Saturday, May 20, 2023

यात्रा : भीमाशंकर, शिर्डी, त्र्यम्बकेश्वर

 

यात्रा : भीमाशंकर, शिर्डी, त्र्यम्बकेश्वर

गेलहुँ बहुतो ठाम, मुदा, देखलहुँ किछुए ठाम; कतेक ठाम बाटें-बाट गेलहुँ आ घूरि एलहुँ, वा आगू चलि गेलहुँ. श्रीनगर(जम्मू-कश्मीर) आ महाराष्ट्र एखन धरि एहने लिस्टमे छल. एहि बेर एक विशिष्ट पारिवारिक उत्सव छलैक; हमर भातिज डाक्टर पंकजक पुत्र- प्रणव- आ तेजस्विताक विवाहमे जा रहल छी. अस्तु, विवाह पुरबाक संग पर्यटन/तीर्थाटनक संयोग सेहो बनल. सेहो तीन ठाम: भीमाशंकर, शिर्डी, आ त्र्यम्बकेश्वर.

हमरा लोकनि बंगलोरसँ पूनाक फ्लाइट लेल. आगूक यात्रा टैक्सीसँ. पुणे एयरपोर्ट पर पहिनेसँ बुक कयल टैक्सी एरोसिटी मालमे भेटत. इहो नव अनुभव छल. पुछैत-पुछैत एरोसिटी माल पहुँचहुँ. बेसी दूर नहि, सटले छैक. श्रम बेसी नहि. लिफ्ट आ एस्केलेटरक सुविधा. किन्तु,  पछिला किछुए दू दशकमे अपन देश तेना बदलि गेले, जे निरंतर विकाससँ चिन्हलो स्थान, अनचिन्हार सन लगैछ; आब ओहि ले अनेक हुज्जत; कतेक मोड़, कतेक तल जे मोन हलतल भए जाएत. हएत जे ई तं चिन्हार स्थान नहि, कतय आबि गेलहुँ !

पुणेसँ भीमाशंकर

पुणे हम अनेक बेर आयल छी. मुदा, तहिया लक्ष्य भिन्न रहैत छल. भ्रमणक समय थोड़. तें देखल कम अछि. मध्य फरबरी. शहर केर बाहर गर्मी. भूमि बंजर आ बलुआह. गाछ-वृक्ष रेगिस्तान जकाँ- बबूर-कीकर आ आक. आगू जयबा साढ़े तीन चारि घंटाक यात्रा; दूरी तं केवल ११० कि. मी. किन्तु, आरंभिक ३०-४० कि, मी. बाद चाकण पहुँचैत भोजन बेर भए गेलैक; भोजन कयल आ आगू बढ़लहुँ.

सड़कक कात जलाशय

आगू नारायण गाँओसँ बाटक दिशा बदललैक तं बाट सेहो बदलि गेल; क्रमशः  लचकदार, संकीर्ण सड़क आ ऊपर-नीचा चढ़ाई-उतराई. आगूक इलाका भीमा नदीक जल अधिग्रहण क्षेत्र थिकैक. पथरीला आ लहरदार भूमि. जतय कतहु भूमि नीचा छैक आ पानिक प्राकृतिक बहावक बाट नहि छैक, ओतय अनेक छोट-पैघ झील. छोट-पैघ डैम. पेय जल आ विद्युत् परियोजना. पुणे जिलामे भीमा नदी पर बनल चासकमन डैम एहि क्षेत्रक सबसँ पैघ डैम थिक. सड़कक कातहिसँ ई डैम देखबैक. रोडक कातमे ठाढ़ होउ फोटोग्राफी करू. केवल पहाड़क कगनी पर ठाढ़ भए सेल्फी जुनि घीची. सेल्फीक कारण बहुतो गोटे, डैममे डूबि, रेलमे कटि, ऊँच बहुमंजिली भवन आ पुल सबसँ नीचा खसि व्यर्थमे प्राण गंवओने छथि. अस्तु, पर्यटन सर्वथा सुखद रहय से ध्यान राखी.

चासकमन डैम पुणे जिला 

एम्हर सड़कक काते कात आबादी थोड़ छैक. एक ठाम पैघ झील सन जलाशय देखि ठमकलहुँ. पूनासँ मोटर साईकिल पर आयल दू गोट युवक ओतय भेटलाह. ओहो लोकनि ओतय ठाढ़ भेलाह. हम कहलियनि, ‘ ई कोन झील थिक? कहलनि,’झील नहि भीमा नदी थिक’.                                                                                                  

१२ फरबरी २०२३. रवि दिन. एहन सुन्दर इलाकामे आउटिंग आ पिकनिक जे बहराएबा ले स्थानक कमी नहि. संयोगसँ एहि दिस पूना-मुंबई हाईवेसँ देहाती रास्ता धयला पर ट्राफिक सेहो बहुत थोड़. हमरा लोकनि आगुओ बाटमे एक दू ठाम गाड़ी रोकि लैंडस्केप केर फोटो घिचल. फोटो घिचब शौक थिकैक. मुदा, फोटोक एकटा आओर उपयोग करैत छी; दिन, स्थान, परिदृश्य आ घटनाकें मन पाड़बामे फोटो उपयोगी होइछ. डिजिटल फोटोग्राफीमे रील पर कोनो खर्च नहि. मोबाइल फोन आब मूलतः कैमरा आ कंप्यूटर थिक. संगे, मोबाइलसँ लोक गप्प-सप्प सेहो कए लैछ. मोबाइलमे आब एतेक मेमरी (memory) रहैत छैक, साल पूर्व ओतेक मेमरी कतेक लैपटॉपो नहि होइत छलैक. तें, परिपूर्ण फोटोग्राफी करू, आ जेना इच्छा हो उपयोग करू.

