Wednesday, June 8, 2022

महादेव पूरण टिबरेवाल इंगलिश उच्च (MPTHE) विद्यालय, झंझारपुर : हमर उदारवादी गुरुकुल

 

महादेव पूरण टिबरेवाल इंगलिश उच्च (MPTHE) विद्यालय, झंझारपुर

( वर्ष १९६७-७१ )

भारतक स्वतंत्र भेलाक पछाति शिक्षित वर्गमे धिया-पुताकें पढ़यबाक प्रवृत्ति जोर पकड़लकैक. किन्तु, मिथिलांचलमे स्कूल आ ताहूमे हाई स्कूल अत्यंत अभाव रहैक. अधिकतर हाई स्कूल सब निजी दान आ दाताक उदारतासँ  स्थापित भेल रहैक. तहिया शिक्षा उद्योग नहि बनल छल. स्कूलक दूरी, यातायातक असुविधा आ अर्थक अभावक कारण बहुतो विद्यार्थी ले हाई स्कूलमे पढ़ब कठिन रहैक. पुरान दरभंगा जिलामे गनल-गुथल हाई स्कूल रहैक. महादेव पूरण टिबरेवाल उच्च विद्यालय, झंझारपुर हमर गामसँ सबसँ लग छल. हमर नाम ओतहि लिखाओल गेल. ओहि समयमे हमरालोकनि, अपन गामक करीब पन्द्रह-सोलह विद्यार्थी, प्रतिदिन पाँव-पैदल झंझारपुर जाइ. छात्रक दलमे आठवाँसँ   कए एगारहवाँ धरिक छात्र रहथि. एहिमे कमलाक पछबरिया तटबंधक पश्चिमक  अवाम, रतौल, मदनपुर, रहीटोल धरिक विद्यार्थी रहथि. किछु विद्यार्थी पोखरिभिंडा आ उजानसँसेहो आबथि. अवामक विद्यार्थी सब कमलाक पश्चिमी बान्हपर संग होइत छलहुँ आ ओहिसँ आगू धबौली बाध होइत कमलाक काते-कात झंझारपुर चल जाइत छलहुँ. साईकिल ककरो लग नहिं रहैक. ककरो पयरमे जूता-चप्पल नहि. छात्र लोकनिकमे एकोटा कन्या नहि रहथि. अधिकतर कन्याक विवाह प्राथमिक शिक्षासँ पहिनहि वा ओकर तुरत बाद भए जाइनि. कन्या लोकनि शिक्षाक प्राथमिकताक सूचीमे सबसँ नीचा रहथि. तें, हाई स्कूलमे छात्रा लोकनिक संख्या नगण्य छल. जे केओ स्कूल आबथि ताहि म सँ एक दू टा स्थानीय माड़वारी व्यापारी लोकनिक परिवारसँ वा स्थानीय सरकारी अधिकारी लोकनिक कन्या रहथिन. तें, सहशिक्षाक वातावरणमे बालक आ कन्या लोकनिक एक दोसरासँ  परिचयक कारण किशोरक जे मनोवैज्ञानिक विकास होइत छैक, ताहि वातावरणक अभाव रहैक.

महादेव आ  पूरण  टिबरेवाल उच्च विद्यालय, झंझारपुरक स्थापना, वर्ष 1952 मे भेल छल. महादेव आ  पूरणमल  टिबरेवाल नामक दू टा स्थानीय माड़वारी व्यापारी एहि विद्यालयक स्थापना कयने रहथि. एहि इलाकाक दू टा पुरान स्कूल- केजरीवाल स्कूल आ  मधेपुर हाई स्कूल- कोस भरि दूर झंझारपुर बाज़ार आ दू कोस दूर पूब रहैक. प्रायः तें एतुका व्यापारी लोकनि हाई स्कूलक आवश्यकता अनुभव कएलनि आ एतहि नव स्कूलक स्थापना केलनि.

महादेव आ  पूरण  टिबरेवाल हाई स्कूल झंझारपुर रेलवे जंक्शन ( तहियाक स्टेशन) क ठीक उत्तर, पूबे-पच्छिमे जाइत रेलवे लाइनक दोसर उत्तर अछि. हमरा सबहक समयमे स्कूल, दक्षिण मुँहक फूसक भवनमे रहैक. छात्रावास खपरैल भवन पश्चिम मुँहे छल. विद्यालयक दुनू भवनक दुनू अंग मिला कए L-आकारक रहैक. स्कूलक आगू पैघ फील्ड रहैक जकर पूर्व-दक्षिण कोन पर हैण्ड पम्प आ दक्षिण-पश्चिम कोन पर एकमात्र सर्विस टॉयलेट रहैक. फील्डक पश्चिम पोखरि रहैक. स्टेशनसँ उत्तर गेनिहार यात्री लोकनि स्कूलक फील्ड होइत जाइत रहथि. फील्डमे खेल-कूदक कोनो व्यवस्था नहिं.

एहि स्कूलमे  विज्ञान, कला एवं वाणिज्य, पढ़ाईक तीनू विकल्प उपलब्ध रहैक. स्कूलक नीक पढ़ाई रहैक. विद्यार्थी लोकनि जिज्ञासु रहथि आ शिक्षक लोकनि विद्यार्थीक जिज्ञासा शान्त करबामे तत्पर रहथि. शिक्षक लोकनि योग्य आ अनुभवी रहथि. किछु गोटे सामूहिक आ प्राइवेट ट्यूशन सेहो दैत रहथिन. हेडमास्टर स्व. जीव नारायण दास तं एहि स्कूलमे अयबासँ पूर्व बेलाही हाई स्कूलमे उपप्रधानाध्यापकक रूपमे सेहो काज केने रहथि. दू गोट उद्धरण जे ओ बेसी काल कहथिन. कहथि, हौ बाइबिल में कहने छैक” ‘Man is the cream of creation.’  Napoleon Bonaparte क कथन  Impossible is the word found only in the dictionary of fools.’ सेहो ओ यदा-कदा कहथिन.

स्कूलमे विज्ञान, कला आ वाणिज्य तीनू विकल्पक पढ़ाई होइत रहैक. जीव विज्ञान पढ़यबाक व्यवस्था नहिं रहैक. पदाथ विज्ञान आ रसायन विज्ञानक हेतु प्रयोगशालाक व्यवस्था रहैक. छात्रकें प्रयोग करबाक अवसर भेटैक. कोर्स-वर्कक अतिरिक्त कहिओ काल वाद-विवाद प्रतियोगिता होइक, पुरस्कार भेटैक. मेरिट टेस्ट नामक भिन्न-भिन्न विषयक घंटा भरिसँ कम अवधिक मासिक परीक्षा हमरा लोकनिक हेतु विशेष आकर्षण रहय. मेरिट टेस्टमे सबसँ अधिक नम्बर अननिहार एकाधिक विद्यार्थीकें पुरस्कार-स्वरुप किताब, कापी,कलम सन छात्रोपयोगी उपकरण भेटैक.तहिया तकर बड्ड महत्व रहैक.   

एहि स्कूलमे मुसलमान छोड़ि समाजक सब वर्गक छात्र रहथि. हमरा लगैत अछि, ओहि समयमे एहि इलाकाक  मुसलमान समुदायक छात्र प्राथमिक स्कूलसँ कदाचिते आगू पढ़ि पबैत रहथि. मुसलमान छात्रक अभावक अनुमानित कारण इएह थिक. शिक्षकहुमे केओ मुसलमान नहि छलाह. स्कूलक वातावरण उदारवादी रहैक. शारीरिक दण्ड पूर्ण रूपें संपत नहिं भेल रहैक. मुदा, ताहि में शिक्षक ई नहिं देखथिन जे विद्यार्थी संस्थापकक परिवारक थिकाह, कि आन केओ.

तहिया देश स्वतंत्रताक बेसी दिन नहिं भेल रहैक. ओहि समयमे आदर्शवादी विचारधारा क निंदा नहि आरंभ भेल रहैक. गाँधी तहिया पूज्य छलाह. यद्यपि, वादविवाद मे राजनेता वा स्वतंत्रता संग्राम सेनानी आलोचनासँ परे नहिं रहथि.   

विश्वप्रसिद्ध अर्थशास्त्री अमर्त्य सेन अपन संस्मरण ‘Home in the World’ में लिखैत छथि, ‘संस्मरणक स्मृति-चर्वणमे अनका रूचि होइक से आवश्यक नहिं. किन्तु, की भेलैक आ अनकर अनुभव आ विचारक की अर्थ निकाली ताहिमे अनका रूचि संभव छैक.’ तें, हम ओहि समय मे महादेव पूरण टिबरेवाल इंग्लिश उच्च  (MPTHE) विद्यालय, झंझारपुर मे केहन वातावरण रहैक तकर किछु उदाहरण दैत छी.

