Tuesday, November 10, 2020

ग्लौकोमा(Glaucoma)-कालामोतियासँ आँखिकें कोना बंचाबी

 

ग्लौकोमा(Glaucoma)-कालामोतियासँ आँखिकें कोना बंचाबी

ग्लौकोमा की थिक ?

ग्लौकोमा आँखिक संवेदी पर्दा-रेटिना- सँ  दृष्टिक-संवेदनाकें मस्तिष्क धरि पहुँचयबावला स्नायु- ऑप्टिक नर्व (optic nerve) केर रोग थिक, जकर प्रभाव अंततः मनुष्यक दृष्टि बाधित होइत छैक.

ग्लौकोमा विश्वस्तर पर वयस्क लोकनिक अन्धताक एकटा प्रमुख कारण थिक. व्यवहारिक रूपें, ग्लौकोमाकें  आँखिक रोशनी चोर कही तं अतिशयोक्ति नहिं होयत. मुदा, सर्वविदित अछि, जं साकांक्ष होइ तं चोरकें पकड़िओ सकैत छी. साकांक्ष नहिं होइ, तं  चोरि भइओ  जाय, से संभव. हं, कखनो चोर अनासयो पकड़ा जाइछ, सेहो संभव. ग्लौकोमा सेहो आँखिक ज्योतिक एहने चोर थिक. 

जनसामान्यक हेतु ग्लौकोमाक एहि संक्षिप्त चर्चाक उद्देश्य ग्लौकोमासँ आँखिक रोशनीकें बंचाव अछि.

जनस्वास्थ्यक समस्याक  रूपमें  ग्लौकोमा

विश्वस्वास्थ्य संगठन( WHO) क 2019 क आंकड़ाक अनुसार संपूर्ण विश्वमें करीब  45 लाख व्यक्ति ग्लौकोमाक कारण आन्हर छथि. अनुमानक अनुसार भारतमें 1 करोड़ 20 बीस लाख व्यक्ति ग्लौकोमा सं पीड़ित छथि आ करीब बारह लाख व्यक्ति ग्लौकोमाक कारण आन्हर छथि. अर्थात्  ग्लौकोमा आँखिसँ संबंधित एकटा प्रमुख जन-स्वास्थ्य समस्या ( Public Health Problem ) थिक, जे अधिकतर 40 सँ ऊपर वयसक व्यक्तिककें प्रभावित करैछ. उपलब्ध आंकड़ाक अनुसार ग्लौकोमासँ प्रभावित 90 प्रतिशत व्यक्ति अपन आँखि पर रोगक प्रभावसं  अभिज्ञ रहैत छथि. ई चिन्ताक विषय थिक.

सर्वविदित अछि, इन्टरनेटक युगमें सूचनाक कमी नहिं छैक.एखन फेसबुक आ  व्हात्सएप्प पर जतेक ज्ञानक गंगा बहैत अछि आ जेना सब आयुक लोक नित्तह मोबाइल-टीवी-कम्प्यूटरमें मुडियाडी देने रहैछ, तेना में लोक कें कोनो वस्तुक जानकरी नहिं छैक से विश्वासो करब आश्चर्य लगैछ ! तथापि, सत्य ई थिक जे समाजमें ग्लौकोमाक संबन्धमें लोकक जानकारी बहुत थोड़ वा नहिंए-जकां छैक. चकित करयवला गप्प ई थिक जे विकसित देशहुमें ग्लौकोमा रोगी सब म सँ करीब आधाकें इहो नहिं बूझल छनि जे हुनका ग्लौकोमा छनि. उत्तर भारतक ग्रामीण इलाका में तं ग्लौकोमाक जानकारी नहिंए सन छैक, से अनुसंधान सं विदित होइछ. तें, समय रहैत ग्लौकोमाक निदान हो, आ समाजमें ग्लौकोमासँ होइत अन्धताक रोकथाम हो ताहि हेतु एतय ग्लौकोमा संबंधी मोट-मोट जानकारी दैत छी.

