Tuesday, October 1, 2024

न्यूयॉर्क टाइम्स स्क्वायर, अगस्त २०२४

 

न्यूयॉर्क टाइम्स स्क्वायर

 ‘०९ सितम्बर २००१ केर भयानक त्रासदी अमरीकी नागरिकक जीवनकें बदलि देलक; ई परिवर्तन स्थायी थिक.’  ई कथन थिक ‘गैलप’ नामक अमरीकी संस्थाक वरिष्ठ संपादक जेफ्री एम जोन्स केर, जे ओ सितम्बर २०२१क एक आलेखमे व्यक्त कयने छलाह. ओहि सर्वेक अनुसार लोककें हवाई यात्रामे पहिनेसँ बेसी भय होमय लगलैक, नागरिकक सुरक्षा निर्बाह करबाक सरकारक योग्यता पर विश्वासमे ह्रास भेलैक , एवं लोक गगनचुम्बी भवन एवं भीड़- भड़क्कामे जयबासँ परहेज करय लागल. मुदा, कतबो किछु होउक जखन जीवन सामान्य नहि रहतैक, तखन लोक जीबे किएक करत ! तें, कहनो बड़का सामाजिक वा प्राकृतिक भूचाल किएक ने होउक, समाजक भय सेहो सहाज जोग भइए जाइत छैक.  
हमरालोकनिक पहिलुको अमेरिका यात्रा सब २००१क पछातिए भेल छल. तें वर्ल्ड ट्रेड सेन्टर पर हवाई हमलासँ पहिलुक अमेरिका आ पछातिक अंतर करब कठिन. तथापि, एहि बेर करीब साढ़े छौ वर्षक अवधिक पछातिक एहि यात्रामे अमेरिका आ अमरीकी जीवनक ओहि फलक सबकें देखय चाहैत छी, जे पहिने नहि देखने होइ, वा देखलो पर जाहि पर दृष्टि नहि पड़ल हो.
            आइ शुक्रक दिन थिकैक. करीब १५ घंटाक यात्राक पछाति दिल्लीसँ एतय पहुँचल छी. साफ़ दिन. भोरुका मृदुल रौद. हमरा लोकनिक फ्लाइट करीब छौ बजे भोरे JFK एयरपोर्ट छल. दू दिन पूर्व क्लीवलैंडमें भयानक चक्रवात आयल छलैक. अस्तु, हमर बालक अमियक फ्लाइट कनेक बिलंबसँ पहुँचलनि अवश्य. मुदा, हमरा लोकनिकें हुनका लेल बेसी प्रतीक्षा नहि करय पड़ल. आब JFK एयरपोर्ट रेहल खेहल बूझि पड़ैछ. दिल्ली, बंगलोर आ भारतक आन हवाई अड्डा सेहो विश्व स्तर छैक. बल्कि, एतय दिल्ली-जकाँ टैक्सी-गाड़ीक कोनो अफरा तफरी नहि. जहिना ओला-ऊबर भारतहुमे भेटैछ, एतहु एकटा टैक्सी मंगाओल. ड्राइवर रूसी मूलक महिला. मृदुभाषी आ तत्पर. हमरा लोकनिक होटल एतयसँ किछु दूर- करीब बीस मील आ घंटा भरिक यात्रा - किन्तु, नीके. भोरुका वायुक सेवन करैत गेलहुँ. लंबा हवाई यात्राक संकीर्ण आ वातानुकूलित परिवेशसँ  सड़क यात्रासॅ सर्वथा भिन्न. विगत रातिमे हमर पत्नीक मन सेहो कनेक ख़राब भेल रहनि. किन्तु, हवाई यात्रामे हमरा हेतु कोनो ई नव अनुभव नहि. हवाई जहाज वा कतहु आन ठाम, तर्कबुद्धिक उपयोग आ अनुभूत उपचारक व्यवहार आकस्मिकतासँ निबटबाक सबसँ सुलभ विधि थिक. सएह केलहुँ  आ सब ठीके रहल. सेवाकर्मीओ तत्पर रहथि, सहयोग केलनि, आ अपने सब सबटा सम्हारि लेल.

 न्यूयॉर्क पहुँचि हमरालोकनि तीन दिन एतहि बिताओल. डेरा न्यूयॉर्कक बिजनेस डिस्ट्रिक्ट, मैनहैटन इलाकामे क्लब क्वार्टर होटलमे डेरा देल. होटलक कमराक पारदर्शी देवालक कारण वन वर्ल्ड सेंटर टावर आँखिक सोझे छल. अस्तु एतयसँ ध्वस्त वर्ल्ड ट्रेड सेंटरक स्मारक एवं संग्रहालय (
9/11 Memorial & Museum) सोझे देखबामे अबैछ. २००१ ई. पछाति ई न्यूयॉर्कक सबसँ बड़का आकर्षण थिक, जतय लोक स्मारक देखबाक हेतु एवं शोक प्रदर्शन दुनूक हेतु अबैछ; मानवीय त्रासदी सहृदय मनुष्यकें विश्व भरिमे एके रंग उद्वेलित करैछ. कारण वा प्रासंगिकता जे होइक, मन पड़ैछ, जापानी विद्वान हारुकी मुराकामीक शब्द: “.... संसारमे एहन कोनो युद्ध नहि जे बाँकी सब युद्धकें समाप्त कए देत”.

