Sunday, April 22, 2018

क्लीवलैंड-4 : ग्रेटर क्लीवलैंड एक्वेरियम आ लौली द ट्राली

ग्रेटर क्लीवलैंड एक्वेरियम आ लौली द ट्राली
क्लीवलैंडमें  दर्शनीय स्थल, आ मनोरंजनक अवसरक कमी नहिं. चिड़ियाखाना, म्यूजियम, एक्वेरियम आ पार्क तं बच्चा सं बूढ़ धरि कें आकृष्ट करैछ . हमरो लोकनि एक दिन टैक्सी लेल आ एक्वेरियमक द्वारि पर पहुंचि गेलहुं. ई एक्वेरियम एकटा पुरान पॉवर हाउसक बिल्डिंगमें अछि. संयोगसं एक्वेरियमक द्वारि दाहिना दिस चारि-छः सीढ़ी नीचा छैक. सामने सोझे नगर भ्रमणक हेतु conducted टूरक बस 'लौली द ट्राली'क काउंटर देखबा में आयल. टिकट कीनि लेल. टिकट 23 डॉलर. पहिल बेर सीनियर हेबाक लाभ भेल. सीनियरक टिकट 21 डॉलर: जत लब्धम, तत लब्धम. यद्यपि आब एतहु 2 डॉलरमें किछु भेटत से असंभव. पर्यटन स्थल पर पेय जलक छोटका बोतल सेहो अढ़ाई डॉलर सं बेसी ! पछिला दस वर्षमें भले डॉलरकेर मूल्य नहिं घटल होइक, मंहगाई एतहु बढ़लैक-ए से अनुभव भेल. जे किछु. पछिला ग्रुप 1 घंटाक टूर लेल निकलि  चुकल छल. अगिला अढ़ाई घंटाक टूर 2 बजे दिनमें छलैक. बहुत नीक. आब एक्वेरियम देखिए लेब आ नगर-भ्रमण सं पहिने भोजनक हेतु समय सेहो भेटि जायत.
ग्रेटर क्लीवलैंड एक्वेरियम आकारमें छोट आ विविधतामें सीमित अछि. बैंकाककेर एक्वेरियम प्रायः एहिसं पैघ लागल छल . जापान आ सिंगापुरमें तं सुनैत छी अद्भुत एक्वेरियम सब छैक.
स्टिंग रे
कोरल रीफ
शार्ककेर संग विभिन्न प्रजातिक माछ
टर्टल
एक्वेरियम मूलतः तीन-चारि खण्ड में विभाजित अछि: शार्क गैलरी, कोरल रीफ, कोस्टल बायोस्फेयर, विश्वकेर नदी आ झील, ऑहियो राज्यक नदी आ झील. तथापि स्टिंग-रे माछ आ अनेक प्रजातिक काछु, धिया-पुताक हेतु एतय विशेष आकर्षण अछि. एकर अतिरिक्त  एतय  नेना लोकनिक हेतु एक्टिविटी दीर्घा आ एक्सप्लोरेशन स्टेशन में बेस भीड़ देखलियैक.
जाड़क ऋतु मोटामोटी समाप्त भ गेल छैक. किन्तु, तेज हवा आ सघन मेघक कारण आइ एतय हाड़ हिलबै बला जाड़ छैक.
गर्मीक मासमें नगर केर ई इलाका आओर अनेक गतिविधि केंद्र भ जाइछ, जाहिमें एक्वेरियमक भीतर घूमब आ नगर भ्रमणक आलावा कोयहागे नदीपर विहार प्रमुख अछि. एक्वेरियमकेर बाहर लगहिं में जहाज देखलियैक. एहि पर केवल टूर आ टूरक सं भोजन आ मदिरापानक पैकेज सेहो उपलब्ध छैक. कइएक जहाज लेक इरी पर नौका विहार ले सेहो जाइछ. किन्तु, ई सब मई मास में आरम्भ हेतैक.
