राजनीतिक परंपराक भूमंडलीकरण
सुनैत छी, अमेरिकाक उपराष्ट्रपति कमला हैरिस सेहो
जीविकाक लेल बेलने रहथि पापड़
आ छनने रहथि आलू,
मैकडोनाल्डक भनसाघरमे !
मुदा, आलू छानि, आ
बेचिकए चाह
जँ केओ भए सकैत अछि उपराष्ट्रपति
वा प्रधानमंत्री
तँ पूर्व राष्ट्रपतिओ एही नुस्खासँ
पुनः जीति सकैत छथि चुनाओ !
एही गुरकेँ मानि गुरुमंत्र
भाई ट्रम्प एहि बेर शुभ मुहूर्तमे
मैकडोनाल्डक भनसाघरमे पूरा केलनि
आलू छनबाक अभियान!
ततबे नहि,
सुनैत छी, ट्रम्पक एवजमे बैसल छल,
मैट्रिक/ ‘सैट’ परीक्षामे
केओ फर्जी विद्यार्थीओ.
ऊपरसँ ट्रम्पक छनि माथ पर कुल
चौंतीसे टा अपराधक केस-
बलात्कार, हत्या, आर्थिक
अपराध आ देशद्रोह,
किछुओ नहि शेष !
तथापि, थिकाह भूतपूर्व राष्ट्रपति
आ छथिए पुनः एहि बेर चुनावमे ठाढ़!
माने, वएह सबटा योग्यता आ गुण
छैक अमेरिकहुमे भेल जा रहल छैक अपरिहार्य,
जे जितबाक हेतु चुनाव
छैक भारतमे मोटा-मोटी
आवश्यक-अनिवार्य!
भेलैक ने ई असली
राजनीतिक परंपराक भूमंडलीकरण !
No comments:
Post a Comment
अहाँक सम्मति चाही.Your valuable comments are welcome.