Thursday, August 26, 2010

हे, माता-पिता; हे,पितर

माताक स्मृतिक पर्व - मातृनवमी
आई सिन्धु चरणतल,
पितृपक्षक तर्पणक बेर
सियोकक कछेर में ,
छी  पितामहक तिथि दिन नुब्राक उद्गम लग .
यायावरी व्यवसाय आ घुमक्कड़ प्रवृत्ति !
शत्रुदमन सेनाक अनुगमन
आ रोगहरणक   वृत्ति !
हे ,माता , पिता , आ पितर
कतय करू ? अहाँक प्रति जल तर्पण !
कतय, ब्राह्मण भोजन ?
कतय, वर्षी-पार्वण ?
वैश्वीकरण-भूमंडलीकरणक बिहाडि में ,
आब नित्तः मनाओल जाइछ,
फादर'स, मदर'स आ नहि  जानि कोन-कोन दिन !
वृद्धाश्रम आ अनाथाश्रम में -
एकाकी जीवनक अभिशापक बंधन में ओझरायल ,
हताश मानव अस्थिपंजर ले ओहि दिन मात्र -
एक गफ्फी फूलक कोंढ़ी,
एकटा केक, एक डिब्बा  मिठगर बिस्कुट !
मुदा, साल भरिक तिक्त जीवन ,
आ एकाकीपनक खटास , कहाँ मेटा पबैत छैक एहि वार्षिक अर्घ्य सँ-
जे अन्हरिया में औनाइत वर्ष में होइछ ,
सुदुक क्षणिक बिजलोका जकां !
तें , हे माता ,
ने मातृनवमी में ब्राह्मण भोजन ,
 ने पितृपक्ष में तर्पण हे, पिता ,
ने सुखरात्रि में उर्ध्व मुख ऊक हे , पितर !
मुदा ,
क्षण , पल, दिन, राति, प्रति निमेष,
हमर शरीरक प्रत्येक रोम ,शिरा,कोशिकाक स्पंदन , आ आन्दोलन
थिक अहिंक स्मृतिक निरंतर आवृत्ति !

                                                                                            लद्दाख, १८.१०.२००४

No comments:

Post a Comment

अहाँक सम्मति चाही.Your valuable comments are welcome.

मैथिलीकें जियाकय कोना राखब: समस्या आ समाधान

कीर्तिनाथक आत्मालापक पटल पर 100 म  लेख   मैथिलीकें जियाकय कोना राखब: समस्या आ समाधान  कीर्तिनाथ झा वैश्वीकरण आ इन्टर...

हिन्दुस्तान का दिल देखो