Thursday, November 12, 2026

मिथिलांचलमे दुर्गापूजाक : तहिया आ आइ

 

मिथिलांचलमे दुर्गापूजाक : तहिया आ आइ

कर्नल (डाक्टर) कीर्तिनाथ झा

दक्षिणक विपरीत मिथिला शाक्त, शैव, वैष्णव, आन विभिन्न मताबलंबी लोकनिक  समन्वयवादी समाज थिक. एके भक्तक ललाट पर बिभूतक त्रिपुण्ड, उर्ध्वचंद्राकार गंगौट, आ सिनुरक लाल ठोपसँ बेसी एहि हेतु आओर कोन प्रमाण चाही. मुदा, एहि ठाम बहुतो गोटे भले प्रति दिन शालिग्राम आ महादेवक पूजा करैत होथि, मुदा, एतय चिनवार पर कुलदेवीक रूप मे भगवतीए स्थापित भेटतीह, भले ओ दक्षिण काली, बंगलामुखी, दुर्गा वा आन कोनो भगवती होथि. महाकवि विद्यापतिक दुर्गाभक्तितरंगिणी तँ सुपरिचित अछिए, हुनक पदावलीओक आरंभ ‘जय जय भैरवि असुर भयावनि’एसँ होइछ . फलतः, मैथिल समाजक आन अनेक पर्वक बीच शारदीय नवरात्राक अवधिक दुर्गा-पूजा एक प्रधान वार्षिक उत्सवक थिक. एहि लेखमे विगत शताब्दीक साठिक दशकक ओही दुर्गापूजा-दसमी  चर्चा भेटत.

दुर्गा पूजा आश्विन शुक्ल पक्षक  पड़िब तिथिसँ दसमी तिथि धरि धरि चलैछ. विधि-विधानक विस्तार आ व्ययक कारण पहिने ई पूजा केवल समृद्ध व्यक्ति  वा सामूहिक सहयोगहिसँ संभव छल. तें, दुर्गापूजाक आयोजन सब गाममे  नहि होइत छलैक. ऊपरसँ, वर्षा ऋतुक तुरत बादक समय. टूटल-फूटल बाट-घाट, छिन्न-भिन्न आवागमनक आ पर्दा-प्रथाक अवरोध सेहो रहैक. फलतः, दस दिन गोसाउनिक पूजा, कुमारि भोजन, आ दुर्गासप्तशतीक पाठ घरे-घर अवश्य होइत छलैक, मुदा, बहुतो गोटे सामूहिक दुर्गापूजा स्थल जा कए  प्रतिमाक दर्शन नहि कए पाबथि.

हमर गामक चारू कात, कोनो पूजा डेढ़ दू कोस (दू-तीन माइल) सँ लग नहि. पूबमे, कमला(नदी)क पूब, नदीक दोसर पार झंझारपुर-नवटोल, पश्चिममे उजान दुर्गास्थान आ छिन्नमस्ता स्थान, उत्तर पश्चिममे सर्वसीमा, उत्तरमे  नडुआर. ओहिसँ दूर, सुकलाराही, आ कोइलख गामक पूजासँ परिचित छी.

हमर गाम, अवाम, सुपरिचित तँ छल. दरभंगाक महाराज रमेश्वर सिंहक विवाह एही गाममे रहनि. गामकेँ एहि संबंधसँ लाभो भेलैक. दरभंगा महाराजक दानसँ स्व. महाराज कामेश्वर सिंहक माताक नाम पर धनवती संस्कृत विद्यालय आ ओकर लगहि लक्ष्मीनारायणक मंदिर, समीपक पोखरि-इनार,  आ एक दू टा आओर पोखरि एहि गामक हेतु दरभंगा राजक योगदान छल. मुदा, अवाममे दुर्गापूजा सामूहिक दुर्गा पूजा नहि होइत रहैक. तें, अवामक अधिकतर लोक दसमी (तहिया लोक दुर्गा पूजा केँ दसमी कहैत रहैक) देखबा लेल नवटोल जाइत छल. अन्यथा, जतय कतहु आन गाममे दुर्गाक मूर्ति बननि वा पूर्वस्थापित पाथरक मूर्तिक पूजा होइनि, संबंधी-सरोकारी लोकनि पूजा देखबा लेल पहुनाइओ करथि, दसमी-दुर्गापूजाक संग ओतुका सांस्कृतिक कार्यक्रम सेहो देखि आबथि. सिनेमा हॉल शहरहिमे रहैक. नाटक-नाच आ गबैआक गायन-वादन सेहो सब ठाम नहि होइक. तें, हमहू दसमी मे अनेक बेर कोइलख गेल छी. आ ओतय अनेक प्रकारक सांस्कृतिक कार्यक्रम देखने छी.