नौटिका रेस्तौरां में भोजन
एक्वेरियमक भवनक दोसर तल पर , भारतक फर्स्ट फ्लोर, नौटिका नामक रेस्तौरां छैक. ओत्तहि भोजन भेलैक आ सिटी टूर ले प्रतीक्षा करैत समय बिताओल.


लौली द ट्राली
लौली द ट्रालीमें भ्रमण
समयसं पहिनहि एक्वेरियम सं बाहर आबि लौली द ट्रालीक प्रतीक्षामें ठाढ़ भेलहुँ. जाड़ बहुत. किन्तु, बस छुटबाक भय छल. लाल रंगक बस; समय सं अयलैक. बाहर सं पैघ , किन्तु, भीतर सीमित लोकक बैसबाक व्यवस्था.  पुरान ढर्राक, मजबूत काठक बनाबट. खुला खिड़की सब जाड़क कारण पारदर्शी प्लास्टिकक पर्दासं बंद कयल.
शहरक एहि भागकें समतल भूमिक कारण Flats कहैत छैक. ई शहरक औद्योगिक इलाका थिक जकर प्रसार नदीक पूब आ पश्चिम, दुनू तट पर छैक. किन्तु, बसक यात्रा नदीक पछ्बरिया तट सं आरम्भ भ रहल छैक. लेक इरीक लग नदीक मुहानाक ई ईलाका नौवहनक केंद्र थिक. ज्ञातव्य थिक, अमेरिकाक मिडवेस्टर्न राज्यसब  देशक बृहत्तर झील सबहक माध्यम सं देशक आन अनेक राज्य सबसं माल-असबाबक यातायात ले जुडल अछि.   ई जलमार्ग लौह- अयस्क, पाथर, कोयला, चूना पत्थर, कृषि-उत्पाद, विशाल औद्योगिक माल-असबाब, जकरा सडक सं एक स्थान सं दोसर ठाम पठायब कठिन छैक, केर यातायात ले सुलभ, सस्त आ पर्यावरणक हेतु समुचित माध्यम मानल जाइछ. इरी कैनालक द्वारा ई जलमार्ग  अमेरिकाक पूर्वी तट आ कनाडासं सेहो जुडल अछि. इरी कनाल अपन  निर्माणक समय (1817-25 ) मानवीय संकल्पक द्योतक आ इन्जिनीरिंगक आश्चर्य छल.  एतय लगेेेक  पुरान स्विंग ब्रिज ओही नौवहन व्यवस्थाक प्रमाण थिक. एकर कारण क्लीवलैंड अमेरिकाक औद्योगिक उत्पादन व्यवस्थाक रूपें अंगीभूत भेल छल. आइ 525 लम्बा Erie Canalway National Heritage Corridor क नामे सुपरिचित ई व्यवस्था अमेरिकी नागरिक लोकनिक दूरदर्शिता आ दृढ़ संकल्पक प्रमाण थिक.भारतमें  नदीक माध्यमसं माल असबाबक यातायातमें कोनो प्रगति नहिं भेल अछि. देखी, पर्यावरण-संरक्षणक परिप्रेक्ष्यमें हितकर नौवहनक हमरा लोकनि कतेक प्रयोग क पबैत छी .
लौली द ट्रालीक चालक-गाइड, ईवा, करीब सत्तरि  सं पचहत्तरि वर्षक श्वेत महिला, ड्राइविंग आ टूर-गाइड, दुनू दृष्टिए दक्ष  छथि. ने गाडी हंकबामें कोनो जल्दी, ने कमेन्ट्री में कोनो शोर्ट-कट. एहि शहर में पलल बढ़ल छथि, तें एतुका इतिहासक चप्पा-चप्पा सं परिचित सेहो छथि. अपन काजमें रूचि छनि, आ ओहि में ई कोनो बाधा नहिं चाहैत छथि. तें, आरम्भहिं में कहि देलनि, 'अपनामें गप्प करैत जायब, तं हमर गप्प सुनबा में नहिं आओत'. सत्ये. ओहुना,अमेरिकामें पब्लिक-प्लेस में जोर-जोर सं बाजब अशिष्टता बूझल जाइछ.