आँखिक फोटो : ग्लौकोमाक अचानक आघात 

ग्लौकोमाक लक्षण

आरम्भमें अधिकतर आँखिमें ग्लौकोमाक कोनो लक्षण नहिं होइछ. तथापि,निम्नलिखित ग्लौकोमाक आरंभिक लक्षण थिक:

1.    कम इजोतमें चश्मा लगाइओ कय पढ़बामें में असुविधा

2.    बिजलीक बल्ब वा गाड़ीक हेड लाइट दिस देखलापर प्रकाशक श्रोतक  चारूकात इन्द्रधनुषी घेरा

3.    आँखिमें अचानक भयानक दर्द, लाली आ पानिक संग आँखिक रोशनी में भयानक कमी

उपरोक्त लक्षण वयस्क लोकनिक  ग्लौकोमाक लक्षण थिक. यद्यपि, ग्लौकोमाक असरि नेनाक आँखि पर सेहो भ' सकैत छैक. किन्तु, तकर चर्चा दोसर लेखमें.

जनिका ग्लौकोमा हयबाक बेसी संदेह होइत छनि   

1.    बढ़इत वयसक व्यक्ति  

2.    जनिका माता-पिता, भाई-बहिनकें ग्लौकोमाक रोग भेल होइनि  

3.    आँखिमें दूर देखबा (myopia) क हेतु चश्मा लागल होइनि  

4.    डायबिटीज( diabetes), ब्लड प्रेशर( systemic hypertension)केर रोग होइनि

5.    किछु दवाई, जेना स्टेरॉयड ( corticosteroid) क लम्बा अवधि धरि उपयोग करैत होथि

6.    आँखिक किछु रोग आ आँखिक पुरान चोट

ग्लौकोमाक जांच के करैत छथि ?

कोनो आँखिक चिकित्सक (eye specialist ) आँखिक जांच कय ग्लौकोमाक संदेह (Glaucoma suspect), आ  ग्लौकोमा (glaucoma)क निदान क सकैत छथि.

ग्लौकोमाक जांचमें की जांच होइत छैक ?

साधारणतया गलौकोमाक जांचक हेतु मूलतः निम्लिखित तीन टा जांच होइछ :

1.    आँखिक प्रेशर( Intraocular Pressure ) क जांच: ग्लौकोमा में आँखिक प्रेशर बहुधा बढ़ल रहैछ .  

2.    आँखिक पुतलीक आकार बढ़ाकय आँखिक स्नायु ( optic nerve head ) केर जांच आ फोटो :ग्लौकोमा जं-जं बढ़इछ आँखिक स्नायुमें परिवर्तन देखबामें आबय लगैछ.

3.   विसुअल फील्ड टेस्ट ( Visual field test )- अर्थात् सामने अतिरिक्त  कात करोट देखबाक आँखिक क्षमताक मशीनसँ जांच. ग्लौकोमा  विसुअल फील्डकें प्रभावित करैछ .

एकर अतिरिक्त आवश्यकता भेलापर आँखिक चिकित्सक आओरो  जांचक सलाह द’ सकैत छथि.