अवाममे दुर्गा पूजा १९७७ मे आरंभ भेल. आरंभमे ई प्रयास ग्रामीण लोकनिक अति साधारण सामूहिक उपक्रम छल. तथापि ‘अपना गाममे’ दुर्गापूजाक आरम्भ एकटा बड़का गप छल.

अवामक दुर्गा पूजाक अगुआ (prime mover) स्वर्गीय बालगोविन्द झा प्रसिद्ध ‘मालिक’ आ श्री अभयनाथ झा (श्री भरत जी) थिकाह. एहि ठामक पूजाक आरंभ हिनके लोकनिक उठाओल डेगक फल थिक. श्री अभयनाथ झा कहैत छथि. ‘ १९७६ ई.क वर्ष. (दुर्गा भगवतीक) कमलामे भसाओन देखि हमरा लोकनि गाम आपस अबैत रही. धनजैया पोखरि लग एकटा खोंड़ा (सड़कक बीचमे पानिसँ भरल खाधि) रहैक. मालिक काका (स्वर्गीय बालगोविन्द झा) कहलनि: भरतजी अपना गाममे पूजा नहि हेतैक ? हम कहलिअनि, ‘किएक नहि ?’
श्री अभयनाथ झा आगू कहैत छथि: ‘हम डालमियानगरमे पदस्थापित रही. ओतयसँ दुर्गा-पूजा समिति अवामक नामसँ चंदाक १००० रशीद छपाकए डाकसँ मालिक काकाकेँ पठा देलियनि. ओ चंदा असूलब शुरू केलनि. गाममे एकटा सिम्मरक गाछक व्यवस्था कए ओएह (बालगोविन्द बाबू) भगवतीक प्रतिमाक हेतु चाल बनौलनि. आ १९७७ ई. मे पहिल बेर अवाम मे दुर्गा पूजाक आयोजन भेल.
’

अवाम दुर्गापूजा: २०१९ 


कोइलख देवी मन्दिर 

हम एहि आयोजनक प्रत्यक्षदर्शी छी. मुदा, पूजा-स्थलक हेतु भूमिक आवश्यकता रहैक. मुदा, स्व. कमला दत्त झा (स्व. महाराज  कामेश्वर सिंहक ममिऔत) एहि समस्याक समाधान केलनि. स्व. कमला बाबू अपन बिज्जूक (आम बगीचा) मे ब्रह्मस्थानक लगहि मूर्ति बैसयबाक अनुमति दए गौआं लोकनिक बड़का उपकार केलखिन. एहिसँ अपन गाममे भगवतीक पूजाक, गौआँ लोकनिक मनोरथ साकार भेलनि.
हमरा ई कहबामे गौरवक बोध होइत अछि जे एहि सामूहिक अभियानमे गामक गरीबसँ धनिक धरि
, जकरा जेना संभव भेलैक, योगदान करैत गेलाह. केओ पाँच टा बाँस काटि कए देलखिन. केओ दस बोझ खढ़. केओ श्रमदान केलनि.
एहि सहयोगसँ पूजाक हेतु खढ़क घर ठाढ़ भेल. पछातिओ गौआंलोकनि बेहरी (चंदा)मे केओ किछु टाका, केओ चारि सेर धान, थोड़ेक चाउर, दू सेर मड़ुआ, केओ चारि ज
’नक श्रमदान, केओ दू-घी-दही, कुम्हड़-कदीमा-सजमनि धरिक योगदान करैत जाथि. एकर चर्चा आगुओ हएत.  हमर पिता स्व. तारानाथ झा मनीगाछी ब्लॉक कार्यालय धरि दौड़-धूप कय दुर्गास्थानक परिसरमे हैण्डपंप गड़बौललनि. कहितो छैक, दसक लाठी, एकक बोझ.