स्कूलक दैनिक कार्यक आरम्भ जयशंकर प्रसादक कविता ‘हिमाद्रि तुंग श्रृंग से’ कविताक गान होइक, कोनो देवी-देवताक स्तुति नहि. पाठकक हेतु ओहि कविताकें एतय उद्धृत करैत छी :

हिमाद्रि तुंग शृंग से प्रबुद्ध शुद्ध भारती
स्वयं प्रभा समुज्ज्वला स्वतंत्रता पुकारती
'
अमर्त्य वीर पुत्र हो, दृढ़- प्रतिज्ञ सोच लो,
प्रशस्त पुण्य पंथ है, बढ़े चलो, बढ़े चलो!'
असंख्य कीर्ति-रश्मियाँ विकीर्ण दिव्य दाह-सी
सपूत मातृभूमि के- रुको न शूर साहसी!
अराति सैन्य सिंधु में, सुवाडवाग्नि से जलो,
प्रवीर हो जयी बनो - बढ़े चलो, बढ़े चलो!

प्रतिदिनक प्रातः कालीन असेंबलीमे एहि कविता पाठक नेतृत्व पण्डित बनखंडी मिश्र करैत रहथि. पण्डित जी संस्कृतक विद्वान रहथि. किन्तु, विचार उदारवादी रहनि. स्वतंत्रता संग्राम आ द्वितीय विश्वयुद्धक गप्प यदा-कदा सुनबिथिन. राजनितिक गतिविधि पर हुनक नजरि रहनि. भाषा शुद्ध लिखल जाय तकर आग्रही रहथि. आनो शिक्षक लोकनि शुद्ध भाषा लिखबा पर  जोर देथिन.

जं कहियो पण्डित जीक अनुपस्थिति मे भोरुका सामूहिक ‘प्रार्थना’क भार शिक्षक महावीर पोद्दार पर पड़नि तं ओ ‘ दयाकर दान भक्ति का हमें परमात्मा देना’ क प्रार्थना कराबथि. ओहि दिन’ हिमाद्रि तुंग शृंग से’क गान नहि होइक. मुदा, से अभावृत्तिए.  स्कूल में NCC/ ACC सन संस्थाक प्रवेश नहि रहैक. योग आ व्यायामक प्रचार नहिं रहैक. मुदा, पदार्थ-विज्ञान (Physics)क शिक्षक महावीर पोद्दार हमरा सत्यानन्द सरस्वतीक योगासनक एकटा पुस्तक देने रहथि. हम प्रायः आठमे वर्ग मे ओहि पोथीक सहायतासँ बहुत योगासन सीखि नेने रही जे आइओ बिना ककरो सहायता आ निर्देशके करैत छी.

स्कूलमे पढ़ाई नीक रहैक रहैक. शिक्षकमे विशेषतः प्रधानाध्यापक जीबनारायण दासक अतिरिक्त, महेश्वर सिंह, महावीर पोद्दार, कीर्त्यानन्द मिश्र, मदनेश्वर मिश्र, पं. बनखंडी मिश्र आ कपिलेश्वर महतो मन पड़ैत छथि. ई लोकनि क्रमशः रसायन शास्त्र, पदार्थ विज्ञान, गणित, समाज अध्ययन, संस्कृत-हिन्दी, एवं हिन्दी पढ़ाबथि  प्रधानाध्यापक जीबनारायण दास मैथिलीमे लिखितो रहथि. ओ अंग्रेजी आ मैथिली पढ़बथिन. गीता प्रेसक एक पोथीक हुनक मैथिली अनुवाद ‘भक्त आओर भगवान’ एखनो हमरा लग अछि.

ई सब शिक्षक पढ़यबाक अतिरिक्त हमरा सबकें परिश्रम करबाक हेतु,  आ आगू बढ़बाक हेतु प्रेरितो करथि. प्रेरक व्यक्तित्व मे प्रधानाध्यापक जीव नारायण दासक अतिरिक्त हमरा स्व. मदनेश्वर मिश्र एवं महेश्वर सिंह विशेषतः मन पड़ैत छथि.

स्कूलमे साहित्य, आ कलाक क्षेत्रमे रटि कए लिखलासँ उत्तर नीक मानल जाइक. तें, समाज अध्ययन, हिन्दी, मैथिली आ संस्कृतमे हमरो लोकनि शिक्षकक लिखाओल उत्तरकें कंठस्थ कए ली. ओहिसँ नम्बरो आबय आ शिक्षक सेहो संतुष्ट होथि. पढ़बाक ओहि विधिसँ समाज अध्ययनक विद्वान् सबहक उद्धरण रटब काज आबय. भाषाक उत्तर शुद्ध होइक. किन्तु, साधारण विद्यार्थीक रचनात्मकता अवश्य दुर्बल होइक, प्रायः. तथापि, ओहि शिक्षक लोकनिक प्रति हमरा मनमे असीम आदर आ आस्थाक अतिरिक्त आओर किछु नहिं. हमरा नहिं लगैछ, ओहि कोटिक शिक्षक आब एहि इलाकाक कोनो स्कूलमे भेटताह. कारण बूझब कठिन नहि.

हाई स्कूलक अवधिमे हमर ध्यान योगासन आ स्वास्थ्य दिस गेल. किछु दिन गामक अखाड़ा पर सेहो गेलहुँ. अखाड़ा पर गामक पिछड़ा वर्गक युवक सब बेसी जाथि. कहबी रहैक:

            घोखन्त  विद्या लपटन्त जोर

            नहिं किछु तं थोड़बो थोड़

 किन्तु, हम जखन पढ़ाई दिस बेसी व्यस्त भेलहुँ तं अखाड़ा छुटैत गेल, किन्तु, स्वास्थ्यक प्रति जागरूकताक जे बीज गाममे मन मस्तिष्कमे पड़ल छल से जिनगी भरि संग रहल.  पछाति, जखन सेना सेवामे अयलहुँ तं ओतहु नियमित जीवन पद्धति आ स्वास्थ्य पर जोर रहैक. किन्तु, अपन अनुशासनक बलें  जतय कतहु गेलहुँ विपरीत जलवायु  आ कठिन जीवन पद्धतिओसँ कहियो स्वास्थ्य प्रभावित नहिं भेल. हमरा लगैत अछि, छात्र जीवनमे स्वास्थ्यक प्रति जागरूकताक जे बीआ हमरा मनमे रोपल गेल छल तकर लाभ हमरा जीवन भरि होइत रहल.

१९७१ ई मे महादेव पूरण टिबरेवाल इंगलिश उच्च (MPTHE) विद्यालय, झंझारपुरसँ हम मैट्रिक पास भेलहुँ. जहिया एहि स्कूलमे हमर नाम लिखल गेल छल, हमर गौआं लोकनि कहथि जे स्कूलक सम्मान सारिणी ( Roll of Honour ) पर अहाँक नाम अयबाक चाही. हम ओकर अधिकारी तं अवश्य भेलहुँ, किन्तु, समान सारिणी पर नाम लिखल गेल गेल वा नहि से देखबाक अवसर फेर कहियो नहि भेटल. एतबा अवश्य जे मैट्रिक परीक्षाक प्राप्तांक आधार पर हम राष्ट्रीय छात्रवृत्ति अधिकारी भेलहुँ. ई छात्रवृत्ति हमरा फाइनल एम बी बी एस धरि पार लगा देलक. तखन हम अपन स्कूल आ ओतुका गुरु लोकनिकें कोना बिसरि सकैत छियनि.

कहितो छैक:  अज्ञान तिमिरांधस्य ज्ञानांजन शलाकया चक्षुरुन्मिलितं येन तस्मै श्री गुरवे नम: ||

गुरुलोकनि आ गुरुकुलकें नमन.

 

Tuesday, June 7, 2022

उजान मिड्ल स्कूलक अनुभव : वर्ष १९६५-६६

 

उजान मिड्ल स्कूलक  अनुभव : वर्ष १९६५-६६

प्राथमिक विद्यालयसँ पांचमा पाससँ भए  मिड्ल स्कूलमे जयबाक अनुभव अनेक अर्थमे स्मरणीय छल; मिड्ल स्कूलमे छठम आ सातम वर्गक पढ़ाई होइत रहैक. पहिल, गामक स्कूलसँ बहराइते जेठि बहिन, शीला दाईक संग छूटि गेल. शीला दाई स्कूल जा कए पढ़निहारि हमरा सबहक परिवारक पहिल कन्या रहथि. उजान आन गाम भेल. ओतय हमरालोकनिक अनेक कुटमैती छल. ओहुना, ताधरि अवामक केओ कन्या गामसँ बाहर जा कए नहिं पढ़ैत रहथि. जायब-आयब सेहो पयरे रहैक, पर्दा प्रथाक असरि समाप्त नहिं भेल रहैक. तें, अपना गाममे मिड्ल स्कूल नहि हेबाक सबसँ पहिल हानि हमर बहिनेकें भेलनि, आ ओ पाँचसँ  आगू नहि पढ़ि सकलीह. ऊपरसँ ताधरि विवाहक योग्य सेहो भए गेल रहथि; तेरह वर्ष होइत-होइत तहिया कन्या अजग्ग मान जाथि ! स्कूलमे पढ़ैत हुनक सब संगतुरिआक - जाहिमे केवल ब्राह्मण आ कायस्थक कन्या लोकनि रहथिन- विवाह पहिनहि भए चुकल रहनि. ओहुना कन्या लोकनिकें चिट्ठी-पत्री लिखब-पढ़ब आबि गेलनि, रामायण-महाभारत, खीसा-पिहानी पढ़ि लेतीह, तहिया सएह पर्याप्त छलैक.