MTDC रिसोर्ट भीमाशंकर 

हमरालोकनि भीमाशंकर गाँओ पहुँचल रही तं प्रायः बेरुक पहरक चारि बजैत छल हेतैक. महाराष्ट्र पर्यटन विकास निगम केर होटल गाँओक शुरुएमे. खूब पैघ परिसर. रहबाक पर्याप्त कमरा. कमरा सबहक आकार पैघ. एतय डोर्मेट्रीक सुवुधा सेहो छैक. सेवा-सुविधा सरकारी गेस्ट हाउस जकाँ. फ़ोनक नेटवर्क कमजोर. होटलक वाई फाई सेहो कमजोरे. किन्तु, डेस्क स्टाफ अपन फोनकें हॉटस्पॉट कए तत्परतासँ  सहायता केलनि. तखने घुरती यात्राक टैक्सी बुक भेल.

भीमाशंकर स्थान बहुत छोट. एतय टैक्सीक आवागमन कम. बेसी लोक ग्रुपमे मिनी वैन वा बससँ अबैत छथि. लोकल टैक्सी नहि भेटैछ, से मंदिर जयबाले टैक्सी कोना भेटत से पुछलापर बुझलहुँ. ऑनलाइन  आउट स्टेशन यात्रा बुक केला पर टैक्सी पूनासँ अबैछ. तें, भाड़ा कनेक बेसी. मुदा, टैक्सी भेटि गेल, ताहिसँ अगिला यात्राक चिंता दूर भेल. आब काल्हि टैक्सीकें संपर्क करबाक हेतु पुनः डेस्क लग आबए पड़त. एहि युगमे जं इंटरनेटसँ दूर छी, तं, बुझू अहाँ कोनो द्वीप पर छी! ने संपर्क, ने बुकिंग, ने भुगतान आ ने समाचार- खबरि! एतय होटलमे रूम सर्विस नहि छैक. चाह चाही तं रेस्टोरेंट में आर्डर करिऔक आ चाहे ओतय बैसि कए पीबू वा अपने लए आउ. मेनेजर एकदम सरकारी स्थायी कर्मचारी जकाँ. लागल हॉस्पिटैलिटी शब्दसँ  अपरिचित छथि. पैरमे घाव रहनि. लंगड़ाइत रहथि. पुछलियनि की भेले. कहलनि, ‘नाश्ता करू!’ ओ ओही घाव नेने किचेनक बाहर भीतर करैत छलाह.                                                                 हमरा सब विचारने रही जे काल्हि भोरे दर्शन करब. मुदा, जखन डेस्कसँ हम पूछताछ करैत रहिऐक तं एकटा मिनी वैन ड्राइवर ओतय ठाढ़ छलाह. ओ करीब बारह-तेरह  स्त्री-पुरुषक दलकें पूनासँ अनने रहथि. यात्री सब दिल्लीवासी. हमरा ओ ड्राइवर कहलनि हमरा गाड़ीमे एखने चलू. तथापि, हम ओहि ग्रुप केर एक वरिष्ठ नागरिकसँ पुछलियनि तं ओ सहर्ष तैयार भए गेलाह. मुदा, बाँकी पराभव एखन बाँकीए छल. ताहिसँ अपरिचित रही.                                    

होटलसँ मंदिर करीब २-३ किलोमीटर. छायादार आ गाछ-वृक्षसँ भरल हरियर ड्राइव. गाड़ी दुनू भागसँ अबैछ जाइछ. ई इलाका भीमाशंकर अभयारण्य थिकैक. ई क्षेत्र अनेक स्थानीय गाछ वृक्ष आ प्राणीक विविधताक हेतु सुपरिचित अछि. विशेषतः ई क्षेत्र ( Indian Giant squirel) नामक जंतुक आवासीय क्षेत्र थिक. मराठी मे सेकरू नामसँ परिचित  ई जंतु महाराष्ट्र राज्यक राजकीय जन्तु थिक. मुदा, जतय लोकक आवागमन ओतय वन्य प्राणी कतय आओत. भोजन-पिरामिडकेर शीर्ष पर बैसल मनुष्य आदि कालहिसँ प्राणी, भैषज्य आ पर्यावरणक एतेक हानि केलक अछि जे आब कोनो जीव जन्तुकें मनुष्यकें चिन्हबामे भांगठ नहि. ओ सब मनुष्यकें देखिते लंक लैत अछि, आ भागि जाइछ.                 