एतय एतबा कहब आवश्यक जे उपरोक्त व्यक्ति लोकनिक अतिरिक्त एहि पूजामे पछबारि टोलक लगभग सभक तथा आरंभमे पुबारि टोलक सेहो किछु व्यक्तिक योगदान आ सहयोग रहनि. पछबारि टोलक बिहारि राय एखन जीविते छथि. ओना जाहि व्यक्ति नामक नामक चर्चा एतय नहि भेले, हुनका लोकनिक योगदान नहि रहनि, से कदापि नहि.
जेना कहल, दसमी (दुर्गापूजा) सब दिन एहि क्षेत्रमे विशिष्ट पर्व रहैक. तें, जे केओ कमौआ गामसँ बाहर रहथि, दसमीमे गाम अवश्य आबथि. हमरा लोकनि सेहो दसमी-दुर्गापूजा, छठि, चौड़चन, फगुआमे यथासंभव गाम जायब नहि बिसरी. मुदा, तहियाक पाबनि तिहार आ अजुका पाबनि तिहारसँ सर्वथा भिन्न रहैक. गाममे गरीबी रहैक. मुदा, आत्मीयता बहुत रहैक. बे
’न-तिहारक परिपाटी रहैक. कोनो-ने-कोनो रूपें सब एक दोसरा पर निर्भर छल. लोकलाजक भय गरीब, धनिक सबकेँ रहैक. आब आर्थिक समृद्धि, आ शहरी संस्कृतिक प्रभाव कारण एक दोसरा पर निर्भरता, समीपी, आ सामाजिक स्तर पर लोकलाजक भयक अभावक असरि  सामाजिक एकता, मनुष्यक मानसिक शान्ति आ सुरक्षा भाव पर सेहो पड़लैके. समाज निरंतर बदलैत राजनैतिक प्ररिदृश्यक जनक आ भुक्तभोगी दुनू थिक.

दुर्गा-पूजाक अनेक सामाजिक आयाम छैक. धार्मिक विश्वास, सामाजिकता आ मनोरंजन एहि सबमे मुख्य अछि. हमर गाममे पूजा आरंभ भेलासँ लोकक धार्मिक मनोरथ अवश्य पूर भेलैक. एहि सामूहिक अभियानसँ  पूजाक अवधिमे सामाजिकता केँ अवश्य बल भेटलैक. मुदा, मनोरंजन ? दुर्गापूजा सदाएसँ सर्वहारा वर्गक मनोरंजनक बड़का श्रोत छल.
अवाम आ लगपासक  गाममे सर्वहारा वर्गक हेतु मनोरंजनक सर्वथा अभाव रहैक. तकर कारणों छलैक.  नवटोल (झंझारपुर), सर्वसीमा, नडुआर. आ कोइलखक तुलनामे अवामक समाज बहुत छोट रहैक. नाटक खेलएबावला शिक्षित युवक समुदाय, मार्ग-निर्देशक अभिभावक वर्गक आ साधनक अभाव रहैक. तथापि, अपन आ लग पासक गौआँ केँ पूजाक दस दिन मनोरंजनक अपेक्षा तँ रहबे करैक. समृद्ध वर्ग ले’ गामसँ बाहरो सिनेमा-सन मनोरंजनक अवसर रहैक. गाममे रहनिहार गरीब वर्ग ओहिसँ अपरिचित छल. अस्तु, ग्रामीणक मनोरंजन ले’ अवामक दुर्गा पूजामे नाटक नहि, छ्करबाजी (छौकरेबाजी) नाचक परंपरा आरंभ भेल. छ्करबाजी (छौकरेबाजी) नाच मिथिलांचल, वा कहू तँ सम्पूर्ण बिहारहिमे सर्वहाराक लोकप्रिय मनोरंजन रहैक. 
छ्करबाजी नाचमे युवक लोकनिक भिन्न-भिन्न दल, जकरा जतय नाचक ठीका भेटैक, जाय आ नाच करय. युवक लोकनिक एहि दल सबहक सदस्य लोकनि पुरुष आ नारि दुनूक रोलमे राति भरिक नृत्य-नाटकक  मंच पर उतरथि. एहि प्रकारक नाच प्रायः, भिखारी ठाकुरक प्रसिद्ध नाचक समकालीन संस्करण छल. मुदा, ई नाच ततेक लोकप्रिय होइत छल, जे गाम-गामसँ मज़दूर वर्गक पुरुष-नारि-बच्चा बुतरूक धर्रोहि साँझे राति पूजा स्थल आबि जाथि. सामान्य सांध्य-पूजा-आरती आ मेला-ठेलामे कीनि-बेसाहि जखन लोक घर घूरि जाइत छल, नाच शुरू होइत छलैक. अवाममे जे दल दुर्गापूजामे आयब शुरू केलक ओहि दलक नाचक नाम छल, गुगुलिया नाच. पूजा,नाच, नाटक सब किछु लालटेन, पेट्रोमैक्स आ पछाति डीजल जेनरेटरक प्रकाशमे होइत रहैक; तहिया एहि इलाकामे बिजुली आपूर्ति शुरू नहि भेल रहैक. सड़क पर तँ रोशनी एखनहु नहि छैक. बाट-घाट नीक नहि रहैक. तें, अधिकतर गौआँ  साँझे राति भगवतीक दर्शन करथि, कहिओ सांध्य-आरतिओ देखि लेथि आ  आपस भए जाथि.