उजान मिड्ल स्कूल हमरा घरसँ करीब आध कोस (१ माइल) पच्छिम छल. चटिया (विद्यार्थी) सब पयरे स्कूल जाथि. अवामक पछवारि टोल आ उजान स्कूलक बीच एकटा बाध पड़ैत रहैक. बाटमे गाछी-कलम, नासी (नदीक छाड़न) आ बाँध( बैलगाड़ी जयबा योग्य कच्ची सड़क) सेहो रहैक. मुदा, खेतक आरि पर देने  आ खुरबटिया बाटें गेला पर दूरी कम भए जाइक. तें, हमरा लोकनि छोट बाट धए जाइ-आबी.  

खेतक कोला(भूखण्ड) सबहक बीचक आरि-धूर पर निरंतर अवर्यातक कारण बाट देखार रहैक आ ककरो सोझ बाट तकबामे मोसकिल नहिं होइक. ओ खेत सब एखनो ओहिना अछि, मुदा, ओ बाट कतय पाबी. प्रगतिसँ लोक खुरबटिया बिसरि चुकल अछि आ मनुखक पयर आ भूमिक बीचक संबंध समाप्त भए गेलैक. वाहनक तेज गतिक कारण गाम-घरक बाध-बोनक सौन्दर्य आब लोकक दृष्टिपथ पर अबैत छैक, ओकर क्षणिक छवि आँखि पर जहिना अबैत छैक, तहिना बिला जाइत छैक. ओहि सौन्दर्यक अनुभूति चेतना धरि नहि भिजैत छैक. लोक प्रकृति देखबाले  टाका खर्च कए दूर-दूर जाइत अछि, किन्तु, हड़बड़ीमे किछुओ कहाँ भेटैत छैक.

आइ-काल्हि जखन हम गाम जाइत छी, अपन परिचित खुरबटियाकें तकबाक प्रयास करैत छी. तखन लगैत अछि, ओ सब प्रायः एहन स्वप्न छल जकरा अजुका यथार्थसँ  कोनो संबंध नहिं. किन्तु, एहिमे कोनो दुःख नहिं. मानव सभ्यताक विकास सबठाम इतिहासकें नीपैत चलैछ, आ नीपल सपाट भूमि पर वर्तमानक भव्य-भवनक निर्माण होइछ. ओ भव्य भवनमे ककरा केहन लगैत छनि ताहिमे भिन्नता छैक. हं, जखन लोकके भूमि पर इतिहास नहिं भेटैत छैक तं पातालसँ इतिहासकें खोधि निकालबामे बसल नगर आ शहरके सेहो मटियामेट कए दैछ. 

आब पुनः उजान स्कूलक बाट पर आबी. तहिया बाधमे ऋतुक अनुकूल धान-गहूम-बदाम (चना)-तीसी-खेसारी आ कुसियारक खेती होइत छलैक;  पहिने मिथिला कुसियार आ चीनीक मिल ले प्रसिद्द छल. स्कूलसँ आपसीमे भुखाएल विद्यार्थीकें मन भेलैक तं कहियो दू बुट्टी बदाम उखाड़ि लेलक आ छिम्मड़ि सोहि कए खेलक. केओ नहिं देखलकैक तं बेस. केओ देखि लेलकैक, आ मास्टरकें शिकाइत भेलनि, तं विद्यार्थी लठिआओल गेलाह. मुदा, से तं सोहाग-भाग भेलैक. लोकक खेतसँ बदाम उजाड़बै, कुसियारक छर तोड़बैक तं ओ शिकाइत नहिं करत ! आ शिकाइत करत तं दण्ड नहिं लागत !! लगतैक तं, लगतैक !!! देखल जयतैक ! एतेक आगू सोचि सोचि पबितहुँ तं विद्यार्थी नहि, गार्जियने रहितहुँ.

हमरा ई सब प्रवृत्ति नहिं छल. चोरि अधलाह थिकैक. हमर शिकाइत हयत, आ मास्टर हमरा दण्ड देताह! किन्नहु नहिं. हमही गामक सबसँ नीक विद्यार्थी छी. हमर अग्रज, ऊधोजी( स्व. उदयनाथ झा ) क नाम तहियो गाममे चर्चित छलनि.  आह ! ऊधोजी सन विद्यार्थी होअए ! सबतरि फस्ट ! माए कहथि: मोनसँ पढ़ह. देखैत छहुन माम लोकनिकें, विद्यहिंसँ सब उपार्जन केलनि-हें. परिवारक कमजोर आर्थिक स्थिति आ माएक निरंतर प्रेरणा मनमे सबसँ नीक बनबाक धुनिसँ भरि देअय. गाममे सब प्रशंसा करैत छल. आ हमर मन सिक्का चढ़ि जाइत छल.

उजान मिड्ल स्कूलमे वातावरण एकदम ग्रामीण रहैक. शिक्षक आ छात्र लोकनि आसे पासक गाँओक रहथि. शक्तिनाथ ठाकुर उर्फ हरिबाबू (सर्वसीमा), बलभद्र झा (कनकपुर),पं. बुद्धिनाथ मिश्र(उजान), रामबहादुर मिश्र(नडुआर), कुल चारि गोटे शिक्षक रहथि. अनुशासन सख्त रहैक. शिक्षक लोकनि  दक्ष रहथि. स्व. शक्तिनाथ ठाकुर अंग्रेजी व्याकरण पढ़बैत छलाह. अंग्रेजीक पढ़ाई मातृभाषा, राष्ट्रभाषा आ संस्कृतक अतिरिक्त चारिम भाषाक रूपमे हिन्दीक माध्यमसँ- माने, हिज्जेक संग – होइत रहैक. तें, शहरी परिवेशमे सुपरिचित, किन्तु ग्रामीण परिवेशमे अनभोआर कतेक सामान्य प्रयोगक वस्तु- जेना कप-सौसर – केर अर्थ सेहो विद्यार्थी शब्दकोषमे ताकथि. वाक्यक संरचना प्रयोगसँ  नहि, व्याकरणक माध्यमसँ  सिखाओल जाइत छलैक. ततबे नहिं, पोथीमे पढ़ल पाठकें सामान्य जीवनमे प्रयोगक ने प्रेरणा देल जाइक, ने उदहारण. विज्ञानक पोथीमे स्वास्थ्य शिक्षाक स्थान पर मानव शरीरक रचना आ फूल-पत्तीक वर्णन रहैक. सफाई आ स्वास्थ्यक गप्प स्कूलमे नहिं होइक.

हमरा लोकनि वर्ग छौ आ सातमे हिन्दी, अंग्रेजी, गणित, विज्ञानक अतिरिक्त इतिहास-भूगोल आ मैथिली सेहो पढ़ने रही. हाई स्कूलमे विज्ञान-शाखामे गेलाक बाद, पाठ्यक्रममे इतिहास आ भूगोल  पढ़बाक अवसर हमरा पुनः कहियो नहिं भेल. कारण, तहिया बिहारमे बिहार बोर्डक कोर्स चलैत रहैक. हमरा लोकनि CBSE शब्द सुननहु नहि रहियैक.   

स्कूलमे सब तरहक छात्र रहथि. मुदा, समाजक सब वर्गक नहि. छात्र सबमे सबसँ बेसी संख्या ब्राह्मण लोकनिक. किछु बनिया, कायस्थ, किओट-धानुक-अमात. मुदा, अनुसूचित जाति आ मुसलमानसँ एकोटा नहि. आइ ई आश्चर्यजनक लगैछ. मुदा, तहिया तं ओ समाजक रीति रहैक. कारण, उजान आ लगक गाम सबमे मुसलमानक टोल रहबे करैक, अनुसूचित जातिक लोक तं रहबे करथि. परिवार आ समुदायक भीतर वा राजनीतिक दल दिससँ बच्चाकें पढ़यबाक कोनो मुहिम केर अभाव एकर प्रमुख कारण छल. मिथिलांचल में सार्वजानिक शिक्षाक अभावमे  छुआछूतक योगदान सेहो रहैक. ओना के नहिं जनैत अछि, गरीब समुदायमे सबसँ बड़का प्राथमिकता भूखसँ लड़ैत प्राण बचयबाक रहैत छैक. तहिया सर्व शिक्षा (अभियान)क तं लोक नामो नहि सुनने छल. एतय कहैत चली जे, रूसमे निरक्षरता उन्मूलनक अभियान वर्ष 1920 मे आरम्भ भेल छल. ओहि अभियानमे ‘स्थानीयकरण’ वा मातृभाषाक प्रयोग पर बल रहैक. किन्तु, जे स्वतंत्र भारत विकासक अनेक प्रेरणा सोवियत रूससँ नेने छल, ओ स्वतंत्रताक आरंभिक दशकमे साक्षरता आ साक्षरता अभियानमे मातृभाषाक प्रयोग पर कनेको ध्यान नहि देलक. कारण केवल आर्थिक छलैक कि नहिं, ताहि पर मतभेद संभव. हमरा जनैत, साक्षरता तहियाक सरकारक प्राथमिकता नहि रहैक. असलमे हमरो लोकनिक प्राइवेट मिड्ल आ हाई स्कूलमे पढ़लहुँ.  शिक्षकक वेतन छात्रक फीसेसँ  अबनि. मिड्ल स्कूलक भूमिमे उपजल अन्न सेहो शिक्षक लोकनि अपना में पारिश्रमिक जकाँ बाँट-बखरा करथि ! हमरा जनैत स्वतंत्र भारतक ई पहिल बड़का चूक छल.

