Friday, October 11, 2024

नियाग्रा जल प्रपात (Niagra Falls, New York)

 नियाग्रा जल प्रपात (Niagra Falls, New York)


ब्रह्माण्डमे पृथ्वीक अस्तित्व घूल कणसँ बेसी नहि. तें खगोलीय पिण्ड केर रूपमे पृथ्वीकें कोन शक्ति कोन रूपें प्रभावित करैछ, तकर अनुमान विज्ञानकें छैक. मुदा, पृथ्वी पर खगोलीय शक्तिक दीर्घकालीन प्रभाव मनुष्यक दिन प्रतिदिनक चेतनासँ बाहरक विषय थिक. तें, अंधड़- बिहाड़ि, ऋतु-परिवर्तन, आ पर्यावरणक परिवर्तनक अनुभव हमरालोकनि करैत छी, अकस्मात् बदलैत नदीक धाराक विभीषिकाक अनुभव हमरा लोकनि करैत छी, मुदा, भूमि पर रहितो भूगर्भक दीर्घकालीन परिवर्तनक तात्कालिक प्रभावक अनुभव हमरा लोकनिकें नहि होइछ. मुदा, एही दीर्घकालिक परिवर्तनक प्रभाव जखन हजारों वर्ष धरि प्राकृतिक सौन्दर्य जकाँ आँखिक सोझा ‘स्थायी-जकाँ देखबामे’ अबैछ तं भूगर्भीय परिवर्तन कतेको शताब्दी धरि आश्चर्य एवं मनोरंजनक स्थायी केंद्र बनल रहि जाइछ. नियाग्रा जलप्रपात एवं दुनिया भरि मे पसरल अनेको आश्चर्य- जल प्रपात, झील, नदी, सुखायल नदीक अवशेष, शिवालिक एवं अन्य पर्वतमाला तथा  माउंट एवेरेस्ट सन पर्वतश्रृंखला जकाँ - भूगर्भहिक आन्दोलनक परिणाम थिक, जकर निर्माणक विस्तृत विवेचना एतय संभव नहि.
हमरालोकनि  एहि अमेरिका यात्रामे नियाग्रा जल प्रपात( Niagra falls) देखबाक प्रोगाम बनलैक. स्विट्ज़रलैंडमे राइन जलप्रपात (Rhine falls) देखल अछि. राँचीक समीप हुंडरू प्रपात एवं एतेक दिनुक यात्रामे नेपाल एवं नीलगिरि सहित अनेको पर्वतीय क्षेत्रमे अनेक जल प्रपात  देखल अछि. मुदा, नियाग्रा जल प्रपात देखबाक अवसर एखन धरि नहि भेटल छल.
शनि दिन. नीक मौसम. नियाग्रा वेस्टलेक ओहायोसँ सीधा पूब-जकाँ. करीब साढ़े तीन सौ किलोमीटर; कारसँ करीब साढ़े तीन घंटाक यात्रा. हमरालोकनि ड्राइव करैत नियाग्रा फाल्स  धरि जायब आ साँझ धरि घूरि कए आपस भए जायब. सोझ सड़क, थोड़ ट्रैफिक आ दिन देखार समय. बंगलोरमे जं ट्रैफिक बेसी भेलैक तं भए सकैत अछि, पचीस-पचास किलोमीटर जयबामे एतबा समय लागि जाय. अमेरिकामे कारसँ दूर-दूर धरिक यात्रा आम थिक. बस-ट्रेनक ओतेक सुविधा नहि. तखन जतय रोडसँ  जा सकैत छी, लोक हवाई यात्राक झमेलामे किएक पड़त!
नियाग्रा फाल्स संयुक्त राज्य अमेरिका एवं कनाडाक बीच, दुनू देशक सीमा क्षेत्रमे पड़ैछ. तें दुनू देशक निवासी आ शैलानी दुनू कातसँ प्रपात देखबाक आनंद लैत छथि, आ दुनू देशक साझा प्राकृतिक संपदा, नियाग्रा नदीमें नौकायनक निर्बाध आनंद उठबैत छथि.  लेक इरीक प्रवाह नियाग्रा प्रपातक जल श्रोत थिक. अमेरिकाक मध्य पश्चिमी क्षेत्र (Midwest) एवं अमेरिकाक उत्तरमे स्थित कनाडा देशक समीप, जे तीन चारि टा विशाल झील सब पड़ैत छैक, इरी झील ताहिमे एक थिक. एतय अन्तर्राष्ट्रीय सीमा अमेरिकाक न्यूयॉर्क एवं कनाडाक ऑनटारियो प्रान्तकें विभक्त करैछ. यात्राक सुविधा समीपक न्यूयॉर्क एवं कनाडाक टोरंटो शहर धरि अबैत शैलानीक अपने-अपन देशक ऑब्जरवेशन डेकसँ  नियाग्रा प्रपात देखैत छथि. तथापि, जे कनाडा दिससँ नियाग्रा फाल्स देखने छथि, हुनका लोकनिक अनुसारें कनाडा दिससँ ई प्रपात बेसी सुन्दर लगैछ. मुदा, कनाडा जेबा लेल फूट वीसा चाही.