जखन नटुआ लोकनि संझुका भोजन आ साज श्रृंगार क’ कए तैयार होअय, ओ सब लाउडस्पीकर पर अपन गीत-नाद, आ प्रसारण आरंभ कए दियअ. ई रातुक कार्यक्रमक हेतु नटुआ लोकनिक तैयारी पूरा हेबाक संकेत होइक. दर्शक सब अपन-अपन स्थान ठेकनाबथि, अपना संग आनल बोरा, धानक नारक आंटी, वा चद्दरि बिछाबथि आ दोसर दिन सूर्यादय धरि नाचक आनन्द उठाबथि. जे थाकल रहथि वा ओंघा जाथि ठामहि सूतिओ रहथि. तथापि, नाच देखबामे मग्न दर्शकसँ कतेको गोटे भोर भेलहुँ पर जखन ओतयसँ नहि उठथि तँ नटुआ सब हँसी विनोदमे कहए लगैक, ‘दाई-माई सब आब जाइ-जाउ. गाय-माल केँ बहार करू ग’. नहि तँ काज मे जँ बिथुत हेतै, तँ बुढ़िया (सासु) ठुनकासँ मारत.’ मुदा, किछु निभेर निन्न आ नाटक-प्रेमी तैयो नहि उठय!

कलाकार लोकनि राति भरि नाच करथि, आ दिन भरि सूतथि. हुनका लोकनि केँ नित्य प्रति भानस कट कए खोआयबाक भार गौआँक रहैक. हमरा स्मरण अछि, पूजाक आरंभिक वर्षमे अनेक अनेक वर्ष धरि, भगवती भोग आ गुगुलिया नाचक दलक करीब पन्द्रह बीस व्यक्तिक भोजन श्री अभयनाथ झाक अंगनामे बननि.
 तहिया पूजास्थल (आमक बगीचा)मे नटुआक दलकक रहबाक कोनो स्थान नहि रहैक. तें, नटुआ सब केँ टोल पर जतय, जाहि दलान पर जगह भेटैक, सूति रहय. तहिया, वा आइओ, शहर-नगरक विपरीत, देहातमे ‘प्राइवेसी’क अवधारणा ओतेक प्रबल भेल नहि छैक. आ ने तहिया टोल पर पक्का घरे रहैक.
विकीपेडियाक अनुसार गुगुलिया नाचक कथा एक वीर बालक क्षत्रिय गुगलिया (गुगली) आ ओकर सात मामा (गंगवा क्षत्रिय/घाटम भाइ) क बीच भेल पारिवारिक छल, प्रतिशोध और वीरता पर आधारित अछि।