उजान मिड्ल स्कूलक अधिकतर छात्र अपन परिवारक पहिले पढ़ुआ रहथि. तें, घर परिवारमे पढ़ओनिहारक अभाव रहैक. गामहुमे शिक्षितक अभाव रहैक. पिछड़ा वर्गमे कदाचिते केओ साक्षर भेटिते. तें, गाम पर बहुत कमे विद्यार्थीके पढ़बयबला भेटनि. गाम पर शिक्षकक अभाव, ताहू पर गणित पढ़ओनिहारक अभावक अनुभव हमरो होइत छल.

अनुशासनक नाम पर स्कूलमे भयक वातावरण रहैक. क्लासमे विद्यार्थीकें भरि मुँह बाजल नहि होइक. शिक्षकसँ शंका-समाधानक वा पूछताछक साहस नहि होइक. फलतः, कमजोर विद्यार्थी आओर कमजोर होइत जाइत छल. ताहि पर आर्थिक विपन्नता. फीस नहिं जुरैक. तें जे छात्र फेल भेल, स्कूल छोड़ि दैत छल.

मास्टर लोकनिमे बलभद्र झा आ पण्डित बुद्धिनाथ मिश्र स्वभावसँ सहृदय रहथि. ओ लोकनि विद्यार्थीक शंका सुनबो करथिन.कने मने गप्पो कए लेथिन. हमरा लोकनि हुनकासँ  किछु समाधान पाबि ली. मुदा, कमजोर विद्यार्थीकें भय होइक; जं किछु पुछलिऐक आ उलटे जवाब देबय पड़ल तं परम पहपटि ! हेडमास्टर शक्तिनाथ ठाकुर (हरिबाबू) दण्ड देबामे इलाकामे नामी रहथि.यद्यपि, ओ ओतेक दण्ड देथिन नहि जतेक हुनक दण्डसँ  छात्रकें भय होइक. हं, अनुशासनमे ओ सख्त अवश्य रहथिन. हुनकासँ ककरो किछु पुछबाक साहस कदाचिते होइक. मुदा, हुनकर पढ़ाईसँ अंग्रेजीक वाक्यमे कर्ता आ कालक अनुसार क्रियाक दोषरहित प्रयोग तं हम सीखिए गेलहुँ. किन्तु, अधिकतर विद्यार्थी जेना-तेना अपन शंका अपनहि दूर करय आ अपने भरोसे आगू बढ़ैत छल.

पछिला पचास वर्षमे शिक्षा व्यवस्थामे निरंतर सरकारी ‘प्रयोग’  बहुतो ले पैघ अभिशाप सिद्ध भेलैक. 1965 ई.मे जखन हम छठम वर्गमे पहुँचहुँ बिहार सरकार सातवाँ वर्गमे बोर्ड परीक्षा आरंभ केलक. बिहार विद्यालय परीक्षा समिति एहि परीक्षाक आयोजन करैत छल. स्कूल सब बोर्ड परीक्षाक पूर्व टेस्ट परीक्षा लैत रहैक. अधिकतर कमजोर विद्यार्थी टेस्ट परीक्षामे फेल भए जाइत छल. टेस्ट परीक्षामे फेल भेलहुँ तं बोर्ड परीक्षामे सम्मिलित हेबाक प्रश्ने नहि. तें मिड्ल बोर्ड परीक्षाक पूर्वक टेस्ट परीक्षा बहुतो विद्यार्थीक हेतु ई स्कूली शिक्षाक अंत साबित भेल. कारण, बूझब कठिन नहिं. बहुतो परिवार ले स्कूल फीस भारी छलैक. तखन जे फेल भेल ओकरा आगू के पढ़ाओत ! मुदा, जं ई विद्यार्थी लोकनि टेस्ट-परीक्षाक परिणामक आधार पर नहि रोकल जैतथि तं अवश्ये बहुतो हाई स्कूल धरि पहुँचिए जैतथि. कारण, बोर्ड परीक्षामे तहियो चोरि होइते रहैक.

पछाति, जे  विद्यार्थी बोर्ड परीक्षामे फेल भेलाह ओहो लोकनि पढ़ाई छोड़ि खेती-किसानी, पारिवारिक धंधा वा मज़दूरीमे लागि गेलाह. अस्तु, मिड्ल स्कूलक बोर्ड परीक्षा छात्रक भविष्यमे बड़का रोड़ा साबित भेल. हमरा नहि लगैए हमर सातवाँ क्लासक गोड़ पचासेक छात्र म सँ दसटासँ बेसी विद्यार्थी हाई स्कूल पहुँचल हेताह.

उजान स्कूल एकटा बैरकनुमा भवनमे रहैक. स्कूलक आगू छोट-सन अंगनै. खेलयबाक फील्ड नहि. मास्टर लोकनि टिफिन ब्रेकमे स्टाफ रूम- ऑफिसक कोठलीकें भीतरसँ बन्द कए ताश खेलाइत रहथि. विद्यार्थी सब जहिं-तंहि टॉआइत रहैत छलाह. स्कूलमे बाथरूम-टॉयलेट नहि रहैक. निवृत्ति हेबा ले विद्यार्थी आ शिक्षक ‘नदी दिस’ , ‘पोखरि दिस’ जाइत रहथि. स्कूलक पछुआड़ोमे पोखरि रहैक.  प्रत्येक वर्गमे कुल दू-तीन टा छात्रा छलीह. आब अनुभव होइए, कन्या सबकें कतेक असुविधा होइत छल हेतनि. मुदा, एतबा अवश्य जे जन्मसँ ‘नदी दिस’ , ‘पोखरि दिस’ जयबाक परंपराक कारणें ककरो ई कदाचिते अनुभव होइत रहैक जे जहिं-तंहि लघी-नदीसँ वातावरण आ जनस्वास्थ्य कतेक अहित होइत छलैक. आश्चर्य होइछ, इंग्लॅण्डमे शिक्षित, वकील-डाक्टर-इन्जिनीयर राजनेता लोकनि आ स्वतंत्र भारतक निर्माता लोकनि अनिवार्य शिक्षा आ जनस्वास्थ्यक सरल सुलभ आ सस्त तरीका तकबालए कोनो अनुसन्धानक प्रेरक किएक नहि बनलाह. जनताक उन्नतिक लेल आवश्यक एहि आधारभूत आवश्यकताके ओ लोकनि सामाजिक उन्नतिक लेल प्रस्थान भूमि किएक नहि बनओलनि.

आइओ जखन समाजमे रोग, हिंसा, गरीबी, धार्मिक असहिष्णुता, जनसंख्याक असीमित प्रसार देखैत छियैक तं सभक जड़िमे एकेटा विकृति-अशिक्षा-देखि पबैत छी; समाधान गुणात्मक शिक्षाक प्रसारे बूझि पड़ैछ. किन्तु, से सुलभ कहाँ !             

 

Saturday, May 7, 2022

गुणी लोकनिक कथा

 

व्यंग

गुणी लोकनिक कथा

उचित बाजब अप्रिय होइत छैक, तें तं मैथिली मे कहावत छैक, उचित कहैत घर झगड़ा. एहि प्रकारक उक्ति संस्कृत सहित अनेक भाषा मे भेटत. ततबे नहिं,उचित बजलाक कारण  दण्डित हेबाक उदाहरणक कोनो कमी नहि. बहुतो विद्वान, राजनेता, आ संत उचित बजबाक फल भोगने छथि आ भोगि रहल छथि. ई सदासँ होइत आबि रहल अछि. सत्य बजने दण्डित हेबाक उदाहरण महाभारत काल  आ गैलिलियोक युग धरिमे भेटत. फलतः, बहुतो कतेको गोटे भले अनुचितक समर्थन नहिं करथि, मुदा, उचित बजितो नहि छथि. किन्तु, सब ठाम परिस्थिति एक रंग नहि. कखनो घटना व्यक्तिक जीवन होइछ आ कखनो सामाजिक वा  सार्वलौकिक.

अपन अहित होइत देखि मौन रहब व्यक्तिगत निर्णय थिक. तात्कालिक भय वा  भविष्यक चिंताक एकर कारण भए सकैछ. किन्तु, कोनोक समूहक प्रतिनिधित्वक भार लेला उत्तर अपन समूहक हितक चिंता नहि करब अनुचित थिक. अनुचित होइत देखि उचित नहि, बाजब अनुचितक समर्थन थिक.

