Wednesday, October 29, 2025

शोक संदेश: डाक्टर श्रीपति सिंह नहि रहलाह

सोशल मिडियाक क्रान्तिक युगमे नीक आ बेजाय घटनाक खबरि, बरखाक शीतल फुहार आ दारुण ठनकाक प्रहार-सन अचानक आ सोझे अबैत रहैत छैक। काल्हि, छठिक भोरुका अर्घ्यक दिन भोरे श्रीपति सिंहक अचानक निधन एहने अचानक आघात छल; हुनक अपने फेसबुक पेज पर, भूमि पर निष्प्राण पड़ल (डाक्टर श्रीपति बाबूक) छवि विचलित कए देलक।

श्रीपति बाबूसँ पहिल परिचय फोन पर भेल छल। हम पांडिचेरीमे  रही। ओ अपन पत्नीक आँखि संबंधी कोनो समस्याक हेतु फोन केने रहथि। तकर बाद कतेको बेर गप भेल छल। ओ मैथिलीक प्रति समर्पित केहन रहथि, आब से सर्वविदित अछि,आ इतिहासक गप थिक। मुदा, हुनकासँ हमरा पहिल बेर भेट 23 फरबरी 25 क दिन भेल छल, जखन ओ हमरा ओतय अवाम आयल रहथि। बड्ड नीक लागल छल। वयोवृद्ध, किन्तु, ऊर्जावान। हँसमुख आ सहृदय। 

ओकर बाद ओही यात्रामे हमहू हुनका ओतय पचही गेलहुँ। अत्यन्त आदर सत्कार। ओ हमर अयबाक अवसर पर स्थानीय साहित्यकारलोकनिकेँ सेहो बजओने रहथिन। वरिष्ठ वैज्ञानिक जी सेहो रहथि।

ओ अपनहुँ किछु कविता सुनओलनि। 'चामुण्डा माहात्म्य' देलनि। हम मैथिली लोकोक्ति कोष, एवं अनेक आओर पोथी सेहो किनलहुँ।

अयबासँ पूर्व हुनक पत्नीसँ सेहो भेट भेल। 

किछुए दिन पूर्व  भेट भेल छल। हुनक सहृदयतासँ प्रभावित भेल रही, हुनक मैथिली प्रेमसँ परिचित छी,  तेँ, हुनक अचानक निधन मर्माहत कए देलक।

जाउ, श्रीपति बाबू। अहाँ अपन गंतव्य पर  पहुँचि गेलहुँ। अहाँ अवश्य प्रसन्न-मुख हयब,


जेना हम अहाँकेँ दू भेटमे देखल। मुदा, मिथिला आ मैथिली अहाँकेँ नहि बिसरत। तृप्यन्तु, तृप्ताः यान्तु। नमन। 

Tuesday, October 21, 2025

फेर आयल चुनाव

 फेर आयल चुनाव 

फेर आयल चुनाव,

फेर साफ हयत भूराबाल

फेर भगाओल जायत घुसैठिया ।

फेर, चुनावक समयमे 

दाइ-माइकेँ भेटलनि-ए

व्यापार खोलबा लेल

टाकाक दसहजारी किश्त,

आब फेर गरिअओथिन सरकार,

'रेबड़ी' बंटनिहार बेईमानकेँ। 

फेर घुरतैक

ओकरा सबहक दिन 

जे स्वतंत्रताक पचहत्तरि सालक पछातिओ 

टोल पर 

नहि चढ़ि सकैत अछि घोड़ी पर

नहि आबि सकैछ 

जूता पहिरि दलान पर।


फेर आयल चुनाव !

फेर माता जानकीकेँ 

पहिराओल जेतनि माला,

आ संकल्प लेताह सरकार

शीघ्र पूर्ण करबाक हेतु

पुनौराधामक मंदिर। 

मुदा, अंटकल छथिन

बाबा बिदेसर सब मुहपुरुखक कंठमे।

तेँ, भेल छथि सब केओ बौक।

मुदा, बजताह कोना?

पुछथिन कोना!

किएक नहि मैथिलीक जन्मभूमिमे

नेना नहि पढ़ि सकत मैथिलीमे।


कारण, कोन ठेकान ,

अजेय महानायक,

नबका सरकार बनलाक पछाति,

तुरते, बांटय लगलथिन

पुरुख पात्र, आ कुपात्रहुकेँ 

व्यवसाय शुरू करबाक हेतु

नबका अनुदान,

वा सूद समेत बांटय लगथिन,

स्विट्जरलैंडसँ आपस आयल

काला धन केर

पंदरहलखा करार केर 

कमसँ कम पहिलो किश्त!

मैथिलीकें जियाकय कोना राखब: समस्या आ समाधान

कीर्तिनाथक आत्मालापक पटल पर 100 म  लेख   मैथिलीकें जियाकय कोना राखब: समस्या आ समाधान  कीर्तिनाथ झा वैश्वीकरण आ इन्टर...

हिन्दुस्तान का दिल देखो