Wednesday, November 13, 2019

अपना ओतय बेरोजगार ! कतय पाबी सरकार !

अपना ओतय बेरोजगार ? कतय पाबी सरकार !

कश्मीर में आतंकी चलौलक गोली
बिहार भरि चूल्हिमें पड़ल नहिं पजार.
बम्मै में टुटलै बान्ह,
शोकमें भरि गेल सगरो पटना मेंअखबार.
चेन्नै में ढहि गेल बनैत महल,
कतेको बिहारी दबि गेल मलबाक भीतर.
दिल्लीक अनाजमंडी मे लागल अगड़ाही,
चालीस टा भ गेल भस्म,
सबटा तं छल बिहारी !
किन्तु,
अपना ओतय अछि,
सुराज आ सुशासन.
सर्वत्र जयजयकार !
पुलकित होइत पुछलखिन सरकार:
कहू, कहू, अपनो ओतय छथि केओ बेरोजगार?
कहलखिन, संगबे कर्णधार:
कहू तं,
झूट्ठे !
सबटा फूसि प्रचार !!
अपना ओतय आ बेरोजगार ?
कतय पाबी सरकार !
अपनहिं तं थिकहुं सुशासन
आ छै तं एतय, अपनहिंक सरकार !!!

No comments:

Post a Comment

अहाँक सम्मति चाही.Your valuable comments are welcome.

मैथिलीकें जियाकय कोना राखब: समस्या आ समाधान

कीर्तिनाथक आत्मालापक पटल पर 100 म  लेख   मैथिलीकें जियाकय कोना राखब: समस्या आ समाधान  कीर्तिनाथ झा वैश्वीकरण आ इन्टर...

हिन्दुस्तान का दिल देखो