सत्यतः, कोनो सत्य परम सत्य  नहिं होइछ. केवल जीवन आ मरण  एकर एकर अपवाद थिक. अन्यथा, सत्य, देश, काल, नीति आ  व्यवस्था-सापेक्ष होइछ ? तथापि, व्यावहारिक जीवन मे सत्य आ असत्य बीच भेद करबाक हेतु एतेक दूर जयबाक काज नहिं.

एतय प्रश्न अछि, सत्यक अवहेलनासँ स्वयं प्रभावित होइतो  लोक किएक चुप लगा जाइछ? एहन कोन बाध्यता होइछ.

की एहि प्रकारक बाध्यताक कारण राजाक नवका पोशाक (https://en.wikipedia.org/wiki/The_Emperor%27s_New_Clothes) नामक लोक कथा लिखल गेल छल. ई कथा प्रायः निरंतर असत्य बजबा में अभ्यस्त दरबारी लोकनिकें देखार करबाक हेतु लिखल गेल छल. मुदा, एहि कथाक प्रासंगिकता एखनो छैक.

कथाकें दोहरायब आवश्यक नहिं. तथापि, कहिए दी.

‘राजाक नवका पोशाक’ नामक ई कथा ओहि राजाक थिक जे अपन राज-काजक स्थान पर अपन पहिरना-ओढ़नाकें बेसी महत्व दैत रहथिन. एक दिन ठक लोकनिक एक दल, जोलहा बनि हुनका ओतय आयल आ कहलकनि जे हमरा लोकनि एहन वस्त्र बिनि सकैत छी जे विशिष्ट होइतो लोककें देखबा मे नहिं अओतैक.  राजाकें विश्वास भए गेलनि. किछु दिनक पछाति एक दिन ओ जोलहा लोकनि राजाकें नव वस्त्र पहिरयबा ले' उपस्थित भेल आ हुनका संग वस्त्र पहिरयबाक प्रपंच कयलक. राजाकें विश्वास भए गेलनि जे सत्ये अत्यंत निपुण (ठक) जोलहाक दल हुनका  नव (अदृश्य) पोशाक पहिरएबामे सफल भेल अछि. राजा ओहि चमत्कारिक परिधानकें देखयबाक लोभें अपन दरबार मे तं ओहिना बैसबे केलाह, अपन ओही (नग्न) स्वरुपमे नगर भ्रमण ले सेहो बहरा गेलाह. राजाकें नग्न देखितो  सभासद आ मंत्रीगण राजाक अप्रसन्न हेबाक भयसँ किछु नहि बजलाह. किन्तु, ओहि समूह मे उपस्थित एकटा नेना कें सब किछु आश्चर्यजंक लगलैक. ओ नेना कहि देलकनि: जा ! राजा तं नंगटे छथिन ! 

कथाक दोसर स्वरुपमे केओ निर्भीक वा सोझमतिआ नागरिक राजाकें पूछि देलकनि: ‘सरकार, की अपने दिगंबर जैन बनि गेलिएक-ए ?’

तखन अकस्मात् राजाकें  बुझबा में अयलनि जे ओ ठकल गेल छथि !

ओना मैथिलीमे एकटा आओर कहबी आओर छैक: अपन हारल बहुक मारल कतहु बाजए  !

बहुक मारलमे भले लोकलाजक भय होइक, किन्तु, जं सार्वजनिक प्रतियोगितामे बैमानीसँ अहाँ हरा देल गेल होइ, तं बजबामे कोन हानि ? सेहो जखन प्रतियोगिता सबहक सामने खुला मैदानमे भेल होइक ! एहि गप्प पर हमरा एकटा घटना मोन पड़ैत अछि. प्रायः एहुना होइत होइक आ लोक हारि मानि लिअय. तखन तं ठीके सत्य कें खिहारबाक कोन काज. जे भेल देह लगा कए मारू !  मुदा बाट तेहन  नहिं होइक तखन ?

चलू आब खीसा सुनू:

कोनो गाममे अनेक गुणी रहथि. ओतय गुणी सबहक समूहमे किछु गोटे एहनो रहथि जनिका गुणी हेबाक दाबी रहनि, मुदा, रहथि मूढ़, किन्तु, दबंग. 

मुदा, एतेक गोटेमे सबसँ बेसी गुणी  के ? एकर निर्णय करब असंभव छलैक. अनेक दिन धरि सब गोटे अपनामें खूब घोंघाउज-घमर्थनि केलनि. कोनो परिणाम नहि बहराएल. अंततः, सब गोटे सहमत भेलाह जे हमरा लोकनि अपने गामक पंडित लोकनिसँ ई  निर्णय कराबी. बड्ड बेस. 

आब भेल जे निर्णय कहिया हो. ई बड़का समस्या छल. किछु गोटे कहलखिन, पंडित लोकनिसँ  पुछैत छियनि. ओ लोकनि जखन कहताह, जायब. किन्तु, ओहि म सँ दबंग लोकनि अड़ि गेलाह. कहलखिन  आइए निर्णय करए पड़त. असलमे सब युवके छलाह आ सौराठ सभाक दिन लगिचायल रहैक. अंततः, सब गोटे हकासल पियासल एके संग गामक संस्कृत पाठशाला पर पहुँचि, पण्डित लोकनिक समक्ष उपस्थित भेलाह आ पण्डित  लोकनिकें अपना लोकनिक बीचक  समस्या कहलखिन.

पंडित लोकनि ओहि दिन बड्ड जल्दीमे रहथि. हुनका लोकनि सब गोटे संग-संग कतहु नोत खयबा ले विदा भेल रहथि. ओ लोकनि कहलखिन,  देखू काज कठिन छैक. एहन काजमे जल्दी नीक नहि. नीचेनसँ निर्णय हो से उचित. मुदा, बहुमत छलैक, जे आइए दूधक दूध आ पानिक पानि भए जाए. अंततः, जखन गामक गुणी  लोकनि पण्डित लोकनिक सबहक समक्ष कोनो विकल्प नहि छोड़लखिन तं पण्डित लोकनि एक दोसराक मुँह ताकए लगलाह. बुझलनि जे आइ कोनो उपाय नहि. अस्तु, ओ लोकनि तुरत अपना मे इशारहिसँ किछु मन्त्रणा केलनि. फलतः, पण्डित लोकनिमे सबसँ तेजस्वी पण्डितक विचार सब गोटे मानि लेलखिन. सोचलनि, विपत्तिमे कोनो बाट तं खूजल.

पण्डित लोकनिक प्रतिनिधि बाजब आरंभ केलनि: ‘बेस ! निर्णय एखने भ’ जायत. मुदा, एकटा शर्त पर.

युवक लोकनि साकांक्ष भेलाह.

वरिष्ठ पण्डित मुसुकी छोड़ैत कहलखिन, ‘ हं. निर्णय हएत. मुदा, हमरा लोकनि जे निर्णय एक बेर कए देल सबकें मानय पड़त ! मंजूर अछि ?’

गुणी लोकनि एक दोसराक मुँह ताकए लगलाह. जे लोकनि वस्तुतः गुणी रहथि, सोचलनि, चिंता कोन !  निर्णायकमे एक सँ एक पण्डित छथि. प्रतिष्ठित छथि. प्रतिष्ठित पण्डित लोकनि अपर अविश्वास करबो पापे थिक ! जे बकलेल रहथि, हुनको चिंता नहिं. सोचलनि: भाग्यं फलति सर्वत्रः, न विद्या न च पौरुषम् ! 

अस्तु, सब एक स्वरमे कहलखिन, ‘ अवश्य ! एवमस्तु .’

वरिष्ठ पण्डित सब प्रतियोगीकें एकटा वृत्त बना  विद्यालयक अंगनैमे भूमि पर  बैसय कहलखिन. दसो प्रतियोगी ठामहि पलथा मारि बैसि गेलाह. पण्डित लोकनि सेहो चतुस्पाटी पर बैसलाह. पण्डितक प्रतिनिधि अपन दहिना हाथक तर्जनीसँ प्रतियोगी लोकनिक दिस निर्देश दैत आरंभ केलनि:

औका, बौका, तीन तलौका  

लौआ लाठी, चानन काठी !

एवं क्रमे ई मंत्रोच्चार चलैत गेल. गुणी  लोकनि अवाक् देखैत रहि गेलाह. तेसर चक्कर चलैत-चलैत पण्डित जी निर्णय करैत विजेताक कान्ह पर हाथ धए हुनका उठा ठाढ़ केलनि आ विजेता घोषित केलनि !

बलेल बाबू सबसँ बकलेल होइतो विजेता गुणी घोषित भेलाह. बाँकी सब गोटे मुँह बिधुऔने घर घूरि गेलाह. किन्तु, प्रतियोगी तं छोड़ू परोपट्टामे कहियो केओ नहि बाजल जे ई अनुचित भेल.

