Wednesday, May 6, 2026

चित वा पट, जीतत डाॅलर आ ट्रम्पहि सरकार!

सब किछु छल अनुकूल 

आ शांत छल बसात,

दूर सहस्र योजनाक पार

ट्रम्पकेँ उठलनि खौंत

आ कुड़ियाय लगलनि कपार,

आँखिमे असमान प्रजातंत्रक गेजड़

आ टेटर सन-सन धनकुबेरक अगुआई;

सत्य देखथिन कोना कनाह आँखिए!

तथापि, विदा भेलाह सरिआबय संसार,

लोकतंत्र (!)क जड़िमे देबय पानि,

जड़िसँ उखाड़ि, समूल नष्ट कए

मानवाधिकारहिकेँ!

बिसरि गेलनि कोरिया 

बिसरि गेलनि वियतनाम,

फुसिएक बल पर तँ

कयने रहथि, इराकहुक सत्यानाश!

समर्थ थिक अमेरिका,

समर्थ थिक रूस,

भेलैक जँ युद्ध-विराम 

तँ खजाना हेतनि झूस।

तेँ कोनहु पक्षसँ 

पमरियाक तेसर-जकाँ 

अड़ा देताह टाङ,

भले हो बांग्लादेशमे नरसंहार 

वा बलूचिस्तानमे 

पाकिस्तानी बमबारीक अभियान!

लगौक आगि, वा धधकौक देश,

जाओ जनता जहन्नुममे 

वा हुनकर पार्टीक सेनानी सब

करौक संसदक बलात्कार,

वा एक दिस चलबैत रहथु

इरानमे  नरसंहारक अभियान 

लैत रहथु

ओतुका सभ्यताकेँ भूमिसात्  

करबाक संकल्प,

मुदा, ओ करताह जनतंत्रहिक गुणगान। 

दोसर दिस छी हमरालोकनि:

जखन संप्रभुता-संपन्न राष्ट्रक 

भ' रहल छैक सामूहिक बलात्कार 

तखन कोन ठेकान के हएत 

मगरमच्छक अगिला शिकार!

मुदा, रीढ़मे चाहिऐक बल

आ कंठसँ फुटौक तँ बेकार!

कहथुन तँ कोनो मुहपुरुख:

खेल तँ थिकैक तेल केर,

तेँ, बन्न करह ई खेल!

किएक तँ

बहरा रहल अछि, 

हमरालोकनिक तेल!!

नठि गेल नाटो, नहि आयल चीन

ने फ्रांस, बिलेँत, ऑस्ट्रेलिया आ  जापान

मुदा, आब मोदी करताह कोन प्रतिकार?

कारण, चित हो वा पट

जीतत डाॅलर, अमेरिका आ ट्रम्पे सरकार!





No comments:

Post a Comment

अहाँक सम्मति चाही.Your valuable comments are welcome.

मैथिलीकें जियाकय कोना राखब: समस्या आ समाधान

कीर्तिनाथक आत्मालापक पटल पर 100 म  लेख   मैथिलीकें जियाकय कोना राखब: समस्या आ समाधान  कीर्तिनाथ झा वैश्वीकरण आ इन्टर...

हिन्दुस्तान का दिल देखो