विश्वप्रसिद्ध पर्यटन स्थलक रूपें नियाग्रा प्रपात विगत दू सौ वर्षसँ सुपरिचित अछि. यद्यपि, प्रपातक ऊँचाईक दृष्टिसँ विश्वमे करीब ५०० सौ एहन प्रपात छैक जतय जल नियाग्रा प्रपातसँ अधिक ऊँचाई नीचा खसैछ. मुदा, निरंतर बहैत जलक परिमाणक दृष्टिसँ  नियाग्रा अवश्य विशिष्ट अछि. उपलब्ध आंकड़ाक अनुसार एहि प्रपातसँ प्रति मिनट करीब साठि लाख घन फुट पानि बहैत अछि, सेहो जखनि पनिबिजली एवं पीबाक जलक हेतु आवश्यक जलकें दोसर दिस प्रवाहित कए एहि प्रपातक बाटें बहैत जलक मात्राकें तेना सीमित कयल गेल अछि, जाहिसँ प्रपातक ई विशेषता आ सुन्दरता अनेको पीढ़ी धरिक हेतु सुनिश्चित कयल जा सकय.

आब किछु आँखिक देखलक गप्प. नियाग्रा फाल्स सत्ये छैक तं अद्भुत. एक दिस अमेरिकाक नियाग्रा शहर. नदीक दोसर पार कनाडाक फोर्ट इरी.  ऊपर नील-नीरद स्वच्छ आकाश आ नीचा कल-कल बहैत फेनिल हरियर कचोर चंचल नियाग्रा नदी. उच्छल, तरंगित उत्थर, आ चौड़ा नदीसँ अबैत पानि, दूर-दूर धरि अनेक भागमें विभक्त स्वच्छ जलक अजस्र धारक आगाँ प्रस्तरक खड़ा फलक पर पसरल दू गोट विशाल धवल- सुन्दर, निरंतर गतिमान आवरण आ ताहिसँ उठैत वारि विन्दुक मेघ. दूर एवं पहिलो दोसरसँ पैघ, तेसर, जलधारक अर्द्ध चन्द्राकार प्रपातक  यवनिका, ‘हॉर्स शू फाल्स’. नदी कनाडावला ई भाग, अर्द्ध वृत्ताकार हेबाक कारणे ‘हॉर्स शू फाल्स’ कहल जाइछ. अधिक ऊँचाई आ जलक अधिक मात्राक कारण सुन्दरतामे एकरा विशेष माल जाइछ.  सब किछु अपने आँखिए देखू, विस्मित होउ आ आँखि जुड़ाउ. कारण, जकर नाम बहुत दिनसँ सुनने होइ, जकर केवल कल्पना केने होइ, से साक्षात् देखलासँ जे आनंद होइछ, से अनुभवक विषय थिक, वर्णनक नहि.

हमरा लोकनिक टिकट कटाओल छल. नियाग्रा पहुँचि पार्किंगक हेतु जगह तकबामे किछु समय अवश्य लागल, मुदा, बहुत नहि. ऑब्जरवेशन डेक धरि जयबाक लेल लाइन लम्बा रहैक, किन्तु, बेसी प्रतीक्षा नहि करय पड़ल. अमेरिकाक ऑब्जरवेशन डेकसँ पूब आ पश्चिम धरि पसरल नियाग्रा नदीक पाट, नदीक उत्तर कनाडाक ओनटारियो राज्यक फोर्ट इरी नगर, नियाग्रा फाल्स, तथा अमेरिका एवं कनाडाक बीचक, समीपहि स्थित रेनबो ब्रिजक विहंगम दृश्य देखबामे अबैछ. देखबामे दृश्य एहन मनोरम जे हएत देखिते रही; एतेक सुन्दर जे कतबो फोटो झिकब संतोष नहि हएत.