                                                                                *

एतय न्यूयॉर्कमे दिल्ली वा मुंबईए जकाँ देखबाक स्थान आ वस्तुक कोनो कमी नहि छैक. अस्तु, हमरालोकनिक घुमबा-फिरबाक कार्यक्रमक हमर बालक स्वयं अपनहि बनौने छथि.
आइ दिन भरि विश्रामक कयल। साँझुक पहर टैक्सी लेल आ टाइम्स स्क्वायर गेलहुँ. एखन गर्मीक ऋतु छैक. मौसम खूब अनुकूल.
न्यूयॉर्कक टाइम्स स्क्वायर एतुका प्रमुख व्यापारिक केन्द्र तथा थिएटर, संगीत भवन एवं होटल सबहक केंद्र थिक. प्रतिवर्ष करीब पाँच करोड़, आ प्रतिदिन साढ़े तीन लाखसँ बेसी शैलानी टाइम्स स्क्वायर अबैत छथि. तकर कारणो छैक: टाइम्स स्क्वायर चमक-दमक आ शैलानीक भीड़क बीच एतय भिखारिओ भेटत, मौका-बेमौका निवस्त्र देहकें विभिन्न कलाकारीसँ रंगने महिलाओ भेटतीह. चौक पर गीत गबैत, कलाबाजी देखबैत युवक-युवतिओ समूह देखबैक. राजनीतिक कार्यकर्त्ताक प्रदर्शन सेहो देखबैक. जँ सिनेमा, रंगकर्म, आ कार्टून करैक्टर्स तथा विडियो गेम्ससँ परिचय हो तँ बहुत ठाम जे किछु चित्रमे देखने हेबैक से एतय साक्षात् बहुमंजिली भवनक विशाल फलक पर एल सी डी स्क्रीन पर देखबैक. 

ततबे नहि, एतेक दिनमे एतहु बहुत परिवर्तन भेलैए. आब एतहु प्रतिवर्ष Mind over Madness-क नामसँ  सामूहिक योगासनक आयोजन आयोजन होइछ, सार्वजनिक स्थलमे सिगरेट-बीड़ी-धूम्रपान पर प्रतिबन्ध छैक. बाजारमे Tesla electric taxi आबि गेलैए। सस्ता पेट्रोलक कारण अमेरिकामे बहुत दिन छोट आ fuel-efficient कार दिस जनताक ध्यान नहि गेल छलैक। मुदा, fossil-fuel पर चलैत गाड़ीक संबंध प्रदूषण एवं जलवायु परिवर्तनसँ सेहो छैक, से आब एतुको नागरिक लोकनि बूझय लागल छथि। एतय हमरालोकनिक Tesla taxi घुमबाक आनंद लेल। एतय Tesla car क ओहन क्रेज नहि छैक, जेहन भारतमे छैक। मुदा, से सब दूर जाओ. हमरा लोकनि टाइम्स स्क्वायर पर टहलहुँ, घुमलहुँ, फोटो-विडियो घिचल, स्ट्रीट परफॉरमेंस देखल आ अंततः ओलिव गार्डन इटालियन रेस्तौराँमे मनो उमडल पेय आ दिव्य भोजनक आनंद उठा होटल आपस भेलहुँ.
हँ, एतबा अवश्य जे बहुतो ठाम जे किछु पहिल यात्रामे अजगुत लगैत छैक, से दोसर-तेसर बेर होइत-होइत सामान्य लागए लगैत छैक. संभव तें आइ एतय किछु अजगुत नहि लागल. चौक पर एक दू गोट स्ट्रीट परफॉरमेंस होइत छलैक, कलाकार लोकनि जीविकाक लेल अपन कला देखबैत रहथि. से देखल, तकर विडियो अवश्य बनाओल. एकटा शॉर्ट विडियो एतय प्रस्तुत अछि।



No comments:

Post a Comment

अहाँक सम्मति चाही.Your valuable comments are welcome.

मैथिलीकें जियाकय कोना राखब: समस्या आ समाधान

कीर्तिनाथक आत्मालापक पटल पर 100 म  लेख   मैथिलीकें जियाकय कोना राखब: समस्या आ समाधान  कीर्तिनाथ झा वैश्वीकरण आ इन्टर...

हिन्दुस्तान का दिल देखो