सब किछु,

जे थिक,

मानवताक अस्तित्वक आधार।

मैथिलीकें जियाकय कोना राखब: समस्या आ समाधान

कीर्तिनाथक आत्मालापक पटल पर 100 म  लेख   मैथिलीकें जियाकय कोना राखब: समस्या आ समाधान  कीर्तिनाथ झा वैश्वीकरण आ इन्टर...

हिन्दुस्तान का दिल देखो