लोकप्रियताक दृष्टिए गुगुलियाक नाच तेहन लोकप्रिय छल जे अजुका टीवी प्रोग्रामक प्रायोजित TRP (Television rating point) ओकर सोझाँ फेल  भए जाइत.
एहि प्रकारक नाच-नाटकक लोकप्रियताक कारण छलैक: अधिकतर नाच-नाटकक विषय-वस्तु सामाजिक रहैक. कथामे गामसँ जीविका लेल दूर शहर गेल निरुपाय दीन-हीन कमौआ, आ घरमे बाटा–बाटी तकैत युवती स्त्री, अबोध नेना, आ निर्धन-बूढ़-रुग्ण माता-पिताक कथाक समावेश रहैक.
किछु नाचमे पारंपरिक लोकनायक आल्हा-रुदल, राजा सल्हेस, लोरिक आदिक गाथा सेहो होइक. मुदा, नाचक कथ्य, कहबाक शैली, नाटकीयता, हँसब-कानब आ स्वरुप जतबे अभिजात्य आ शिक्षित वर्गक स्वभावक विपरीत रहैक, ओ ग्रामीण सर्वहाराक रुचिक ओतबे समीप, आ दर्शकक हेतु मर्मस्पर्शी आ जीवंत प्रमाणित होइक. तेँ, प्रत्येक वर्ष दुर्गापूजाक आरंभिक तैयारी सब म सँ जँ एक दिस कुम्हारकेँ मूर्ति बनेबाक साई (अगाऊ) देल जाइक तँ दोसर दिस गुगुलिया नाचक दलसँ साटा
(contract) करब सेहो अत्यावश्यक काजमे सबसँ प्रमुख रहैत छल. ई साटा कतेक बेर प्रतिवर्षक बदला प्रायः पाँच-पाँच वर्षक हेतु सेहो होइत छल. ज्ञातव्य थिक, आम मज़दूर-किसानक ई नचनिया-नाटककारक दल साल भरि खेती-बारी आ जन-परिजन खटि कए गुज़र करैत छल. मुदा, अभिनय-कला, ढोल-झालि, हारमोनियममे अपन रुचि आ अर्जित निपुणताक कारण दुर्गापूजाक अवसर पर नाच-मंडलीक दलक नटुआ बनि साटाक अतिरिक्त मंच पर चढ़ाऊ आ फरमाइसी गीत-अभिनयसँ किछु आओर टाका सेहो कमा लैत छल; दस दिन नीक-जकाँ निफिकिर भए अपन पेट  तँ चलिते छलैक.

समयक संग गामक समाजमे परिवर्तन होइत गेलैक. कमौआ सबहक पलायनक कारण गाम खाली भए गेल. शहरी लोकनिक हेतु आब मनोरंजनक नव-नव सामग्री हाथहिमे उपलब्ध छनि. ओ लोकनि अपना संग मनोरंजनक नव –नव साधन अपना संग गामो अनैत छथि. नव-नव रीति रिवाज सेहो गाम आयल. हाथक मोबाइल फ़ोन क्रमशः सिनेमा हाल आ टीवीक विकल्प भए गेल. मुदा, गाममे रहैत, कमौआ पतिसँ साल-साल भरि दूर रहैत जनी-जातिक हेतु (गुगुलियाक) नाचक आकर्षण आ प्रासंगिकता एखनो थोड़ नहि भेलैए. फलतः, आइओ, भरि राति ‘चौकी-तोड़’ नाच गाममे जीवित अछि, से तीन चारि-वर्ष पहिने धरि हम स्वयं गाममे देखि आयल छी.