ऑब्जरवेशन डेक- Prospect Point Observation Tower सँ लिफ्ट द्वारा करीब ८२ मीटर नीचा उतरि नदी पर नौका-घाट एवं सीढ़ी बनल छैक.  ओतहि प्रति खेप करीब छौ सौ एकबेर पर्यटक नाओ पर चढ़ैत-उतरैत अछि. प्रायः एहने व्यवस्था कनाडा दिस सेहो छैक. दुनू देशक सीमा नदीक बीचोबीच. फलतः दुनू देशक शैलानीकें ल’ कए अबैत-जाइत जहाज अगल-बगल चलैत रहैछ. केवल रंगमे अंतर; अमेरिकाक जहाज नील रंगक. कनाडाक नाओ आ पर्यटकक रेनकोट( पोंचो) क रंग लाल, देशक झंडा पर बनल मेपल वृक्षक पातक रंग जकाँ.

करीब बीस मिनट केर नियाग्रा नदी पर नौकायनमे देह पर पानिक ततेक फुहार पड़ैछ, जे सब पर्यटक अनिवार्यतः माथसँ घुट्ठीक लंबा रेनकोट पहिरैत छथि. नौका-विहार एवं रेनकोटक दाम टिकटमे जोड़ल रहैछ. हमरा सब गर्मी मासमें आयल छी. बड़ आनंद एलैक. यात्राक पछाति लोक पोंचो सौगात जकाँ अपना संग लेने जाइछ. हमरोलोकनि तीनू पोंचो मोड़ि कए संग राखि लेल.
जलप्रपातक भ्रमणक पछाति भोजनक बेर भए गेल रहैक. हमरालोकनि एकटा भारतीय रुचिक भोजनक रेस्टोरेंट ताकल. लगहिमे रहैक. रोम हो वा लन्दन, वेस्टलेक हो वा न्यूयॉर्क आब भारतीय भोजन सबठाम भेटैत छैक. लोक रहय कतहु, भोजन अपने रुचिक तकैछ. पर्यटन स्थलमे तं अवश्ये. कारणो छैक. एहि इलाकामे भारतीय छात्रक नागरिक संख्या थोड़ नहि. भारतीयमे उद्यमी, पर्यटक, नोकरिहा तथा छात्र सब भेटत. पहिने लोक व्यंग करैक ‘आलू और सरदार सब जगह मिलता है’. पछाति सएह हाल बिहारी मज़दूरक भेलैक; कोलकातासँ केरल, आ क़तर धरि, असमसँ अंडमान आ लद्दाख आ सूरत धरि बिहारी सब ठाम भेटताह. तहिना विदेशमे भारतीय. आब विश्वक विरले कोनो देश हएत जतय थोड़बो भारतीय नहि छथि. पहिने लोक युद्धसँ डराइत छल. आब जीविका लेल भारतीय लोकनि युद्धग्रस्त यूक्रेन, रूस एवं इजराइल धरि पहुँचि गेल छथि; पेट जतय ने ल’ जाय. तखन जतय भारतीय पहुँचलाह, भारतक एक टुकड़ा अवश्य भेटत. नियाग्रामे रेस्तौरांक नाम हिमालयन रेस्तौरां. स्वामी एवं सेवक नेपाली नागरिक. भोजन पवित्र आ स्वादिष्ट. भोजन कयल. लगहिक स्टोरमे किछु सनेस आ यादगार सेहो किनल. संयोगसँ ऑब्जरवेशन डेक पर फोटो घिचबैत काल हमर टोपी कोना छूटि से बुझबा योग्य नहि भेल. खसबाक-उड़बाक संभावना नगण्य रहैक. जखन स्मरण भेल, घूरि कए गेलहुँ. दसो मिनट नहि भेल छलैक. भीड़ सेहो ततेक नहि. तथापि, टोपी निपत्ता. स्टोरमे नव टोपी पर नियाग्रा फाल्स केर स्मृति चिन्ह नीक लागल. किनलहुँ. मुदा, पचीस डॉलरक व्यय. माने भारत हो वा अमेरिका, पर्यटन स्थल पर हाथसँ वस्तु छूटल, तं ककरो दोसर हाथ लागि गेल. भेटत कतय ! वस्तु तं शोर नहि करत.                      


2 comments:

  1. बहुत नीक लागल पढ़िक खुब आशिर्वाद दै छी

    ReplyDelete
    Replies
    1. अहाँक आशीषसँ हमर लिखबाक उत्साह बढ़ैछ.

      Delete

अहाँक सम्मति चाही.Your valuable comments are welcome.

मैथिलीकें जियाकय कोना राखब: समस्या आ समाधान

कीर्तिनाथक आत्मालापक पटल पर 100 म  लेख   मैथिलीकें जियाकय कोना राखब: समस्या आ समाधान  कीर्तिनाथ झा वैश्वीकरण आ इन्टर...

हिन्दुस्तान का दिल देखो