हमरा लोकनि दस मिनटमे भीमाशंकर ज्योतिर्लिंगक थोड़बे दूर स्थित पार्किंगमे उतरलहुँ. एहिसँ आगू सड़क निर्माण कार्य चलि रहल छल. किछु जोगाड़ी वा सरकारी अधिकारी गाड़ी मंदिरक लग धरि लए जाइत छलाह. मुदा, जनसाधारण ले तकर सुविधा नहि. किछु उद्यमी युवक सब दर्शनार्थी सबकें मोटर साइकिलहु पर नीचा लए जाइत रहथिन. मुदा, हमरा लोकनिकें एहन पहाड़ी बाटमे पैदल चलब मोटर साईकिलसँ बेसी सुरक्षित बूझि पड़ल. एही कारणसँ मुक्तिनाथ, नेपाल,मे हमर पत्नी पयर कज्जी रहितहुँ २-३ किलोमीटर केवल हुबा पर ऊपर-नीचा चढ़ि कए आपस आबि गेल रहथि. एतहु सएह भेल. नीचा मुँहे रास्ता आ दस गोटेक संगोर, ताहिमे कएक गोटे हमरहु लोकनिसँ वयासाहु रहथि. चलि पड़लहुँ.

आगू करीब २०० मीटर आगू, मुख्य ढलानसँ दहिना मंदिर दिस जयबाक नीचा दिस कच्चा ढलान. बाट पर  इंटा-पाथर आ माटि. तकर बाद कमसँ  २०० सौ सीढ़ी. सीढ़ी सबहक ऊंचाई बेसी नहि. बाट चौड़ा. ऊपर छत. एक कात पकड़बाक रेलिंग आ दुनू कात दोकान सब. आगू जा कए ई सीढ़ी बामा दिस घूमि जाइछ. तें,  एहि सीढ़ीसँ मंदिर नहि देखबैक. स्वस्थ सक्षम ले ने ई बेसी लंबा भेल आ ने कठिन; कठिन आ सुलभ वस्तुतः वयस, स्वास्थ्य आ चलबाक क्षमता पर निर्भर करैछ. तथापि, हम नीचा मुँहे लम्बा बाट  देखि कए आतंकित भेलहुँ. किन्तु, आस्थावान दर्शनार्थी कतहु आपस हो. हमरा सन लोक जे ने करय! हमरा तं ओहुना कोनो असक्तता नहि. ओहुना असली कठिनता ऊपर चढ़बामे होइछ, से भेल.

नीचा मंदिर लग पहुँचलहुँ. ओतहु निर्माण कार्य. दू चारि गाड़ीओ ओतय देखलिऐक. नहि जानि ककर रहैक. मंदिरक समीप सेहो फल-फूल आ पूजा सामग्रीक दू चारि टा दोकान. कोनो भीड़ नहि. मुदा, वर्दीधारी पुलिस कांस्टेबल सेहो टाका ल’ कए दर्शन करएबाक हेतु आगू.

कोनो पर्व-त्यौहारक दिन नहि. अनुमानतः लोक भीमाशंकर आबि दर्शन करैछ आ आपस भए जाइछ. आस-पासमे बेसी आवास-होटल देखबामे नहि आयल. एहि ठाम रहबाक प्रायः कोनो कारणों नहि. देखबाक स्थान भीमाशंकर तीर्थे टा छैक. यद्यपि, कतहु पढ़ने रही एम्हर ट्रेकिंग रूट सेहो छैक. आ जखन पहाड़ आ जंगलमे निकलि जायब तं देखबाक वस्तुक कमी नहि, केवल देखबाक आँखि, धैर्य, मनक शान्ति आ समय चाही. प्रकृतिकें देखबाक हेतु ई सब आवश्यक छैक.

भीमाशंकर पर्वत भीमा नदीक उद्गम स्थल थिक. मुदा, से देखबामे नहि आयल. कारण, मूलतः हमरा लोकनि ज्योतिर्लिंगक दर्शन ले आयल रही. दोसर, संध्या काल. ई उपयुक्त समय नहि. दिन देखार निचेनसँ घूमि फिरि, इलाका नीक जकाँ देखि सकैत छी. ओहुना सब नदीक उद्गम सेहो एक रंग नहि. संकीर्ण उपत्यकामे ग्लेशियरसँ निकलैत गंगा-यमुना-ब्रह्मपुत्र-सिन्धु सन नदीक उद्गम एक ठाम देखि सकैत छी. किन्तु, जतय ग्लेशियर नहि छैक, आ रुख-सुख समयमे पहाड़सँ जलक प्रवाह क्षीण रहैछ, ओतय एक स्थान पर नदीक उद्गमकें देखब सुलभ नहि. वस्तुतः, एहि सबठाम नदीक उद्गम एक स्थान नहि, एक क्षेत्रसँ होइछ. प्रायः तहिना भीमाशंकर क्षेत्रक एक विस्तृत क्षेत्रसँ  भीमा नदीक अवतरण होइछ, जाहिमे आने सब नदी जकाँ, जल अधिग्रहण क्षेत्रक आओर धारा सब मिलैत चल जाइछ आ अंततः समतल भूमिमे अबैत-अबैत नदी, भूमिक भौगोलिक गुणक अनुकूल स्वरुप धए लैछ.