साठिक दशकमे एहि इलाकाक समृद्ध, आ पैघ शिक्षित समुदाय वला गाम सबमे वृहत् पूजा आ उत्तम सांस्कृतिक कार्यक्रम होइत छलैक. सर्वसीमामे प्रसिद्ध गबैआ स्व. रघु झाकेँ शास्त्रीय संगीत गबैत सुनने छी. १९६३ क बाद अनेक बेर कोइलख गामक पूजा देखबाक अवसर भेटल अछि. कोइलखक भद्रकाली मंदिरक परिसरमे गीत-संगीतक आयोजनक अलावा गौआँ लोकनि नाटकक मंचन सेहो करैत रहथि, जाहिमे भीमनाथ झाक लिखल ‘छींक’ प्रहसनक अतिरिक्त शहीद भगत सिंह सदृश नाटक सेहो मन पड़ैत अछि. पछाति, ओतहु बढ़ैत समृद्धि आ वर्चस्वक स्पर्द्धा, समाजिकता आ पूजाक धार्मिकता केँ गीड़ि गेल. फलतः, ओही कोइलख मे १९८६क एक ‘घटना’ मे एके राति तीन गोट गौआँ  युवकक हत्या भेल. हम एकरा ‘घटना’ कहल. कारण, एहि घटनामे तीन गोट ग्रामीण युवक मारल तँ गेलाह, मुदा, सबहक आँखिक सोझाँ भेल मारि-पीट-हत्याक बावजूद  कोर्टमे केओ हत्याक दोषी प्रमाणित नहि भेल ! ई ओहिना भेल जेना दिल्लीमे भरल रेस्तौरांमे सबहक सोझाँ ‘बार-बाला’ जेसिका लालक हत्या भेलनि, मुदा, पहिल बेर केओ दोषी नहि पाओल गेल ! पछाति, दोषीकेँ  सजाए भेलैक.
मुदा, कोइलखमे एकर भार के लैत? फलतः, पीड़ित परिवार म सँ किछु दुर्गापूजा करब भले छोड़ि देने होथि, गाममे भद्रकाली सोझाँ ‘छागदान’ ओहिना चलैत रहल! मुदा, तीन गोटेक हत्या भेलनि; मुदा, हत्यारा दृष्ट रहितो
, कानूनक दृष्टिमे ओ अदृश्ये रहल!     

हमर गाम अवाममे दुर्गा आब पहिनेसँ बहुत वृहत् होइछ. आमक गाछीक बीच झोपड़ी स्थान दुर्गाक पक्का मंदिर ल’ लेलक अछि. ओही बिज्जू-बगीचामे एक कात नाटकक मंच आ दोसर दिस दोकान दौड़ीक हेतु पक्का शेड बनि गेले. मुदा, पूजाक एक पक्ष जे समयक गतिक विपरीत चलि रहल अछि, आ बहुतोकेँ आब अनसोहांत लगैत छनि, ओ थिक (छागरक)बलि प्रदानक परंपरा: अजा पुत्रं बलिं दद्यात्, देवो दुर्बल घातकः! – भगवानो दुर्बल छागरेक बलि लैत छथि. पूजा समिति लेल ‘बलि-प्रदान’ आमदनी श्रोत थिक. भक्त लोकनिक हेतु बलिप्रदान आस्थाक प्रतीक थिक. शिक्षित वर्ग एकरा युगक प्रतिकूल बूझैत छथि. एहि प्रथक अंत करबा लेल हिम्मत चाही. समाजमे इच्छाशक्तिक  अभाव छैक. धर्मभीरुताक समक्ष समाज पंगु अछि. मुदा, रास्ता नहि छैक से नहि. सर्वसम्मतिसँ समाधान संभव छैक.
आब बहुतो गाममे बलिप्रदान नहि होइछ. तें, जतय बलिप्रदान एखनो होइत छैक, कबुला-पाती केनिहार बलिप्रदानक हेतु दूर, दूरसँ छागर ल’ कए अवाम पहुँचैत छथि.