अगिला साल हुरा-हरीक उत्सवक अवसर पर गौआ लोकनि विजेता गुणी कें माला पहिरओलनि.

ई गप्प बहुतोकें अनसोहांत लगलनि.

फलतः, गाम दिस घुरबाकाल एक गोटे सत्यतः गुणी, मुदा, पराजित प्रतियोगीक प्रति सहानुभूति देखबैत हुनका पुछलखिन, ‘अंय यौ, एहनो अन्याय भेलैए ! मुदा, अहाँ बजलिऐक किएक ने ?

प्रतियोगी दांत  निपोड़ैत कहलखिन, ‘ बताह भेलौं-ए ! हम अहीं जकाँ नेना छी. एके माघमे जाड़ नहिं जाइत छैक ! हुरा-हरी अगिलो साल हेतैक ने !!

गुणीक मित्र कें दांती लागि गेलनि. आ प्रश्न कयनिहार ठामहि भूमि पर खसि पड़लाह !    

Saturday, March 26, 2022

हर घर नल का जल : योजना आ यथार्थ

 

हर घर नल का जल : योजना आ यथार्थ 

अवाम, 21 मार्च 2022 

कोरोनाक भय गाम में एकदम नहिं छैक. अर्थात् आब लोक सामूहिक रूपें सब प्रकारक सामाजिक उत्सव मना रहल अछि. हमरा ओहि ठाम मातमी माहौल छैक. ‘ब्राह्मणस्य ब्राह्मणों गतिः’ क अनुकूल ब्राह्मणकें पयर पुजबैत देखलियनि. ई पयर पूजा हम स्वयं सिमरिया घाट में 1975 में कए चुकल छी. ओहि वर्ष हमर जेठ भाई ऊधोजी अकस्मात् चलि बसल रहथि. मुदा, हमरा अपना, ने तहिया आ ने आइ एहि सब में विश्वास रहल. देखि रहल छी, तीस हज़ार रुपैया में बच्छा तरे दू टा गाए अइलीहे. मुदा, दान होइते पात्र ओकरा पाँच हज़ार डिस्काउंट पर घाटहिं पर बेचलनि. मने मन सोचैत छी, ई पात्र जं स्वयं गाए बेचबाक व्यवसाय करितथि तं यजमान कें आफियत होइतैक.

युगक अनुकूल दानक लिस्ट समकालीन भेल जा रहल छैक. सात वर्ष पूर्व हमर स्वशुरक काज भेल रहनि. ओहि में मोबाइल फोन सेहो दान भेल रहैक ! एखनो टॉर्च, रेचार्जेबुल लालटेन लिस्ट में शामिल अछि. चौकी-खाट-पलंग तं हेबेक चाही. मच्छड़ स्वर्गहु में छैक. तें, मच्छरदानी सेहो.

हमर जेठ भाई भरत जीक बालक, सरोज कुमार एखन एहि कर्मकांडक कर्त्ता थिकाह. सब किछु एही परिवार में भए रहल छैक. किन्तु, हमर भाई भरत जी सब किछु कें एक वाक्य में समेटि कए कहलनि, ‘ एहि सबहक एके टा उद्देश्य; समाज में जकर खा आयल छिऐक, तकर बदला चुका रहल छी. बाँकी के देखलकैए !’ हमरा नहिं लगैत अछि, कोनो दार्शनिक एहि विषय कें एहिसँ बेसी नीक जकाँ बुझा सकैत छथि. किन्तु, लोक खर्च करैत अछि.

नवकी पोखरिक मोहार पर जाहि ठाम भौजीक काज भए रहल छनि, ओकर लगहिं एकटा नव पानिक टंकी देखैत छियैक. बिहार सरकारक नारा ‘ हर घर नल का जल’ पानी टंकीक गुमटी में लिखल छैक. एहि परियोजना में 12,59,000 टाका खर्च भेलैए, से गुमटीक देवाल पर लिखल छैक. मुखिया लोकनिक नाम सेहो लिखल रहनि. मुदा, केओ उकाठी पद छोड़ि, केवल नाम कें पाथरसँ मेटा देने छनि. सेहो नीके. कारण, टोल पर गेला पर घरे-घर पानिक टैप लागल देखलिऐक. मुदा, सुखायल. पानि नदारद. पता लागल जे पानि ने टंकी में छैक, आ ने नल में. एहन परिस्थिति में एहि परियोजनाक समापनक वाहवाही के लेत !

सोचए लगलहुँ, गाम में इनार सब पहिनहिं भत्थन भए चुकल अछि. जं लोक एहि नल जल पर हैण्डपंप कें उखाड़ब आरंभ कए देलक तं ओ दिन दूर नहिं जे एतहु चेन्नई आ बंगलोर जकाँ, एतहु लोक प्रतिदिन पानि किनब आरंभ कए देत. ओना किछु गोटे कहलनि, गाम में बोतल बंद पानि बिका रहल अछि. ततबे नहिं कमला कात हमर गाम में भूमिगत जलक स्तर तीन सौ फीट धरि पहुँचि गेल छैक ! शुकुर अछि, हमरा अंगना में ज़मीनक 120 फीट नीचा धरि गाड़ल कल में एखनो ओहने निर्मल शीतल मधुर पानि आबि रहल अछि जेहन 1979 में कल गड़यबाक समय अबैत छल ! हमरा अंगनाक ई कल हमर पिताक निसानी थिक. मुदा, कहिया धरि रहत, कहब असंभव.

एहि बेर पुनः किछु गौआं / टोलबैया लोकनि हमरा लोकनिक ओतय जमा छथि. दुर्गामन्दिरक परिसर में गेट लगयबा ले सहायता चाहियनि. एहि गाम में आइ धरि कहियो केओ सड़कक मरम्मत वा स्कूल में पढ़ाईक समस्याक चर्चा धरि नहिं केलनिए. केओ अस्पताल वा हेल्थ सब सेंटर खोलबाक गप्प नहिं करैत छथि. मुदा, ब्राह्मण, पिछड़ा, दलित, सब गोटे मन्दिरक नाम पर एकमत छथि. ताहू में पिछड़ा वर्गक लोक मन्दिर निर्माण में अगुआ छथि. हमरा आश्चर्य नहिं होइछ, किन्तु, गामक प्राथमिकता बदलितैक से मनोरथ तं होइते अछि. मुदा, गामक लोकक अनपढ़ होइतो हिनक लोकनि कें गार्जियनक आवश्यकता नहिं. केवल हिनका लोकनिक योजनाक कार्यान्वयन ले अर्थ चाहियनि. ततबे.

गामक पूब कमलाक तटबंध पर हाईवे बनत से सुनलहुँ. मिथिला में सड़कक जाल बिछाओल जा रहल अछि. किन्तु, कोनो उद्योग आरंभ हएत वा कल-कारखाना लागत तकर कोनो लक्षण नहिं. माने, बिहार अगिलो समय में पंजाबसँ ल कए केरल धरिक हेतु दिहाड़ी मज़दूर आपूर्तिक हेतु झारखंड आ उड़ीसाक संग मुख्य श्रोत  रहत. बिहारक विद्यार्थी इंजीनियरिंग पढ़बाले कर्णाटक, तमिलनाडु वा महाराष्ट्रे जेताह. पढ़ल इंजीनियर नौकरी ले  बंगलोर, गुडगाँव, चेन्नई, हैदराबादे जेताह !

नहिं जानि कहिया बिहारक प्रतिभा आ परिश्रम बिहार में बिकायत. बिहारक उत्पादन में योगदान करत.

अवाम गामक भोरुकबासँ भेंट

 

अवाम गामक भोरुकबासँ भेंट

अवाम, 20 मार्च 2022

अहल भोरे टहलबा ले विदा भेलहुँ तं बहुत दिनक बाद अवामक भोरुकबासँ भेंट भेल.

हम सन 1971 मे गाम छोड़ल. मुदा, गाम आयब नहिं छोड़ने छी. मुदा, अवामक ई बिसरल भोरुकबा बहुत दिन बाद भेटलाहे. आइ बहुतो गप्प मोन पड़ैत अछि. वर्ष 1971 सँ पूर्व सूर्योदयसँ दू तीन घंटा पहिनहिं उठि कए पढ़ब आरंभ करी. कोनिया ओसाराक एक कात चौकी पर दादा सूतथि. दोसर कातक चौकी पर जीतन सूतथि. हमर चौकी बीच में रहैत छल. हमरा उठयबा ले हिनका दुनूक अतिरिक्त हमर माता सेहो तत्पर रहथि. दादा कें सूर्योदयक बाद उठैत हम कहियो नहिं देखलियनि. ओहि युग में परिवारक मुखिया लोकनिक इएह नियम रहनि. जीतनक हेतु भोर हेबाक सूचना भोरुकबे दैत रहनि. कहियो काल हमरा अलसाइत देखि कहथि, ‘बौआ उठू, ओएह भोरुकबा उगि गेलैक !’

गाम में भोरुकबाक देखब भोर हेबाक एलार्म रहैक. महिसबार सब ओहिसँ पहिनहिं पसर चरबै ले महिस के लए  कए निकलि जाइत छल.