मुदा, हमरा एतबेसँ संतोष नहि भेल. Google Earth पर खोजबीन कयल. ओहिमे स्थानक ठोस स्वरुप देखि सकैत छी. से देखलासँ बुझल जे श्रीभीमाशंकर ज्योतिर्लिंग स्थल एहि इलाकाक सबसँ ऊँच स्थल थिक. ओहि ठामसँ जे जलधार बहराइछ जे मंदिरक पाछूक खड़ा ढलान पर दए भीमा नदीक रूप लैछ. ओतय नदी नहि देखबाक दुःख नहि. 

श्रीभीमाशंकर ज्योतिर्लिंगक गर्भगृहक सामने  
कारी पाथरसँ निर्मित भीमाशंकर ज्योतिर्लिंगक मंदिर आकारमे छोट, किन्तु भव्य. मंदिरक आगू नांदी युगल तत्पर. मंदिरक बनावट ओहने जेहन उत्तर भारतमे अधिकतर मंदिर होइछ; नागरा शैलीक मंदिर. मंदिर परिसरमे कोनो भीड़ नहि, सब मिला कए गोड़ पचासेक लोक- भक्त, पुजारी आ पुलिस. साँझ होइत रहैक. गर्भगृहक केन्द्रमे शिवलिंग, शिवलिंग चानीक झाँपनसँ झाँपल. भीतर एक टा पुजारी आ एकटा कांस्टेबल. पुलिस कांस्टेबल पुजारीक सामने हमर पत्नीक हाथसँ चढ़ावाक सौ टाका बुझू छीनि लेलकनि, ताहिसँ ओ ज्योतिर्लिंगक चानीक आवरणक स्पर्श कए तृप्त भेलीह. ई बड़का तृप्तिबोध, आ यात्राक सफलता. गर्भगृहक आगूक आयताकार बरामदा पर टेबुल पर एक दू टा पुलिस सिपाही बैसल. बरामदा पर एकटा टेबुल लगा कए मंदिरक एक प्रौढ़ पुजारी बैसल दानक टिकट कटैत रहथि. जे जुरल, हमरो लोकनि प्रस्तुत कयल आ रसीद लेल. पुजारी जी एकटा लिफाफ पर हमरासँ  हमर पता लिखबओलनि.

श्री भीमाशंकर ज्योतिर्लिंग मंदिर 

संकीर्णस्थान, निर्माण कार्यक मचान, लोहा-लक्कड़, सिमेंट-बालु. तथापि, मंदिरक परिसरमे एक दू टा फोटो लेल आ आपस भेलहुँ. दोसर दिन फेर ओम्हर गेलहुँ नहि.  घुरतीमे एतेक सीढ़ी कोना चढ़ब, आपस कोना हएब ताहि पर ध्यान लागल छल. समस्या नहि भेल, से कोना कहब. खैर, कोहुना आपस तं होइत गेलहुँ. जं हम कहब जे अस्वस्थ, भारी देह आ जोड़क समस्याक संग भक्त एतय नहि आबथु, तं से उचित नहि. कारण, एक तं ई आस्थाक विपरीत भेल- पंगु चढ़य गिरिवर गहन-, आ दोसर, कोन ठेकान हमर विचार धर्म-विरुद्ध आचरण आ दण्डनीय मानल जाए ! अस्तु, यात्राक योजना बनेबासँ पूर्व मंदिर परिसरक स्थिति आ जेबाक बाटक सूचना एकत्र करी आ अपन पौरूखक अनुकूल स्वयं निर्णय करी.

श्री भीमाशंकर तीर्थयात्राक करीब मास दिनक पछाति एकटा लिफ़ाफमे ‘क्षेत्रोपाध्ये उदय बालकृष्ण गवांदे (थोरले इनामदार)’ क दिससँ  भीमाशंकर महादेवक बिभूति (श्री श्री भीमाशंकरचा प्रसाद) डाकसँ आयल.

शिर्डी यात्रा

शिर्डी  आ शिर्डी साई बाबाक परिचय आवश्यकता नहि. शिर्डी महाराष्ट्रक अनेक मुख्य पर्यटन स्थलमे एक अछि. हेबनिमे साईबाबा सेहो विवादक घेरामे छलाह. विवादक संबंध साईओसँ- ओ मस्जिदमे रहथि आ नमाजो पढ़थि, आ वर्तमान आबोहवा दुनूसँ छैक.

श्रीमद्भगवद्गीताक अनुसार नीक लोक देवताकें पूजैत छथि,राजसी प्रवृत्तिक लोक यक्ष, राक्षस (आ महामानव/ सिद्धपुरुषकें) पूजैत छथि, आ तामसी प्रवृत्तिक लोक भूत-प्रेतक पूजा करैत छथि.

[यजन्ते सात्त्विका देवान्यक्षरक्षांसि राजसा:
प्रेतान्भूतगणांश्चान्ये यजन्ते तामसा जना
: ।। अध्याय १७, श्लोक ४]

विचार भिन्नता स्वस्थ समाजक लक्षण थिकैक. विचारक भिन्नता केवल परस्पर आदरक आधार पर होअए. कारण, धार्मिक आस्था मनुष्यक मौलिक अधिकार आ स्वतंत्रता थिकैक. तखन एहिमे कोन विवाद.