हाल सालमे  मिथिलांचलकमे दुर्गापूजाक संख्यामे अत्यंत वृद्धि भेलैए. विधानमे सेहो परिवर्तन भेलैए. शहरी पूजा तँ पूर्णतया सुविधानुकूल रीतिसँ होइछ.  बंगलोरमे अपार्टमेंट कॉम्प्लेक्सक पूजामे आब माटि कोड़बाक समारोह, बेलनोती, बेल तोड़बाक ढोल-ढाक जुलूस नहि देखबैक.
आब गामहुमे हमरा लोकनिक ओहि ठाम पुरोहित आबि कए दुर्गासप्तशतीक पाठ नहि करैत छथि. तथापि, नित्य प्रति दुर्गापाठक रीति भले समाप्त भए गेल हो, मुदा, अंगने-अंगना कुमारि-भोजनक परंपरा प्रायः एखनो जीवित अछि. सुनैत छी
, आब कुमारिओ भेटब आब कठिन. तहिया, हमर माता लोकनि दुर्गा-पूजाक अवधिमे दसो दिन कुमारि भोजन कराबथि, आ अंतमे, दसमीक दिन कुमारिकेँ अंतिम बेर ‘कुमारि खोआ, अँचरी पहिरा, दक्षिणा दए पयर छूबि प्रणाम कए विदा करथिन. एहि प्रथाक संबंधमे एक बेर स्व. किरणजी कहने रहथि, ‘कुमारि भोजनक परंपरा कन्याक पोषणक धार्मिक विधि थिक.’  हुनक एहि उक्ति केँ हम हुनक व्यक्तिगत विचार बूझैत छी. कारण, कुमारि पूजनमे सेहो जातिक बाधा रहैक. पिछड़ा आ दलित वर्गक कन्या केँ कहाँ केओ कुमारि खोअबैत रहैक. सत्यतः, जाति प्रथाक जड़ि माटिमे बड्ड त’र धरि गेल छैक, समाजमे विभाजनक ई बड़का देबाल थिक, से के नहि मानत. ऊपरसँ , एखनो जेना  सामाजिक  विभाजनक जड़ि निरंतर खाद-पानि देल जा रहल अछि, ताहिसँ भविष्यमे सामाजिक विभाजन घटबाक बदला बढ़य तँ कोनो आश्चर्य नहि. मुदा, व्यक्तिगत स्तर पर आ शहरमे कुमारि भोजनहुमे आब जाति भेद टूटल अछि. हमरा अपन घरमे कुमारि भोजन लेल जाति-धर्मक सीमाक विचार नहि करैत छी.

हँ, भविष्य मे दुर्गापूजाक स्वरुप कोना-कोना परिवर्तित हएत, से कए कहत! भविष्य: दैवो न जानाति, कतो मनुष्यः !

नोट:

[1. समाजक इतिहासक निर्माण एक निरंतर प्रक्रिया थिक. अस्तु, अवाम दुर्गापूजाक संबंधमे जनिका लग, जे कोनो प्रमाणिक कोनो सूचना होइनि, साझा करथि. हम तथ्य जाँचि, आन श्रोतसँ तथ्यक सत्यता प्रमाणित कए अवाम गाम दुर्गापूजाक आधा शताब्दीक एक स्वतंत्र एवं प्रमाणिक इतिहास बनयबाक प्रयास करब.
2. ई आलेख अवाम गाम दुर्गापूजाक इतिहास नहि थिक. एहि लेखमे ओहि विषयक चर्चा प्रसंगात भेल अछि. अवाम गाम दुर्गापूजाक समाजक सब जातिक, आ समाजक प्रत्येक व्यक्ति सहयोगक फल थिक. अस्तु, एहि संक्षिप्त लेखमे सब व्यक्तिक व्यक्तिगत योगदान चर्चा संभव नहि. मुदा, एकर अर्थ ई नहि जे ककरो योगदान छोट वा पैघ रहनि.]  
  

 

 

No comments:

Post a Comment

अहाँक सम्मति चाही.Your valuable comments are welcome.

मैथिलीकें जियाकय कोना राखब: समस्या आ समाधान

कीर्तिनाथक आत्मालापक पटल पर 100 म  लेख   मैथिलीकें जियाकय कोना राखब: समस्या आ समाधान  कीर्तिनाथ झा वैश्वीकरण आ इन्टर...

हिन्दुस्तान का दिल देखो