आइ अपन दरबज्जा परसँ  निकलि पहिने शीबू भाई कें संग करी. शीबू भाई समयक पक्का छथि. बिलंब भेल तं निकलि जेताह. हमरो लोकनि तं तेहने अनुशासन में पलल छी. अजुका नेयार 5 बजे भोरक छैक. माने हम शीबू भाईक ओतय 5 सँ  पाँच मिनट पहिने पहुँची. तखने ने पाँच बजे टहलान ले विदा हयब. अन्यथा On time is late ! माने, निर्धारित समय पर तं नेयारल काज आरंभ भए जेबाक चाही !! भारतीय सेना में सएह अनुशासन छैक. हम अपन पन्द्रह वर्ष लंबा अध्यापनक अवधि में छात्र लोकनि कें इएह सिखौलियनि. एहिना करैत रहलहुँ. हमरा लोकनिक शिक्षक स्व. डाक्टर हरिनन्दन द्विवेदी दुपहरियाक दू बजेक लेक्चर ले क्लास में पौने दू बजे आबि बैसि जाथि. मुदा, आब अनुशासन बदलि गेलैए. अपना ओतय समयक पाबंदी प्राथमिकताक सूची में सबसँ नीचा. पांडिचेरी में जखन हम एकबेर तत्कालीन डीन डाक्टर कृष्णन कें विद्यार्थीक क्लास में बिलंबसँ अयबाक शिकायत केलियनि तं ओ कहलनि, ‘ पन्द्रह मिनट धरिक छूट दिऔक.’ हम कहलियनि,’ असंभव!’ विद्यार्थी कें समय पालन सिखाएब हमरा लोकनिक काज थिक!’ आ सत्यतः  हमरा संग सदा विद्यार्थी सब सहयोग करैत रहल.

आइ शीबू भाई संग भेलाह आ हमरा लोकनि विदा भेलहुँ. टोल परक कुकुर सब अलसायल भोरुका निन्न मारि रहल छल. बनिया टोल पर कोनो कुकुर कें अपरिचित गंध लगलैक. एक दू बेर भूकल. मुदा, हमरा लोकनि आगू बढ़ि गेलहुँ. आइ हमर जयबा काल बेसी गौआं लोकनि सुतले छथि. ग्राम देवता लक्ष्मीनारायण सेहो शेषनाग पर निभेर निन्न छथि. पुजारी कें हुनका उठयबा में एखन बिलंब छनि. हं, लक्ष्मीनारायणक दक्षिण भारतीय प्रतिनिधि, वेंकटेशक स्तुति तं कतेक काल पहिने आरंभ भए गेल हेतनि. अमृतसरक स्वर्णमन्दिर में सेहो भक्त लोकनिक पतियानी लागल हएत. अवामक लक्ष्मीनारायण गौआं लोकनिक परिवारक सदस्य थिकाह. वा पुरान युगक आदर्श राजा थिकाह जनिका समक्ष केओ, कखनो फ़रियाद लए सोझे उपस्थित भए सकैछ.ने कोनो पतिआनी, ने कोनो प्रतीक्षा.

तें, एखन हमरो लोकनि लक्ष्मीनारायण के सूतले छोड़ि सोझे (अवाम आ पोखरभिंडा गामक बीचक) बाध में आबि गेलहुँ. एतय अबिते भोरुकबा आ पूर्ण चन्द्रमा दुनू मुहांमुही ठाढ़ भेटलाह. भोरुकबा पुबरिया आकाश में आ चन्द्रमा पश्चिम दिस. आकाश एखन साफ़ अछि. वातावरण निर्वात, किन्तु सुखद. जेना, हेमंत ऋतु होइक. भोरुका झलफल में खेतक जजात तं नीक जकाँ नहिं देखबा में नहिं अबैछ, किन्तु, एखन रब्बी-राईक समय छैक.

क्रमशः पौ फाटि गेलैए. बाध दिस लोक आब भेटब शुरू भेले. एतय सड़कक एक कात पत्रहीन पीपर ठाढ़ छथि आ दोसर दिस आमक कलम आ गाछी में मज्जरसँ भरल आमक गाछक समूह. लगैत अछि, एहि बेर खूब आम फड़तैक. किन्तु, आमक मज्जर आ आमक फसलक बीच अनेक संभावना छैक. अगिला किछु मास में मौसम केर मिजाज़ सबसँ बड़का निर्णायक थिक.

किछु आओर आगू बढ़ला पर किछु परिचित गौआं लोकनि अभरलाह आ हमरा लोकनिक संग भए गेलाह. सड़कक कातक खेत में मसुरी उखाड़ि कए गोलियाओल छैक. एकटा ग्रामीण कहैत छथि, ‘ पहिनेक समय रहितैक तं उखाड़ल मसुरी कहिया ने पार भए गेल रहितैक ! आब पन्द्रहो दिन एतय रहतैक तं केओ छूबो नहिं करतैक.’ ई सूनि नीक लागल.

हमरा लोकनि पोखरिभिंडा गाम धरि गेलहुँ. आपस होइत रही तं पूर्वक क्षितिज पर सूर्यक लाल चक्का सेहो उपस्थित भेलाह. महानगर सब में चान-सूर्य-तारा देखबाक सेहन्ता होइछ. गाम घर में एखन धरि ई लोकनि नागा नहिं करैत छथि. धूल-धुआं, धोन, आ मेघ तं सबठाम स्पर्धा करैछ.

आपसी में लक्ष्मीनारायण केन सेहो सुगबुगाइत देखलियनि. हुनक मन्दिरक सामनेक विशाल पीपरक गाछ, हमर बोधि-वृक्ष, एखनहु एहि परिसर कें छाया दैत ठाढ़ छथि. संयोगसँ हिनका शरीर पर पातक आभाव नहिं, ई पत्रहीन नहिं छथि. नहिं जानि, सड़कक पुबारि कातक पीपरक देह एखन नांगट किएक छनि. छथि तं ओएह पोखरिक बेसी लग. मुदा, मोन बिखिन्न छनि. हुनका जड़ि में प्रायः फूल-बेलपात नहिं चढ़ैत छनि. श्मसानक लग छथि. कदाचित भयभीत होथि! चिता सबहक धाहसँ काया कवलित भेल होइनि.  

ई सब सोचिते रही कि, तावते हमर गौआं, विनोद, भजन गबैत बाटे-बाट जाइत भेटलाह. हम प्रत्येक बेर हुनका अपना घर में पितामहक अमल केर कबीरपंथी साहित्यक खोज पुछारि करैत छियनि. मुदा, लोकक रूचि केवल बाप-पितामहक छोड़ल संपत्ति-सोना-बास डीह आ गाछी कलम में होइत छैक. घरक सफाई में सबसँ पहिने पोथीए-पतरा बाहर फेकल जाइछ. दिबाड़ सेहो पहिने पोथीएक संहार करैछ. तखन बाबाक युगक किताब कतय भेटत !  

संयोगसँ एहि बेर गाम में भोरे पढ़ैत केओ नेना देखबा में नहिं आयल. लगैए, कोरोना कालक प्रभाव एखनो छैक. मुदा, गाम में एखन कोरोनाक भए देखबा में नहिं आयल.भरि गाम में एको गोटे मास्क लगौने नहिं भेटल. अंततः हम अपनों मास्क उतारि बैग में राखल.

एहि बेर हम भौजीक निधनक कारण गाम आयल छी. आइ आ काल्हि बहुत गोटे भेटताह. तखन गाम में आओरो  बहुत किछु देखबा में आओत.                            

Thursday, March 24, 2022

पारंपरिक मैथिली में ‘धन्यवाद’ शब्दक समावेश नहिं !

 मैथिली में आभारक अभिव्यक्ति

 पारंपरिक मैथिली में ‘धन्यवाद’क समावेश नहिं !

पश्चिमी सभ्यता में धन्यवादक खर्च बड्ड बेसी. हमरा लोकनि अपन गाम-घरसँ बाहर आबि बसलहुँ . आब हमरो लोकनिक जीवन में धन्यवादक खर्च थोड़ नहिं. तें, अपेक्षा जे लोक भरि-भरि आँजुर धन्यवाद दिअए. आ से नहिं भेटल तं नीक नहिं लगैछ. मुदा, किएक ? मैथिल समाज में हमरा जनैत धन्यवादक परंपरा नहिं. तखन, मिथिला में आभार प्रदर्शनक अवसर आ आभार प्रदर्शनक अभिव्यक्ति केहन होइछ, एतय एही पर विचार करी.

आरम्भ ‘धन्यवाद’ शब्दसँ करी. सत्यतः, ‘शब्दकल्पद्रुम’ में ‘धन्यवाद’ शब्द नहिं भेटल. अर्थात् संस्कृत साहित्य में वार्तालाप में (प्रायः) धन्यवाद शब्द नहिं भेटत. हम अपने संस्कृत साहित्य नहिं पढ़ने छी. अस्तु, ई गप्प केओ संस्कृतक विद्वाने अधिकार पूर्वक कहि सकैत छथि.