यात्रा आरम्भ भेल आ गाइडकेर पहिले वर्णनसं सब कें हंसी लागि गेलैक. संदर्भ छलैक, एतुका मेेेन स्ट्रीट ब्रिज जे एतुका नागरिक सब अपने हाथें तोडइत  गेलाह. तोड़इत गेलाह ?अजगुत बात. लोक नदी पर पुल बनबैत अछि. ताहिमें खर्च लगैत छैक, इतिहास बनैत छैक. किन्तु, पुल तोडल गेल ? की कहू, द्वन्द-क्रोध आ रोष जे ने करबय. चलू, गप्पे में लागल छी तं सुनिए लियअ:
क्लीवलैंड शहरक स्थापनाक  पछाति  एतय बसैत पहिल बस्ती छल, नदीक पछबारि तटपर बसल- ऑहायो सिटी. तहियाक समृद्ध लोकनिक आवास एम्हरे छलनि. पछाति जखन कोयेहागो नदीपर पैघ पुल बनल तं शहरक पश्चिम सं पूब दिसुक यातायात सुलभ भ गेलैक. एहिसं फल ई भेलैक जे, पुलक स्थान क कारण, शहरसं दूर, पश्चिमसं अबैत कृषि उत्पाद- अन्न, फल-फूल- सोझे नदीक पुबारि पार चलि जाइक. ओहायो सिटीक मुंहपुरुखकें से कोना पसिन्न पडितनि ! मुदा, व्यापारिक लाभकें लोकमतसं कोन सरोकार ? तें, पुलक आर-पार यातायात चलैत रहल. अन्ततः, एतुका लोक सब पुल तोडबाक संकल्प क लेलक आ ताहि में सफल सेहो भेल. किंंतु , निर्माणहि-जकां विध्वंसमें सेहो अर्थ लगैत छैक ; देखैत नहिं छियैक युद्ध में उपयुक्त विध्वसंक उपकरण विश्व आर्थिक संसाधनक कतेक अंशकें धुआँमें उडा दैछ. किन्तु, से विषयांतर भेल. ईवा कहलनि, मेेेन स्ट्रीट ब्रिज कें तोडबाक समय अमेरिकामें आर्थिक मंदीक युग छल. तें, जहां बिचला भाग तोडल गेल, एहिसं पुलक बाटें यातायात विच्छेदसं  लोकक आक्रोशक समन सेहो भ गेलैक आ  थोड़  श्रम सं इच्छा पूर्ति सेहो. मुदा, पुलक शेष भाग, ओहि  युगक  अजगुत लोकमत आ लोक-व्यवहारक  साक्षी, आइओ एत्तहि ठाढ़ अछि.
मेन स्ट्रीट ब्रिजक पछाति बस शहरक पुरान बस्ती दिस चलल. एक पांतिसं बनल एके प्रकारक आवास. सब ठाम सडक पर गाड़ीक पतिआनी, ककरो स्वतंत्र पार्किंग नहिं. ईवा कहलनि, ओहि युग में, जहिया ई बस्ती बसल छल, मोटर कारक इजाद कहाँ भेल रहैक. घर सब में जंगला-खिडकीकक बहुलता बिजुलीक आभावक द्योतक. रास्तामें पुरान स्कूल, ब्रीवरी, चर्च, बाज़ार अबैत गेल. जतेक प्रकारक धर्मं- सम्प्रदाय ततबे प्रकारक चर्च. भगवानतं एक छथि, सुनैत छी. किन्तु, सबहक देवता अनेक. इसाई लोकनिमें सेहो ईसा सबहक मुक्तिदाता  थिकाह, किन्तु, पूजक लोकनिक सब समूहकें हुनकर एक छवि स्वीकार नहिं. ककरो हेतु क्राइस्ट नेना थिकाह, ककरो ले गडेडिया, आ ककरो ले शहीद. ई मतभेद तं हिन्दूओ धर्म में छैक. एकर एकटा आश्चर्यनक उदाहरण हमर विभागाध्यक्ष, डॉ श्रीकान्त  देलनि. श्रीकान्त विश्वाससं  संत रामानुजमकेर अनुयायी वैष्णव थिकाह. ओ एकदिन कतहु कांचीपुरमक एक विष्णुु मन्दिर में गेल रहथि. ओहि मन्दिरमें विष्णुक प्रशस्तिक संकीर्तन चलैत  रहैक. भक्त-जकां, श्रीकान्त संकीर्तन में सामिल तं भ गेलाह. किन्तु, शिघ्रे ओतुका एकटा अर्चक कहलथिन, अहाँ गीत जुनि गाउ.  कारण श्री रामानुजारक अनुयायी लोकनिक दू शाखा- वेदगलई आ तेंकलइ- एक दोसराक पूजा पद्धतिसं सहमत नहिं ! आ श्रीकान्त ओतुका पूजक तेंगलइसं भिन्न, वेदगलइ मतानुयायी थिकाह !