भक्त लोकनिक अनुसार, शिर्डी साईंबाबा सोलह वर्षक वयसमे शिर्डी (जिला अहमदनगर, महाराष्ट्रक) आबि, ओतय डेरा देलनि आ अंततः ओतहि रहि गेलाह. हुनक मृत्युक पछाति भक्त लोकनि , हुनक समाधि आ आवासकें साईबाबाक स्मारकक स्वरुप देलखिन. साईंबाबाक  आवास( द्वारकामाई मस्जिद ) हुनक समाधि आ समाधिक आसपास हुनक समकालीन-सहयोगी- समीपी भक्त लोकनिक आवास आ स्थानक कारण  शिर्डी अंतर्राष्ट्रीय पर्यटन स्थल अछि. इएह स्थल एतुका ह्रदय आ पर्यटन उद्योगक मूल थिक.

साईबाबाक स्मारक आ स्मारकसँ जुड़ल आओर सब स्थलक प्रबंधन  श्री साईबाबा सेवा संस्थान ट्रस्ट, शिर्डी द्वारा संचालित अछि. एहि संबंधमे सब जानकारी https://sai.org.in पर उपलब्ध अछि. अपन उत्कृष्ट गतिविधि ले सुपरिचित, ई समाजसेवी संस्था भक्त लोकनिक विपुल आर्थिक योगदानसँ सामाजिक आ धार्मिक क्षेत्रमे अनेक महत्वपूर्ण काज करैछ. हमरा लोकनि सेहो एतय साईंबाबा समाधिए भ्रमण ले आयल छी.

शिर्डीमे हमरा लोकनि महाराष्ट्र टूरिज्म विकास निगम केर रिसोर्टमे डेरा देल. ई रिसोर्ट आ साईबाबाक समाधिक परिसर सटले अछि. ओना एहि सड़क पर होटल, गेस्ट हाउस, दोकानक कमी नहि. श्री साईबाबा सेवा संस्थान ट्रस्ट केर सेहो प्रायः हज़ार कमराक अतिथिशालाक अनेक भवन छैक.  MTDC Resorts शिर्डीक कमरा, भोजनालय आ परिसर साफ़-सुथरा आ आरामदेह लागल. पार्किंग सेहो पैघ. भोजन आ सर्विस ६/१०. हमरा होटल बुक करबाक हिस्सक अछि, तें ऑनलाइन बुक केने रही. आ कोनो असुविधा नहि भेल.

कोनो पर्व त्यौहार नहि. स्कूल खूजल छलैक. ओहुना सोम दिन; साई संस्थान सबमे बृहस्पति दिन मेला रहैत छैक. तें, हमरा लोकनि टहलैत समाधिक साइड गेट लग गेलहुँ. सीनियर सिटिज़न देखि हमरा लोकनिकें पुलिस रक्षाकर्मी ओतहिसँ प्रवेशक अनुमति दए देलनि. मोबाइल फ़ोन भीतर वर्जित छैक. अस्तु, मोबाइल फ़ोन रखबाक एवजमे एकटा दोकानसँ किछु मेवा-मिसरी किनल. ओ हमर फ़ोन राखि उपकृत केलनि. मुदा, चिंता तं खूब भेल. आइ काल्हि मोबाइल फोनसँ केओ हमर जन्मपत्रीसँ ल कए हमर बैंक अकाउंट धरि रहैत छैक. मोबाइल फोन हाथमे भेने केओ हमर अकाउंट  ऑपरेट कए सकैछ. किन्तु, हमरा आओर कोनो उपाय नहि छल.

शिर्डी साईबाबा समाधिक पाछाँ, दहिनाकात द्वारकामाई मस्जिद 

समाधि भवनक भीतर भीड़ नहि. वस्त्रसँ झाँपल साईबाबाक समाधि. फूलक माला. समाधिक पाछाँ हुनक आदमकद बैसल मूर्ति. नियंत्रित शान्त वातावरण. प्रणाम केलहुँ आ बाहर अयललहुँ. दर्शन करबाकाल भीतरमें एकटा अनेरुआ कुकुर सेहो छल. केओ कहलक जे बाबाक लग जीव जन्तु अहिना अबैत रहैत छलनि. तें, कुकुरकें एतय केओ भगबैत नहि छैक ! समाधि भवनसँ  बाहर निकलि लेंडी बाग़ नामक परिसरमे अयलहुँ. ओतय एक भवनमे छोट संग्रहालय. समीपमे नीमक गाछ. सुनैत छी, साईबाबा एहि नीमक गाछ तर अधिक काल बैसथि. कनेक दूर हंटि कए हुनक पाँच सहयोगी आ सेवक लोकनिक समाधि; एक कात एकटा मज़ार सेहो. मज़ार लग एकटा मौलवी हाथमे मयूरपाँखिक मुट्ठी रखने. धूप जरैत. लगमें एकटा धुनी सेहो.

सब किछु देखि परिसरसँ बाहर अयला पर प्रसादक दोकानसँ एक पैकेट प्रसाद लेल. साईंबाबा ट्रस्टक प्रसादक दोकान एहि शहरमे प्रत्येक सड़क, गली, नुक्कड़ पर भेटत. आब सब सब ठाम जाइत अछि. तें, प्रसाद, बद्धी आ बिभूत सनेस नहि. तैयो तीर्थमे लोक किछु किनिए लैछ.

