Tuesday, April 9, 2024

किरणजी आइ जँ रहितथि

किरण-स्मृति पर विशेष 


आइ जँ रहितथि किरणजी,
तँ पड़बे करितनि डांग
आ फुटितनि अबस्से कपार।
आइ जँ रहितथि यात्री,
तँ बजबे करितथि,
अनटोटल बोल,
आ दरबारी
तथा राजाकेँ लगितनि अनसोहांत,
आ फेर जैतथि ओ जेल।
मुदा, बाबा, आ किरणजी
नीके भेल चलि जाइत गेलहुँ
अहाँलोकनि,
आ छोड़बो ने कयल केओ शिष्य।
कारण, आइ जँ रहितहुँ
तँ अहाँलोकनिकें
पार नहि लगैत
सिखब नव ककहरा
ने छोड़ितियैक उचित कहब ,
आ बाजब अनटोटल बोल,
तखन रखिते के रोच?
तेँ, भोगितहुँ अवस्से नव व्यवहार
:
देखिते छिऐक रङताल
!
अथच,
आ अहुँलोकनिक,
नित्तह फुटबे करैत कपार।
किरणजी आ बाबा,
नीके भेल चलि जाइत गेलहुँ
अहाँलोकनि
आ छोड़बो ने कयल केओ शिष्य 

No comments:

Post a Comment

अहाँक सम्मति चाही.Your valuable comments are welcome.

मैथिलीकें जियाकय कोना राखब: समस्या आ समाधान

कीर्तिनाथक आत्मालापक पटल पर 100 म  लेख   मैथिलीकें जियाकय कोना राखब: समस्या आ समाधान  कीर्तिनाथ झा वैश्वीकरण आ इन्टर...

हिन्दुस्तान का दिल देखो