एतुका चर्च स्ट्रीटपर संत जॉन एपिस्कोपल चर्च हमरा विशेष रूपें आकृष्ट केलक. ईवा कहलनि, ई चर्च अमेरिका सं कनाडा दिस भगैत अश्वेत दास लोकनिक पलायनक सहायक अंडरग्राउंड रेलरोड संगठनक हेतु अनेक अंतिम पड़ाव म सं एक छल. सुनलहु,   कोयाहोगे नदी आ लेक इरी दिस जाइत तहियाक भूमिगत सुरंगक किछु हिस्सा एखनो  एहि चर्चकेर तहखानामें सुरक्षित अछि. रंगभेदक कारण सदा से प्रताड़ित  अश्वेत लोकनिक हेतु तं ई अवशेष तीर्थ  सं कम नहिं.
शहर एहि भागमें क्लीवलैंड क्लिनिकक संस्थापकक आदि निवास सेहो देखल.
ऑहियो सिटीक ई भाग छोड़बा सं पूर्व, दूूूरहि सं, एतुका ऐतिहासिक इनडोर-आउटडोर वेस्ट-साइड मार्केेेट सेहो देखल. एखन ई मार्केट  व्यापारिक केंद्रक अतिरिक्त पर्यटकक आकर्षण सेहो थिक. मुदा, अजुका अढ़ाई घंटाक टूर में  एकरा देखब संभव नहिं.
वेस्ट-साइड मार्क़ेटसं आगू लौली 'होप मेमोरियल ब्रिज' बाटें कोयेहागे नदी पार कयलक. एहि पुलक आरम्भमें सडकक दुनू कात, पुलक पहिल पायापर पुलक रक्षक देवताक विशाल मूर्ति सब रोम शहरक स्मरण दियौलक. आब, मूर्ति पुलक रक्षा करैत अछि वा केवल पुलक सजावट थिक, के कहत !
होप मेमोरियल ब्रिजकें पार करैत बस डाउनटाउन क्लीवलैंड पहुँचल. एतय हमरा सडकक कातमें जैक क्लीवलैंड कैसिनो आकृष्ट कयलक. एहि विशाल भवनक उपरका तल्लापर अमेरिकाक प्रसिद्द 'की- बैंक' अछि. हमर पुत्र, अमिय, एही भवन में अपन काजले प्रतिदिन अपन ऑफिस में बैसैत छथि. मुदा, एहि बेर कैसिनो देखब हमर प्रोग्राम में नहिं अछि. 2009 में लॉस-वेगसक कैसिनोमें कौतूहलबस किछु डॉलर डुबोने रही. देखबाले एकटा अनुभव काफी अछि. सुनैत छी, कैसिनो में जितल टाकापर असूलल 33 % टैक्स ई नगर सार्वजनिक कार्यमें लगबैछ ! जुआक कमाई आ धर्मार्थ ! भेलैक !!
