Saturday, May 7, 2016

साधारण लोक , असाधारण विचार


                स्व. तारानाथ झा,(1909-1981); ग्राम-अवाम, पोस्ट-झंझारपुर , जिला -दरभंगा 

जनसाधारणक जीवनी नहिं लिखल जाइछ . लिखल जेतैक तं पढ़तैक के? मुदा, साधारणों लोकमें असाधारण गुण आ विचार हयब  आश्चर्य नहिं .एहन गुण आ विचार कतेक बेर अपनहु परिवारमें देखबैक . मुदा, तकरा के लिखत , के कान-बात देतैक. ओनातं  अपन परिवारमें संगे-संग रहैत, लोक कें बेसी काल परिवारजनमें गुण सं बेसी अवगुण  देखबामें अबैत छैक ; खासक लोक जेना-जेना वयसाहु- बूढ़ होमय लगैछ, अनकर नजरिमे ओकर दोषक संख्या ओहिना बढ़य लगैछ, जेना, पुरान गाछक  सीलक गिरह  आ धोधरि बेसी जगजियार होमय लगैछ. तखन इहो सत्य जे  अपन परिवारक प्रशंसामें आत्मप्रशंसाक गंधतं  आबिए  जाइत छैक आ प्रशंसामें अतिशयोक्तिक भय सेहो रहैत छैक. माने, ओ वस्तुनिष्ठनहिं भेल. तथापि.
आइ हम अपन पिताक चर्चा करय चाहैत छी . एहि वर्ष हुनक मृत्युक ओतबे वर्ष जतबा दिन हमरा डाक्टर बनना भेले - 35 वर्ष .
ई गप्प हमर मेडिकल कालेज जीवनक अवधिक थिक . हमरा लोकनि 1973 ईसवीमें दरभंगा मेडिकल कॉलेजमें भर्ती भेल रही . ओही वर्ष हम कॉलेजक ओल्ड हॉस्टलमें डेरा लेल . प्रायः 20 x 20  फुट केर कमरा . चारिटा कौट, चारिटा टेबुल- रैक कॉम्बो, चारिटा खिड़की , एकटा दरवाजा, आ चारिटा विद्यार्थी - कीर्तिनाथ झा , विजय कुमार सिन्हा , सैयद मुसर्रत हुसैन , आ सतीश कुमार दास . ओहि युगमें, जहिया मेडिकल कालेजहुमें लोक जिला-जवारी आ जाति ताकि-ताकिकय विद्यार्थीसब  रूममेट केर मिलान करैत छल , तहिया ई व्यवहार क्रांतिकारी नहिं तं आधुनिक अवश्य छलैक . जे किछु .
हम जखन हॉस्टलमें रहय लगलहु, छठि - चौड़चनमें गामसँ सनेस ल कय दादा जखन दरभंगा आबथि तं होस्टलो आबथि . अपन युगमे व्यवसायें दादा जमींदारक तहसीलदार अर्थात revenue clerk रहथि . माने, अपना युगक सामान्य शिक्षित , तथापि प्रतिष्ठित.  औपचारिक शिक्षातं कमें छल हेतनि . विचार-व्यवहार आ नेम-नियम सेहो अपन युगक अनुकूल रहनि. नेनपनमें हमरा लोकनि दादासं डेराइत अवश्य रही, मुदा, हुनक स्वभाव सरल रहनि; क्रोधले नामी छलखिन अवश्य. तें नेनपनमें हमरा लोकनि दादाक संग बैसिकय गप्प करितहुं तकर ने लोककें पलखति रहै, ने घरमें तकर परिपाटी रहैक . तथापि , मेडिकल कॉलेज  अबैत -अबैत हमरा दादासं धाख कनेक छूटय लागल छल . मुदा, तकर पछाति दादा रहबे कहाँ केलाह ; इंटर्नशिप समाप्त भेले छल कि दादा तेहन रोग-ग्रस्त भेलाह जे तीन मासक भीतरे चलि गेलाह . 
आब गप्प पर आबी . एकबेर एहने पाबनि-तिहारक पछातिक कोनो अवसर पर दादा ओल्ड - हॉस्टल आयल छलाह . हम पुछलियनि , हमर कोठलीमें एकटा मुसलमानों छथि. (ओहि युगमें गाम-घरमें मुसलमान लोकनि गाम पर आबथि अवश्य  मुदा, ओसारापर वा इनारक चबूतरापर चढ़बाक परिपाटी नहिं रहैक). दादा कहलनि , कोनो बात  नहिं . हमरा कनेक हिम्मत बढ़ल . हम कहलियनि , दादा , कहियोकाल हमरा लोकनि एके थारीमें खाइयो लैत छियैक . दादा कहलनि , की हेतैक . अहाँक दोस्त थिकाह ने !
आइ सोचैत छियैक , तं आँखिमें नोर आबि जाइत अछि .समाजक साधारण मनुक्ख, दादाक, केहन असाधारण विचार रहनि !

No comments:

Post a Comment

अहाँक सम्मति चाही.Your valuable comments are welcome.

मैथिलीकें जियाकय कोना राखब: समस्या आ समाधान

कीर्तिनाथक आत्मालापक पटल पर 100 म  लेख   मैथिलीकें जियाकय कोना राखब: समस्या आ समाधान  कीर्तिनाथ झा वैश्वीकरण आ इन्टर...

हिन्दुस्तान का दिल देखो