Wednesday, April 2, 2014

कने सोचियउ त 


बगडा भ गेल निपत्ता,
मुदा गिद्ध भ गेल संरक्षित  !
माने, चाही , अफरात चरी ,
चारूभर सुरक्षा चक्र,
आ भयमुक्त विचरण !
तें तं ,सुरक्षा चक्र में गिद्ध निस्संक लगा रहल छथि  बगडा क भोग !
आ असहाय चिडइ -चुनमुनी मना  रहल अछि मनहि -मन  शोक !!

2
एकटा कोठली तीन टा  लोक ,
बाजा-ने-भुकी , मेल-ने-जोल 
पड़ोसियाक घर में लागल छै आगि ,
मचल छै अनघोल ,
धत्तोरिके ! बुझलियइ कहाँ ,
हमरा सबहक कान में लागल छल फोन !

बाबा, केहन होई छै , बम्मई आम ?
बड होइए सेहन्ता, कने बुझितियइ स्वाद  !
की करू बाउ, कोना बुझाऊ , अद्भुत अछि सवाल  ,
मुदा, पुछियनु पितामह गूगुल के ,
कदाचित् , हुनका लग होइन कोनो बराबरीक स्वाद  !
 



No comments:

Post a Comment

अहाँक सम्मति चाही.Your valuable comments are welcome.

मैथिलीकें जियाकय कोना राखब: समस्या आ समाधान

कीर्तिनाथक आत्मालापक पटल पर 100 म  लेख   मैथिलीकें जियाकय कोना राखब: समस्या आ समाधान  कीर्तिनाथ झा वैश्वीकरण आ इन्टर...

हिन्दुस्तान का दिल देखो