तिरुवल्लुवर कहैत छथि, हमरा शब्द में:
भने जीत, जुनि  खेलक लोभ
जीत बोर थिक बंसिक  नोक ; कुरल  931
मुदा, भौतिकवादी समाजमें एक गोटेक लुटायब सं जं दोसर धनक संग्रह करैछ, तं कोनो अनुचित नहिं. टैक्स देलियैक, तं निक-बेजायक भेद कहाँ रहलैक !
कैसिनोक आगू बस, समीपेमें, पब्लिक स्क्वायर आयल.
सिटी स्क्वायर क्लीवलैंड
शहरक एहि मुख्य चौराहाक चारूकात एहि ठामक चारि टा प्रमुख गगनचुम्बी भवन सब अछि, जाहि सबहक अपन-अपन इतिहास छैक. मुदा, एहि चौराहा पर अमरीकी गृहयुद्धमें सहयोगी   सैनिक आ नाविक लोकनिक स्मारक आ मोजेज क्लीवलैंडक मूर्ति एतुका प्रमुख आकर्षण थिक. ज्ञातव्य थिक, अमेरिकाक उद्वव आ विकासमें  अमरीकी गृहयुद्धक स्थान केंद्र विन्दु पर छैक. तकर अनुभव  सबठाम हयत .
सिविल वार मेमोरियल, सिटी स्क्वायर क्लीवलैंड
सिटीसेंटर देखलाक पछाति बस एतुका प्ले-हाउस स्क्वायर दिस बढ़ल . प्ले-हाउस स्क्वायर एतुका रंगकर्मक केंद्र विन्दु थिक जे न्यू यॉर्क शहरक बाद एहि देशक दोसर सर्वप्रसिद्द कला क्षेत्र थिक.मुदा, एहि यात्रामें हमरा लोकनि सिनेमा- नाटकक हेतु समय नहिं निकालि सकलहु. तें, ई सब आब अमेरिकाक तेसर यात्रा में हेतैक.मुदा, एहि स्क्वायरमें सड़कक बीचक विशाल झाड़-फानूस देखल.  संगहिं, समीपहिमें भोजन आ पेयक हेतु प्रसिद्द यूक्लिड एवेन्यू   पर फोर्थ स्ट्रीटक भीड़ आ जीवन्तता देखि बस सं उतरि भीड़में हेड़ा जयबाक आकांक्षा जोर नहिं मारलक से कोना कहब . किन्तु, तेहि नो दिवसा गताः ! ई फोर्थ स्ट्रीट तं दिल्लीक चन्दनी चौक कें मात करैत अछि. एहि सडकपर जं मधुपर्क नहिं कयल आ एतुका व्यंजनक आस्वाद नहिं कयल तं दोसर बेर एतय आयब तं उचिते !
एहि यात्राक दौरान  इवा हमरा लोकनिके 19म आ बीसम शताब्दीक अरबपति लोकनिक इलाका मिलियोनेयर-रो सेहो देखौलनि. ओहि युग में एहि ठामक कतेको विशाल प्रासाद में तीन-तीन-चारि-चारि सौ सेवक सेवारत रहथि  मुदा, पुरान व्यवस्थाक अंत आ नव व्यवस्थाक आरम्भसं कतेको पुरान घर खसि चुकल अछि आ पुरान अट्टालिका सबहक स्थान पर आधुनिक कबूतरखाना - कोन्डोज-क सैकड़ो अलग-अलग आवासक स्वामित्व एक व्यक्ति स्थान पर सैकड़ों नव-धनाढ्यक हाथ में चल गेल अछि.