हमरा लोकनि दोसरो दिन शिर्डीमे रही. घुमैत-फिरैत ‘द्वारकामाई’ नामसँ  प्रसिद्ध पुरान मस्जिद, चावड़ी, इत्यादि सेहो देखल.

सिद्धपुरुष लोकनिक जीवन सदासँ  लोककें प्रभावित करैछ. ताहिमें आश्चर्य नहि. मुदा, महापुरुष लोकनिक लाखों भक्त लोकनि जं संत लोकनिक जीवनक अनुकरण करैत सत्य, इमानदारी आ चोरिसँ परहेजक प्रण लए लेथि तं भारतक स्वरुप बदलि सकैछ; पूजा करब कतेक सुलभ छैक, जीवन पद्धतिकें सुधारब कतेक कठिन !               

(शनि) शिंगनापुर 

शिर्डी प्रवासक दोसर दिन हमरालोकनि (शनि) शिंगनापुर नामक  गाँओ गेलहुँ. ७५ कि. मी. दूर. देहाती इलाका. बाटमे कुसियारक अजस्र खेती. सड़कक कातमे ठमकि एकठाम गुड़ सेहो किनल.

शिंगनापुर गाम शनिक प्रतीकक हेतु प्रसिद्ध अछि. एहिसँ पूर्व असम केर दूमदूमामे आ कतहु राजस्थानमे शनिक मंदिर देखने रही.

शनिग्रहक प्रतीक 

शनि शिलाखण्डक दोसर चित्र 

एतय विशाल परिसर. भीड़ नहि. मुदा, घेड़-बेढ़ देखि लागल जे समय-समय पर भीड़ होइत हेतैक.  शनि ग्रहक प्रतीक नाम पर समेंटेड चबूतराक बीच करीब चारि फुट ऊँच, दू फुट चौड़ा,  कारी ग्रेनाइटक एक शिलाखण्ड गाड़ल. एतय लोक कडू (सरिसबक) तेल अर्घ्य चढ़बैछ.चबूतराक  एक कात, स्टैंड पर एक स्टीलक  पैघ बर्तन राखल. ओहिमे तेल ढारू. मोटरसँ, पाइप द्वारा तेल पाथर पर खसैत रहैछ. नीचा बहैत तेल   अंततः नालामे जाइछ. सुनैत छी, केओ बहैत तेलसँ उर्जा उत्पादनक विचार केने छथि. मुदा, गणेश जी दूध पिबैत छथि, ओहि दूधक कोन उपाय!

शनि शिंगनापुरसँ आपस आबि हमरालोकनि सोझे श्री साईबाबा सेवा संस्थान ट्रस्ट, शिर्डीक भोजनालयमे भोजन करय गेलहुँ. सुनैत छी, प्रति दिन हजारो पर्यटक-भक्त एतय भोजन करैत छथि. हमरोलोकनि कूपन लेल आ डाइनिंग हॉलमे सादा साकाहारी भोजन कयल. हमरा लोकनि अरविंद आश्रम पांडिचेरी आ गुरुद्वारा मणिकरण साहेब(हिमाचल प्रदेश) आ स्वर्णमंदिर परिसर, अमृतसरमे सेहो प्रसाद ग्रहण कयने छी.

एहि भोजनक संग शिर्डीक भ्रमण समाप्त भेल. हमरासँ चूक ई भेल जे एहि यात्रामें समीपहिक घृष्णेश्वर ज्योतिर्लिंगक दर्शन, एवं अजन्ता-एलोराक यात्रा नहि भेल. मुदा, से फेर कहियो. कारण एखन धरि भीमाशंकरक अतिरिक्त कतहु तेना भए परेशान नहि भेल रही. किन्तु, १५ फरबरी २०२३ शिर्डीसँ इगतपूरीक यात्रा ले विदा हेबाले रही कि हमरा एक बड़का उल्टी भए गेल. पछाति हमर पत्नीकें सेहो पेट ख़राब भेलनि. पछिला राति MTDC Resorts मे आबेशसँ जोवारक रोटी खयने रही. आइ भोर मे अंगूर खयने रही. आब दोषी MTDC Resorts क भोजन, श्री साईबाबा सेवा संस्थान ट्रस्ट, शिर्डीक भोजनालयक ‘प्रसाद’ वा अजुका भोरुका अंगूर छल, कहब मोसकिल. मुदा, एतबा कहबामे तं कोनो संकोच नहि जे ई पेट खराब बरिआतीक विशिष्ट भोजनक आनन्द तं हरण कइए देलक. आगुओ अगिला एक हफ्ता धरि हमरा लोकनिक संग नहि छोड़लक. रक्ष एतबे रहल जे ‘पेट खराबी’ ततेक सीरियस नहि छल. फलतः, अस्पतालमे भर्ती हेबासँ बचलहुँ, आ यात्रा-कार्यक्रम यथावत् पूरा भेल.

त्र्यम्बकेश्वर,महाराष्ट्र

इगतपुरीमे बरिआती पुरलाक बाद हमरा लोकनिक अगिला पड़ाव नासिकक समीप त्र्यम्बकेश्वर ज्योतिर्लिंगक नगर छल. ६० कि. मी. क दूरी. टैक्सीसँ अयलहुँ.