ग्लौकोमाक चिकित्सा( treatment) क उद्देश्य

आँखिक स्नायु (optic nerve) केर नुकसानककें रोकि आँखिक रोशनीकें बंचायब ग्लौकोमाक चिकित्साक मूल उद्देश्य थिक. एहि  हेतु आँखिक प्रेशरकें सामान्य( 16-21 mm Hg) वा सामान्यसँ नीचा राखि आँखिक स्नायु (optic nerve) कें नुकसानसँ बंचयबाक प्रयास कयल जाइछ. यद्यपि, ग्लौकोमाक जड़ि रेटिनाक  ganglion cell layer, जतयसं आँखिक स्नायु (optic nerve)  आरम्भ होइछ, में होइछ, किन्तु,एखन धरि ई बूझब संभव नहिं भेल छैक जे रेटिनाक ganglion cell layer क ह्रासक मूलमें की छैक. तें, ganglion cell layer कें बंचयबाक  सोझ तरीकाक  सेहो आविष्कार बांकीए अछि. सम्भव अछि, भविष्यमें  रेटिनाक ganglion cell layer कें बंचयबाक विधिक आविष्कार हो आ ग्लौकोमाक इलाज सहज भ’ जाय. मुदा, एखन तं आँखिक प्रेशरकेर कंट्रोल ग्लौकोमाक चिकित्साक एकमात्र विधि अछि.

ग्लौकोमाक चिकित्सा( treatment)

ग्लौकोमाक चिकित्सा कोना हयत से एहि पर निर्भर करैछ जे रोगीकें कोन प्रकार ग्लौकोमा छनि. एकर विशद वर्णन एतय उचित नहिं. तथापि, ग्लौकोमाक चिकित्सा तीन भिन्न-भिन्न विधि, वा एही सब विधिक संयोगसँ कयल जाइछ ; ओना:

1.    आँखिक प्रेशर कम करबावाला आँखिक बूँदक:

2.    लेजर द्वारा आँखिक चिकित्सा

3.    ऑपरेशन: बूँद वा लेजरक चिकित्साक असफलताक चिकित्सा ऑपरेशन सं कयल जाइछ.

सामान्यतया अधिकतर इलाज पहिने आँखिक प्रेशर कम करबावाला बूँदवाला औषधि वा लेजरहि सं शुरू होइछ.

ग्लौकोमाक परिणाम( prognosis)

समुचित इलाजसं ग्लौकोमाक कारण आँखिक रोशनी खराब हयबाक संभावना घटैत छैक. किन्तु, जं समय पर बीमारीक निदान नहिं हो वा निदान भेलो पर चिकित्सा नहिं भेल तं ग्लौकोमा आँखिक रोशनीकें समाप्त  कय सकैछ.

ग्लौकोमासँ  बंचाव: आँखि नियमित जांच आ ग्लौकोमाक समुचित चिकित्सा  

जेना ऊपर कहल गेल अछि, अधिक काल ग्लौकोमा बिना लक्षणेक आँखिकें खराब करैत चल जाइछ. तें, ई आवश्यक जे चालीस वर्षक वयसक उपरक व्यक्ति  समय-समय पर आँखिक  जांच कराबथि जाहिसं आरम्भहिं में रोग पकड़ल जाय  आ आँखिक ज्योति ग्लौकोमाक दुष्प्रभावसं बंचि सकय.

किन्तु, जनिका ग्लौकोमा हयबाक बेसी संदेह होइत छनि ओ लोकनि एकर बेसी ध्यान राखथि आ आँखिक जांच नियमित कराबथि. ग्लौकोमाक रोगीक दवाईक नियमित उपयोग करथि आ दोबारा कहिया जांच( follow-up visit ) तकर जानकारी संबंधित नेत्र चिकित्सकसँ अवश्य लेथि.

आँखिक नियमित जांच आ ग्लौकोमाक समुचित चिकित्सासँ ग्लौकोमासँ लड़बामें समाज सफल हयत. संगहिं, भविष्यक वैज्ञानिक अनुसन्धान रोकथाम आ चिकित्साकबाट सहज करैत जायत, से संभव.

No comments:

Post a Comment

अहाँक सम्मति चाही.Your valuable comments are welcome.

मैथिलीकें जियाकय कोना राखब: समस्या आ समाधान

कीर्तिनाथक आत्मालापक पटल पर 100 म  लेख   मैथिलीकें जियाकय कोना राखब: समस्या आ समाधान  कीर्तिनाथ झा वैश्वीकरण आ इन्टर...

हिन्दुस्तान का दिल देखो