किछु दूर  आगू  क्लीवलैंड स्टेट यूनिवर्सिटी आ क्लीवलैंड हॉस्पिटलक बड़का क्षेत्र देखल. क्लीवलैंड स्टेट यूनिवर्सिटी प्राइवेट यूनिवर्सिटी थिक. किनबाक सामर्थ्य हो तं  नामांकनले प्राइवेट यूनिवर्सिटीसं नीक कोन  स्थान भेटत. मुदा आब हमरा लोकनि एकर निंदा की करबैक. आब तं भारतहु में सरकारी नीतिक बलें धनाढ्य उद्योगपति द्वारा संचालित प्राइवेट यूनिवर्सिटी शिक्षा व्यवस्थाक केंद्र विन्दुमें आबि रहल अछि आ गरीब-गुरबाक अंतिम शरण - सरकारी संस्थान - क्रमशः शिक्षा व्यवस्थाक परिधि दिस ससरि रहल अछि. प्राइवेट शिक्षा व्यवस्थाक क्षीर-सागरमें  लक्ष्मीपुत्र लोकनि विष्णु-जकां जल-विहार करैत छथि आ आम लोक उगडूब क रहल अछि. राजनेता आ सरकार  एक हाथें लड्डू बंटइत छथि, आ दोसर हाथें मुंगबा हंसोथैत  छथि. हमरा जनैत, ई एखन आओर बढ़त . सौ वर्षक पछाति की हेतैक, से के कहत !
लौली-ट्रालीक संग दू घंटा कोना बीति गेल बुझबो ने केलियैक. यूनिवर्सिटीक इलाकाक पछाति बस एतुका पुरान विश्वविद्यालय, केस वेस्टर्न यूनिवर्सिटी, आ क्लीवलैंड म्यूजियम ऑफ़ आर्ट, नेचुरल हिस्ट्री म्यूजियम, आ चिड़ियाखानाक इलाकासं ड्राइव करैत गेल. एहि सब सं आगू , ईस्ट बुलेवार्ड एवं डॉ मार्टिन लूथर किंग जूनियर मार्ग पर रॉकफेलर पार्क अवस्थित  क्लीवलैंड कल्चरल गार्डेन बाटें बस आगू बढ़ल. सैकड़ों एकड जंगलमें पसरल , उपर नीचा भूमिपर दर्जनों देशक भिन्न-भिन्न बगीचाक समूह ई इलाका क्लीवलैंड आ अमेरिकाक निर्माणमें आप्रवासी लोकनिक योगदानक प्रतीक थिक.  एहि बगीचाक समूह में भारतक खण्ड पर  के छथि से कहबा ले कोनो पुरस्कार नहिं. एतय हमरा लोकनि राष्ट्रपिता गांधी क्लीवलैंडक दारुण जाड़में अपन धोती, तौनी, आ लाठीक बलें भारतक प्रतिनिधित्व करैत छथि. मुदा,  मदर टेरेसाक स्थान अल्बानियाक खण्ड में छनि. नहिं कहि सकैत छी, गाँधी आ टेरेसा-सन विश्व मानव कें देश आ माटि सं जोडब उचित कि  नहिं .
घुरती में बस लेक एरीक कछेर पर बर्क लेकफ्रंट एअरपोर्ट, पनिडुब्बी संग्रहालय यु एस एस कॉड,  स्टीम शिप  विलियम जी माथेर, रॉक-एंड रोल हॉल ऑफ़ फेम, आ नासा ग्लेन विजिटर सेण्टर बाटें ड्राइव करैत पुनः फ्लैट्स में आबि विराम लेलक. लेक फ्रंट पर अवस्थित पूर्वोक्त सब दर्शनीय स्थल मई मास में खूजत. तें, आइ ई सब नहिं देखि सकलहु. मुदा, हमरा  तकर एको रत्ती मलाल नहिं. असल में, एहिबेर क्लीवलैंडक सबसँ दर्शनीय वस्तु हमर नवजात पौत्र आयुष्मान् अग्निव थिकाह. तें, हम संतुष्ट-प्रसन्न छी. बांकी सबटा अगिला बेर.

   
 

No comments:

Post a Comment

अहाँक सम्मति चाही.Your valuable comments are welcome.

मैथिलीकें जियाकय कोना राखब: समस्या आ समाधान

कीर्तिनाथक आत्मालापक पटल पर 100 म  लेख   मैथिलीकें जियाकय कोना राखब: समस्या आ समाधान  कीर्तिनाथ झा वैश्वीकरण आ इन्टर...

हिन्दुस्तान का दिल देखो