त्र्यम्बकेश्वर ज्योतिर्लिंग महाराष्ट्रमे तीर्थयात्री शैव लोकनिक हेतु प्रमुख तीर्थस्थल थिक. हमरा लोकनि १८ फरबरी २०२३ क शिवरात्रिक दिन त्र्यम्बकेश्वर पहुँचल रही. भक्त लोकनिक हेतु शिवरात्रि शिवालय जयबाक उत्तम अवसर थिक. किन्तु, हमरा सब भीड़सँ बचय चाहैत छी. तें, ओहि दिन दर्शन नहि कयल. एतहु MTDC Resorts मे कमरा बुक छल. एहि यात्रामे महाराष्ट्र पर्यटनक गेस्ट हाउसक गुण-अवगुणसँ परिचय करबाक नेयार छल. उत्तर भारतक स्थिति सबकें बुझले अछि. हम गुजरात, तमिलनाडु, केरल इत्यादिमे सरकारी पर्यटन गेस्ट हाउसमे रहल छी. पर्यटन विभागक गेस्ट हाउसक गुण छैक, प्राइम-लोकेशन, ऐल-फ़ैल स्थान, आ कएक ठाम तीन सितारा होटलसँ कम खर्च. किन्तु, अवगुण अनेक. साफ-सफाईक अभाव, भोजनक कमजोर क्वालिटी, कमजोर कस्टमर सर्विस आ स्टाफमे सेवा भावक अभाव. अनेक सुविधा रहितो ई सब अवगुण सरकारी उपक्रमकें हॉस्पिटैलिटी उद्योगमे प्राथमिकता सूचीमे सबसँ नीचा कए दैछ.

त्र्यम्बकेश्वर MTDC Resorts क  लोकेशन ज्योतिर्लिंगक मंदिरसँ करीब 1 किलोमीटर. सोझ रास्ता. फ़ैल स्थान, कमरा एवरेज, किन्तु, साफ़ सुथरा. किन्तु, एहिसँ आगू सब अवगुणे-अवगुण: परिसरक बीच गोड़ पचासेक युकलिप्टसक गाछ पर निरंतर लाखों पैघ-पैघ बादुर (चमगादड़) लटकल. परिसरमे सुरक्षाक देवालक अभावमे अजस्र सुगरक बेरोकटोक अबर्यात. रिसोर्टमे कैटरिंगक सुविधा नहि. फोन पर आर्डर केला पर भोजनक आपूर्ति कोनो बाहरक - पता नहि कोन- भोजनालयसँ. परिसरमे चाहोक व्यवस्था नहि. लगमे कोनो होटल-भोजनालय नहि जे जाइओ कए किछु लए आनी. कुल मिलाकए जं केवल रातिमे सुतबाक हो तं एतय डेरा ली. ताहू पर चमगादड़ आ सुगरक बीच रहए पड़त. हमरा लोकनि एतय दू राति बिताओल तें बेस असुविधाक अनुभव भेल.

एहि रिसोर्टक लगहिसँ ब्रह्मगिरिक ट्रेकिंग टूर केर बाट आरंभ होइछ. एतय बहुतो गोटेकें back पैक आ हाथमें लाठी नेने ऊपर दिस जाइ देखलिऐक.

ब्रह्मगिरि 

१९ फरबरीक अहल भोरे ज्योतिर्लिंगक दर्शनक हेतु जयबाक हेतु एकटा ऑटो १८ तारीखक दिन बुक केने रही. ऑटो ड्राइवर पाँच बजे भोरमे आयब गछने छलाह. मुदा, आधा दर्जन बेर फोन केनहुँ अयलाह. अंततोगत्वा अपनहि पयरे मंदिर धरि गेलहुँ आ ऑटो आनल.

श्रीत्र्यम्बकेश्वर ज्योतिर्लिंगक मंदिर 

गर्भगृहक आगाँ 

भोरक समय. छोट इलाका. साफ़-सुथरा आ भीड़ नहि. किन्तु, शिवरात्रिक कारण मंदिर प्रवेशक सोझ द्वारक बदला लंबा रास्तासँ जाए पड़ल. खूब फ़ैल परिसर. नीक व्यवस्था. एतय स्पेशल दर्शनक टिकट मंदिरक द्वारिए लग, बीच बाज़ारहिमे छैक. मुदा, हमरा लोकनिकें टिकटक आवश्यकता नहि भेल.

मंदिरमे भक्त 

अंगनैक बीच मंदिर. दर्शन कयल. जलधरीमे शिवलिंगक कोनो प्रमाण नहि. लगैत अछि, बैद्यनाथहि जकाँ निरंतर जल प्रवाहक आघातसँ शिवलिंगक क्षरण भए गेल छनि. भीमाशंकर जकाँ एतय चानीक झाँपन नहि रहनि. एतय स्पर्श आ जलाभिषेकक मनाही छैक.