आब मैथिली में आभार प्रदर्शनक किछु उदाहरण देखी. मूलतः, एहि सब में उपकार मानबाक स्वीकृति छैक.

हमर बड़ उपकार भेल.

ई उपकार जिनगी भरि नहिं बिसरब.

ई गुण नहिं बिसरब.

बेर पर (वस्तु/ अर्थ) काज आयल/ (अहाँ काज) अयलहुँ.

आबि कए पार लगा देलहुँ.

अहाँक सहयोगसँ  पार घाट लागल

पति रखलहुँ/ (सहायता) पतिराखन भेल.

पतित हेबासँ बचाओल.

उत्तरी(य) तोड़ाओल/ उत्तरी(य) टूटल.

जाति बचल

अजाति हेबासँ बचलहुँ.

खोज पुछारी राखल, उपकार भेल.

आभार-  ई शब्द मैथिलीक गप्प सप्प में पहिने तं नहिंए छल. आब तं हमरा लोकनि प्रयोग करिते छी.

धन्यभाग- एहि शब्द में आभार वा धन्यवादक ध्वनि नहिं छैक. एहि में अपन भाग्य पर संतोष छैक. अर्थात् ‘धन्यभाग. अहाँ अयलहुँ’ में सेहो अयबाक कारण अपन भाग्यक प्रशंसा छैक, आयल व्यक्तिक प्रति आभार नहिं.

पश्चिमी परंपरा में प्रीति- भोज आ निमंत्रणक हेतु सेहो आभार प्रदर्शनक परंपरा छैक. अपना ओतय नोतहारी ‘नोत मानि’ घरवारी पर उपकार करैत छथिन. तखन, धन्यवाद कथिक ? ऊपरसँ आइ अहाँ नोत देलहुँ, तं काल्हि हमहू देब. तखन उपकार कथिक! ऊपरसँ, आब तं सुनैत छी, गाम घरहुँ में नोतहारी भेटब कठिन. शहर में तं केओ नोत खयबा ले अयबो करताह तं रवि दिन, वा राति कए. यदि रविओ क नोतहारी कें आयब कठिन होइनि तं swiggy वा zomato app पर भोजन घर पर पठा दियनु. नोतहारीसँ भेंट नहिं हएत.  मुदा, ई विषयांतर भेल. मूल बात जे खयबाक निमंत्रण आभारक विषय नहिं भेल. हं, ‘थैहर-थैहर भए गेलैक !’ भोजनक प्रशंसा भेलैक, धन्यवाद नहिं.

वस्तु  वा पदार्थक हेतु प्रशंसा ले ‘बड़ दिब लागल’, ‘बड़ सुन्दर’ पर्याप्त थिक.

नीचा लिखल अभिव्यक्ति अनुरोध-सूचक थिक, आभार सूचक नहिं:

( ई कए दी/ दए दी तं) बड़ गुण मानब

खोज पुछारी राखल / राखी ( अनुरोध सूचक).

‘पोथी नीक लागल’ पोथीक प्रशंसा थिक. मुदा, उपहार-स्वरुप देल पोथीक प्रति आभार नहिं थिक.

अस्तु, हमरा जनैत, पारंपरिक मैथिली गप्प-सप्प में अपन परिवार में तं नहिंए, अनको संग गप्प में ‘धन्यवाद’क

समावेश नहिं !     

 


Thursday, February 17, 2022

Murder at Maharaji pul*

 

Murder at Maharaji pul*

For a neophyte doctor establishing successful practice is a Herculean task. Yet, when push comes to shove you have to get going. And that’s what I did: I set up my consultation room in a crowded poor locality, Maharajee pul area by the side of Bagamati River in Darbhanga. It was difficult to find a decent accommodation for a clinic in that area. Someone came to help; he suggested me a small house that was vacant there. The property belonged to a distant relative of the late Maharaja of Darbhanga. The house was in a dilapidated condition, but low rent suited my pocket. It had two rooms, one by the roadside served me as my consultation room, and the other with a table and some necessary paraphernalia served as the operation theatre for minor surgeries.

A local young boy with a few years’ experience offered his services as my assistant. He was hard of hearing, but knew his job. Being a local, he knew people well and he could warn me of troublemakers, of which the area was full. The troublemakers frequently showed up at my clinic, often for no particular reason. They loved to sit with me across the table and talk sweet nothing. I particularly remember a man who often frequented the road in front of my clinic many times a day. He was young, tall and lean with disorderly hair and overgrown beard. He always had a long black gamachha covering his left arm and hand shoulders down. He once came casually and sat down for chitchat. I didn’t mind. In any case, I wanted to develop acquaintance with locals. That day as he sat down, he coolly placed a revolver on my table. I didn’t feel afraid, or wasn’t surprised. I was new there and had no issues with him or anyone else in the area. The revolver in his trouser pocket might have felt uncomfortable and possibly he wanted to feel at ease, I thought! But that wasn’t all. He had another trophy with him- a scorpion in a screw-capped glass bottle. He put it too on my table. Later I learnt, his left hand was all but exposed skeleton; a crude bomb had blown his hand up while he worked on it, someone told me!

I remember another character there who frequently dropped in for no particular reason. He called himself a private tutor for school children. When I asked him out of curiosity what subjects he taught, he proudly replied, ‘also subject!’ I believe, he meant ‘all subjects’.

But men and women selling vegetables and local laborers were my common patients. They found my consultation fee of ten rupees reasonable, and my behavior pleasant.

For a couple of months things went fine. My practice was rule-based and ethical. I scrupulously refused medical termination of pregnancy and never issued fake medical certificates, the former because I had no infrastructure or training, and the latter because I wouldn’t trade in falsehood. Yet, during the first month I made about seven hundred rupees! The next month it was about a thousand rupees. I was happy; those days an MBBS doctor in Bihar Government service received less than that as monthly salary. As such I had very few overhead expenses. I commuted to my clinic on my Avon bicycle, and back home spent time playing with my little daughter who found the whole World amazing as it unfolded before her eyes. Also, a placid life in a sleepy town allowed me opportunities both to practice my newly acquired craft, and ample time to prepare for my postgraduate entrance examination.

But no one knows when life would take a surprising turn. And it did. One evening there was a great commotion outside my clinic. As I looked out, a group of about 5-6 young men trooped into my clinic unannounced. They carried an unconscious man on their shoulders. As they came in, they put the unconscious man on the examination couch and left as quickly as they had come!

Disregarding the suddenness, I and my assistant, Jinu, quickly had a look at the patient. The man on the couch was limp, lifeless, had dilated pupils, and no signs of life. We immediately started cardiopulmonary resuscitation as per protocol. All efforts went futile. It was a case brought dead! And it was my baby now! I had no choice. I called the police. A sub-Inspector came quickly. He was polite and a man of few words. I told him the story. He didn’t have many questions. However,, he inquired if I knew anyone among the men who brought the patient to me. Frankly, I didn’t know them, although some faces were familiar in the area. They all were unemployed local youth who often roamed the area aimlessly. The police sub-Inspector wasn’t interested in much inquiry. He called a vehicle, took possession of the body and left.

It was very late by the time I reached home after the police formalities. People at home were a little surprised due to unusual delay. When they heard the story, their surprise turned into horror.

Today in places big and small, loss of life is no more than a momentary curiosity. Those bereaved suffer, but for others, death is just a statistics! The next day it was business as usual in Maharaji pul area as if nothing had happened. I was a little curious. May be more curious than the police. But in Maharaji pul area almost everyone knew what had happened, and who the culprit was. The victim was a local Marawari boy. The death resulted from a trivial tiff on small amount that resulted in the victim being choked to death as a gamachha tightened gradually around his neck proved the deadly noose. The culprit and the victim were all from a local group of friends, I learnt. They all were well-known to each other. May be things took a deadly turn the way no one expected. Yet, it was a murder most foul!

During a few more months I spent there, I never heard anything about the case. The police never returned to me. May be in the government records this murder was reported as a case of sudden death in young, or a death from fall. Who knows?

Few months later, I received my commission in the Army Medical Corps. I had enough of private practice to test my patience by then. Also I had made up my mind to move outside Bihar. Thus within no time I folded my practice up, shifted whatever belonging I had there, and moved to Danapur cantonment to join my commission. That was Jan 1983. Even today nearly forty years down the line memories of Maharaji pul lingers on! But that’s a different story!!

______________________________________________________________________________

Maharaji pul*, a bridge over Bagamati River built by the Maharaja of Darbhanga in Shubhankarapur locality on the outskirts of the town.

Gamachha, a multipurpose cotton scarf of varying length that serves also as headgear, duster, and a sheet to carry things bundled in it.

 

 

         

मैथिलीकें जियाकय कोना राखब: समस्या आ समाधान

कीर्तिनाथक आत्मालापक पटल पर 100 म  लेख   मैथिलीकें जियाकय कोना राखब: समस्या आ समाधान  कीर्तिनाथ झा वैश्वीकरण आ इन्टर...

हिन्दुस्तान का दिल देखो