दर्शनक बाद हमरा लोकनि गर्भगृहक आगाँक मंडपमे किछु काल ले ठाढ़ भेलहुँ. फोटोग्राफीक मनाही तं सब ठाम रहिते छैक. तथापि, पुलिसक सोझाँ सैकड़ों, हं, सैकड़ों, तीर्थयात्री मोबाइलसँ फोटोग्राफी आ विडियोग्राफी कए रहल छलाह. हम ओतुका एक प्राइवेट गार्डकें पुछलिऐक, ‘हम एकटा फोटो ली ?’ ओ अनुमति देलनि तं हमहूँ मोबाइल निकालि, फोटो लेबाक सोचिते रही, कि बिजुलीक गतिसँ पुलिसक एक सिपाही हाथसँ मोबाइल छीनि लेलक. ओकर एहन अचानक फोन छिनबसँ हम स्तब्ध भए गेलहुँ. हम ओकरा मोबाइल आपस करबा ले कहलिऐक तं अनठाबए लागल. हम पहिएँ जाहि गार्डकें पुछने रहिऐक ओ ओतहि ठाढ़ छल. हम पुलिस कांस्टेबलकें कहलिऐक, ‘हिनका पुछियनु.’ ओ गार्ड जखन कहलकैक तखन हमर फोन आपस भेल. बादमें विचार कयल: बाहरी लोक आ सीनियर सिटीजन. भोरे-भोर कांस्टेबलकें किछु आमदक उद्देश्य छल होइक; लखनऊमे २००७ मे तं पासपोर्ट बनेबाक हेतु पुलिस वेरिफिकेशन ले एकटा सिपाही रम केर बोतल डेरासँ लइए गेल छल.   

एतय मंडपक नीचा, लगहि, एक सब इंस्पेक्टर सहित कएक टा पुलिस कांस्टेबल कुर्सी लगा बैसल छल. चारू कात निर्विकार फोटोग्राफी आ विडियोग्राफी चालू छल. दर्शन कयलो  पर हमर मन तिक्त भए गेल छल. भगवानक मंदिरमे बैसि भरि दिन पंडा-पुरोहित आ पुलिस सबहक सामने टाका बटोरैत रहैत अछि आ हमरालोकनि देखैत रहैत छी. किन्तु, एहि जनतंत्रमें नागरिककें एतेक हिम्मत नहि जे पुलिसकें केओ टोकय. कारण, भारतमें सरकारी तन्त्र  भ्रष्टाचारक जनक तं छीहे,  इएह नागरिकक सबसँ बड़का उत्पीड़क सेहो थिक. पुलिस-प्रशासन- आ जांच विभागक एही उत्पीड़क शक्तिक प्रयोगसँ  सत्ताधारी लोकनि विरोधीक नियंत्रण आ आ अपना ले टाका बटोरैत छथि. मुदा, ई सब एतेक सामान्य भए गेल छैक, जे जं एकरा विरुद्ध किछु बाजू तं मारि खाउ. सज्जन व्यक्ति सामने कहिऔक तं ओ अहाँकें नीक जकाँ बुझा देताह जे एना सदासँ भ’ एलैए, सब लैत छैक, इत्यादि, इत्यादि. तें, हमरा स्थान देखबामें रुचि अछि, दर्शनमे एकदम नहि. भगवानकें तकबाक काज नहि, ओ हमरा-अहाँक भीतर आ सब प्राणीमे छथि. तखन, ‘कस्तूरी कुंडल बसे मृग ढूंढे वन माहि’ ! मंदिरमे कपार फोड़बैत रहू. मूर्तिक कार्बन डेटिंग करैत रहू. एहि बेर मार्च २०२३मे, अहल भोरे चारि-पाँचक बीच, बनारस विश्वनाथक मंदिर परिसरमे दर्शन करैत श्रद्धालुक बीच,  बिना मेलाके पुलिस आ पुजारी सब मिलि तेहन रेड़ा  केने छल जे बांहिकें पसारि जं बचाव नहि केने रहितहुँ तं छातीक एक-आध पसली अवश्ये टूटि जाइत. सेहो नहि बिसरल अछि.  

त्र्यम्बकेश्वरक मंदिरमे दर्शनक पछाति बाहर आबि, ओतहि ठाढ़ भए चाह पियल. एहि ठाम आँ फल फलहरीक संग कथ बिकाइत देखलिऐक. एक ठाम दू गोट बूढ़ी पैघ-पैघ दानेदार वस्तु, गोंद कहि बेचैत रहथि. हमरा लोकनि टेम्पो पकड़ि होटल आपस एलहुँ. टैक्सी समय पर आयल. त्र्यम्बकेश्वरसँ  पुणे पाँचसँ छौ घंटाक यात्रा. बाटमे भोजन भेलैक. चारि बजे धरि पुणे एयरपोर्ट. बंगलोर डेरा पहुँचैत रातिक दस बाजि गेल. सुरक्षित दुनू गोटे घर आपस भेलहुँ से सबसँ बड़का संतोष.   

        

  

No comments:

Post a Comment

अहाँक सम्मति चाही.Your valuable comments are welcome.

मैथिलीकें जियाकय कोना राखब: समस्या आ समाधान

कीर्तिनाथक आत्मालापक पटल पर 100 म  लेख   मैथिलीकें जियाकय कोना राखब: समस्या आ समाधान  कीर्तिनाथ झा वैश्वीकरण आ इन्टर...

हिन्दुस्तान का दिल देखो